31. ३१. यीशु के पानी पर चलनाइ
पाँच हजार लोकसभ के भोजन करएलाक बाद, यीशु अपन चेलासभ के नाव मे जएबाकलेल कहलखिन्ह। ओ ओकरासभ के झील के दोसर कात चलि जाएलेल कहलखिन्ह जबकी ओ अपने किछु समयक लेल ओहिय रुकि गेलखिन्ह। अतः चेला सभ चलि गेल आ यीशु भीड़ के बिदा कएलखिन्ह जे ओसभ अपन घर चलिजाय। एकरा बाद, यीशु प्रार्थना करबाकलेल पहाड़ पर चलि गेलखिन्ह। ओत ओ असगरए छलखिन्ह, आ ओ अबेर राति धरि प्रार्थना कयलखिन्ह।
ओहि समय, चेलासभ अपन नाव खेवैत जाइत छल, मुदा अन्हर–बिहाइर ओकरासभ के विरुद्ध जोड़ सँ बहैत छल। बहुत राति भेलाक बाद मे सेहो ओसभ झीलक बीचे मे मात्र पहुँचल छल।
आ यीशु अपन प्रार्थना समाप्त कयला के बाद, ओ अपन चेलासभ लग जायलेल शुरु कयलखिन्ह। ओ नाव दिस जाएलेल पानिक उपर चलय लगलनि।
तब चेलासभ हुनका देखलक। ओसभ खुब डेरा गेल छल किएक तऽ ओसभ सोँचलक ओ कोनो भुत अछि। यीशु जनैत छलखिन्ह जे ओसभ डेरा गेल अछि, एहिलेल ओ ओकरा सभके सोर पाडि़ कऽ कहलखिन्ह, “डरु नहि, ई हम छी!”
तब पतरस यीशु के कहलनि, “हे प्रभु, यदि ई अहिँ छी तऽ हमरो पानि पर चैल कऽ अहाँ लग आबय के आदेश दिअ।” यीशु पतरस के कहलखिन्ह, “आबह!”
अतः पतरस नाव सँ उतैरकए यीशु लग जाएलेल पानि पर चलनाई शुरु कयलक। मुदा कनिके दूर जाकए, ओ अपन आँखि यीशु सँ हटालेलक आ पानिक उछाल आ तेज हवा के महसुस केनाइ शुरु कएलक।
तब पतरस डेरा गेल आ पानि मे डुबय लागल। ओ चिचिआएल, “हे प्रभु, हमरा बचालिअ!” यीशु ओहि समय अपन हाथ बढाकऽ ओकरा पकडि़ लेलखिन्ह। तब ओ पतरस के कहलखिन्ह, “अहाँक विश्वास बहुत कम अछि! अहाँ रक्षाक लेल हमरा पर भरोसा कियाक नहि कएलहुँ?”
तब यीशु आ पतरस नाव पर चढि़ गेल, आ हवा बहनाइ तुरन्ते बन्न भऽ गेल। पानि शान्त भऽ गेल। चकित भऽकए चेलासभ यीशु के सामने ठेहुनियाँ ददेलक। ओसभ हुनका आराधना कएलक आ हुनका कहलनि, “साँच्चे अहाँ परमेश्वरक पुत्र छी”
मत्ती अध्याय १४:२२–३३; मरकुस ६:४५–५२; यूहन्ना ६:१६–२१ सँ बाइबलक एकटा कथा
खुले लाइसेंस (CC BY-SA 4.0) के अंतर्गत उपयोग करने, बदलने और साझा करने के लिए निःशुल्क।