12. १२. निर्गमन
इस्राएली लोकसभ मिश्र सँ निकलि कए बड प्रसन्न छलाह। ओसभ आब दास नहि छलाह, आ ओ सभ प्रतिज्ञाक देश मे जा रहल छलाह! जे किछु इस्रएलीसभ मँगलनि, मिश्रीसभ हुनका ओ सभ किछु देलनि, सोन, चानी आ आओर अन्य मूल्यवान वस्तुसभ सेहो। दोसर देशक किछुलोक सभ परमेश्वर पर विश्वास कएलनि आ जखन इस्राएली लोकसभ मिश्र सँ निकलल तऽ ओसभ सेहो ओकरसभक संग लागिगेल।
दिन मे बादलक एक विशाल खम्हा हुनकासभ के आगा–आगा चलल। आ रातिक समय मे ई आगिक खम्हा बनि गेल। परमेश्वर जे की ओहि बादलक खम्हा मे आ आगिक खम्हा मे छलाह, सदखिन हुनकर सभक संग छलखिन्ह आ यात्रा करैत काल हुनका सभके अगुवाइ कएलखिन्ह। ओकरासभ के एते करए के छल कि हुनक पिछा चलिह।
किछुए समयक वाद, फिरौन आ हुनक लोक अपन मनके बदलिलेलनि। ओसभ इस्राएली के फेर सँ अपन दास बनाबए चाहैत छल। एहिलेल ओसभ इस्राएलीसभके रेवारलनि। ई परमेश्वरए छलाह जे हुनका सभके मन के बदलि देलखिन्ह ओ एना एहिलेल कयलनि कियाक तऽ ओ चाहैत छलखिन्ह जे सबकेओ जानिलैए जे फिरौन आ मिश्रीसभक सबटा देवतासभ सँ ओ, यहोवा, अधिक शक्तिशाली छथि।
जखन इस्राएलीसभ मिश्री सेना के अवैत देखलक तऽ ओकरा सभके ई जनतव्य भेल जे ओसभ फिरौनक सेना आ लाल समुन्द्र के बीच मे फसि गेल अछि। ओ सभ बहुत डेरा गेल आ कानय लागल, “हमसभ मिश्र कियाक छोड़लहुँ? हमसभ मरयवला छी!”
मूसा इस्राएलीसभ सँ कहलनि, “डेरानाइ बन्न करु! परमेश्वर आई तोरासभक लेल लडथिन आ तोरा सभके बचौथिन्ह।” तब परमेश्वर मूसा सँ कहलखिन्ह, “एकरा सभके लाल समुन्द्र दिस बढ़वाक लेल कहियौनि।”
तब परमेश्वर ओहि बादल के खम्हा के लऽकऽ इस्राएली आ मिश्रीसभक बीच मे राखि देलखिन्ह जाहिसँ मिश्री लोकसभ इस्राएलीसभ के नहि देख सकैए।
परमेश्वर मूसा के समुन्द्र पर अपन हाथ बढैवाकलेल कहलखिन्ह। फेर परमेश्वर हावा सँ समुन्द्री पानीके दाहिना आ बामा दिश करवा देलखिन्ह, जाहिसँ कि समुन्द्र दऽकऽ एकटा बाट बनि गेल।
इस्राएलीसभ अपन दु दिस पानिक देवालक संग सुख्खल भूमि पर समुन्द्र बाटे आगु बढि़ गेल।
तब परमेश्वर ओहि बाट सँ बादल के हटा लेलखिन जाहिसँ मिश्री लोकसभ इस्राएलीसभके बाँचिक जाइत देखैय।
अतः ओसभ समुन्द्रक माध्यम सँ ओहि बाट पर इस्राएलीसभके रेवारलनि, मुदा परमेश्वर मिश्रीसभके घबरा देलखिन्ह आ हुनक रथसभ के अटका देलखिन्ह। ओ सभ चिचियाए लागल, “भागु! इस्राएलीसभक दिस सँ परमेश्वर लडि़ रहल छथि!”
समूच्चा इस्राएली समुन्द्र के दोसर दिश पहुँचि गेल। तब परमेश्वर मूसा सँ कहलखिन्ह जे ओ फेरु पानी पर हाथ बढावए। जखन मूसा एना कयलनि, तऽ पानि मिश्री सेना पर आविगेल आ समुन्द्र अपन समान्य स्थिति मे भऽ गेल। सारा मिश्री सेना डुबि गेल।
जखन इस्राएलीसभ देखलनि जे मिश्री मरि गेल तऽ ओसभ परमेश्वर पर विश्वास कयलनि। ओसभ विश्वास कयलनि जे मूसा परमेश्वरक दिश सँ भविष्यवक्ता छलाह।
इस्राएलीसभ अहुलेल बहुत आनन्दित छलाह कियाक तऽ परमेश्वर ओकरा सभके मरए आ दास बनए सँ बचालेने छलखिन्ह। ओसभ परमेश्वर के आराधना करय आ हुनक आज्ञा पालन करवाकलेल स्वतंत्र छलाह। इस्राएलीसभ अपन स्वतन्त्रताक उत्सव मनएवाक लेल आ परमेश्वर के प्रशंसा करवाकलेल कतेको गीतसभ गऔलनि किएक तऽ ओ हुनकासभ के मिश्रीसभक सेना सँ बचौने छलखिन्ह।
परमेश्वर इस्राएलीसभ के हरेक बर्ष एकटा पावनि मनएवाक आदेश देलखिन्ह ई स्मरण करवाकलेल जे कोना परमेश्वर मिश्रीसभके पराजित कयलनि आ ओकरा सभ के दास होएवा सँ स्वतन्त्र कएलनि। ई फसहक पर्व कहाएल। एहि मे ओकरासभके ई उत्सव मनएवाकलेल एकटा स्वस्थ भेँडाक बच्चाक चढएवाक छल, ओकरा भुँजवाक छल, आ ओकरा बिना खमीरक रोटीक संग खएवाक छल।
निर्गमन अध्याय १२:३३–१५:२१ सँ बाइबलक एकटा कथा
खुले लाइसेंस (CC BY-SA 4.0) के अंतर्गत उपयोग करने, बदलने और साझा करने के लिए निःशुल्क।