11. ११. फसह
परमेश्वर मूसा आ हारुनके फिरौन लग याहए कहवाकलेल पठौलथि जे इस्राएलीसभके जाए दिऔनि। ओसभ ओकरा चेतौनि देलनि जे यदि ओ ओकरा सभके नहि जाय देतैक, तऽ परमेश्वर मिश्रक लोकके आ जानवर सभके प्रथम जन्मल सभ के मारि देतैनि। फिरौन ई सुनिकऽ सेहो परमेश्वर पर विश्वास करवासँ आ हुनक बात मान सँ अस्वीकार कऽ कदेलनि।
परमेश्वर हुनका पर विश्वास करएवाला केकरो पहिलौट जन्मल पुत्र के बचएवाकलेल एकटा उपायक प्रबन्ध कएने छलखिन्हि। हर परिवार एकटा निष्कलंक भेँडाक बच्चा लऽकऽ बलि करबाक छल।
परमेश्वर इस्राएलीसभके ओहि बलि–भेँडाक लेहू अपन–अपन चौकठ पर लगाबएलेल कहलखिन्ह। हुनकासभके ओहि माउस के भुँजि कऽ आ अखमिरी रोटीक संग ओकरा जल्दी जल्दी खायबाक छल। ओ ओहि भोजनक खएलाक वाद ओकरा सभके तुरन्त मिश्र छोड़वाकलेल तैयार सेहो रहबाकलेल कहलनि।
जेना करबाकलेल परमेश्वर इस्राएली सभ के आदेश देने रहथि ओसभ हुनके अनुसार सभ किछु कयलक। मध्यरात्री मे, परमेश्वर हरेक पहिल जन्मल पुत्रके घात करैत मिश्रक मध्य सँ भऽकऽ गेलखिन्ह।
इस्राएलीसभक सभटा घरक चौकठ पर लेहू लागल छल, एहिलेल परमेश्वर ओहि घरसभ के छोडि़ देलखिन्ह। ओहि भितरके सभलोक सुरक्षित छलाह। ओसभ बलि–भेँडाक लेहूक कारण बाँचि गेल छलाह।
मुदा मिश्रीसभ परमेश्वर पर विश्वास नहि कयने छलाह आ हुनक आदेश के नहि मानने छलाह। एहिलेल परमेश्वर हुनका सभके घर नहि छोड़ने छलखिन्ह। परमेश्वर मिश्रीसभक हरेक पहिल जन्मल पुत्रसभके मारि देलनि।
जेल के कैदी सभके पहिल जन्मल सन्तान सँ लऽकऽ, फिरौनक पहिल जन्मल तक, हरेक पहिलौटा नर मरिगेल। अपन गहिर वेदनाक कारण मिश्रक लोकसभ बडए कनैत छलाह आ विलाप कऽ रहल छलाह।
ओहि राति, फिरौन मूसा आ हारुन के बजाकऽ कहलनि, “इस्राएलीसभके लऽकऽ जल्दी सँ जल्दी तोँ मिश्र सँ निकलि जोह!” मिश्रक लोकसभ सेहो इस्राएलीसभ के जल्दी सँ जल्दी निकलि जएबाकलेल आग्रह कयलनि।
निर्गमन अध्याय ११:१–१२:३२ सँ बाइबलक एकटा कथा
खुले लाइसेंस (CC BY-SA 4.0) के अंतर्गत उपयोग करने, बदलने और साझा करने के लिए निःशुल्क।