28. २८. धनीक जवान शासक

28. २८. धनीक जवान शासक — चित्र 1

एकदिन, एकटा धनीक जवान शासक यीशु लग आबिकऽ पुछलनि, “हे उत्तम गुरु, अन्नत जीवन पाबयलेल हम कि करु?” यीशु ओकरा कहलखिन्ह, “अहाँ हमरा उत्तम किएक कहैत छी? मात्र एकेटा उत्तम अछि आ ओ अछि परमेश्वर। मुदा अहाँ अन्नत जीवन पाबय चाहैत छी तऽ परमेश्वर के व्यवस्था पालन करु।”

28. २८. धनीक जवान शासक — चित्र 2

“हम कोन आज्ञासभ के पालन करु?” ओ पुछलनि। यीशु उत्तर देलखिन्ह, “हत्या नहि करह। व्यभिचार नहि करह। चोरी नहि करह। झुठ नहि बाजह। अपन माय बाबु केँ आदर करह, आ अपन पड़ोसी के अपने जकाँ प्रेम करह।”

28. २८. धनीक जवान शासक — चित्र 3

मुदा ओ जवान पुरुष कहलनि, “ई सभ तऽ हम नान्हिएटा सँ पालन कऽ रहल छी। अन्नत जीवन पाबयलेल आब कि करबाक आवश्यक्ता होएत हमरा?” यीशु हुनका पर दृष्टि कऽकऽ आ हुनका सँ प्रेम कयलखिन्ह।

28. २८. धनीक जवान शासक — चित्र 4

यीशु जबाव देलखिन्ह, “यदि अहाँ सिद्ध होबए चाहैत छी तऽ अपन सभ किछु बेच कऽ ओ धन गरीबसभ के बाँटि दियौ, आ अहाँ के स्वर्ग मे धन प्राप्त होएत। आ आबिक हमरा पछा चलु।”

28. २८. धनीक जवान शासक — चित्र 5

जे यीशु कहलखिन्ह से सुनिकऽ ओ जवान पुरुष बहुत दुःखी भगेल, किएक तऽ ओ बहुत धनीक छल आ अपन सभ धन सम्पत्ति देबए नहि चाहलनि। ओ घुमिकऽ यीशु लग सँ चलिगेल।

28. २८. धनीक जवान शासक — चित्र 6

तब यीशु अपना चेलासभ के कहलखिन्ह, “परमेश्वर के राज्य मे धनीक लोकसभ के प्रवेश केनाई अत्यन्त कठिन अछि! हँ, कोनो धनीक आदमी के परमेश्वर के राज्य मे प्रवेश करय सँ आसान ऊँटके सुइया के भुर दने निकलि जेनाई होएत।”

28. २८. धनीक जवान शासक — चित्र 7

जे यीशु कहलखिन्ह ओ चेलासभ सुनलनि तऽ ओ सभ चकित भगेल। ओसभ कहलनि, “जँ एना होए तऽ के उद्धार पाबि सकैए?”

28. २८. धनीक जवान शासक — चित्र 8

यीशु अपन चेलासभ दिस देख कऽ कहलखिन्ह, “लोकसभ के अपने सँ अपन उद्धार केनाए असम्भब अछि मुदा परमेश्वरक लेल किछु करब असम्भब नहि अछि।”

28. २८. धनीक जवान शासक — चित्र 9

पतरस यीशु के कहलनि, “हमसभ अपन सभ किछु छोडि़ कऽ अहाँक पाछा चलल छी। तऽ हमसभ कि पाएब?”

28. २८. धनीक जवान शासक — चित्र 10

यीशु जबाफ देलखिन्ह, “हरेक एक जे हमरा खातिर अपन घर, भाय, बहिन, माय–बाबु, बालबच्चा या सम्पत्ति के छोड़ने अछि, ओ सय गुणा बेसी प्राप्त करत आ अन्नत जीवन सेहो पायत। मुदा बहुतेक जे पहिनुका पाछा भजाएत आ पच्छिलका सभ आगु भऽ जाएत।”

मत्ती अध्याय १९:१६–३०; मरकुस १०:१७–३१; लूका १८:१८–३० सँऽ बाइबलक एकटा कथा

रीडर में पढ़ें

खुले लाइसेंस (CC BY-SA 4.0) के अंतर्गत उपयोग करने, बदलने और साझा करने के लिए निःशुल्क।