10. १०. दस विपत्तिसभ

10. १०. दस विपत्तिसभ — चित्र 1

परमेश्वर मूसा आ हारुन के चेतौनि देलखिन्ह जे फिरौन हठी भऽ जाएत। जखन ओ फिरौन लग गेल तऽ ओसभ कहलनि, “इस्राएलक परमेश्वर एना कहैत छथि, “हमर लोकसभ के जाएदह!” मुदा फिरौन ओकरासभक बात नहि सुनलकनि आ इस्राएली सभके जएवाकलेल स्वतन्त्र करऽ के बदला ओ ओकरा सभके आओर कठिन परिश्रम करवाकलेल मजबूर कऽ देलनि।

10. १०. दस विपत्तिसभ — चित्र 2

फिरौन ओकरासभ के जाए देबऽ लगातार अस्वीकार करैत रहलनि, एहिलेल परमेश्वर मिश्र पर दसटा विपत्तिसभ पठौलनि। एहि विपत्तिसभक द्वारा, परमेश्वर फिरौन के देखौलनि जे ओ फिरौन आ मिश्र के देवतासभ सँ अधिक शक्तिशाली छथि।

10. १०. दस विपत्तिसभ — चित्र 3

परमेश्वर नील नदी के लहू मे परिणत कऽ देलखिन्ह, मुदा फिरौन एखनो इस्राएली सभके नहि जाए देलकनि।

10. १०. दस विपत्तिसभ — चित्र 4

परमेश्वर सारा मिश्र मे बेङ पठा देलखिन्ह। फिरौन बेङसभके दूर करवाकलेल मूसा सँ अनुरोध कएलकनि। मुदा सभ बेङ मरि गेलाक वाद, फिरौन अपना मनके कठोर कए लेलकनि आ इस्राएली सभके मिश्र सँ बाहर होवऽ नहि देलकनि।

10. १०. दस विपत्तिसभ — चित्र 5

एहिलेल परमेश्वर भुँसक विपत्ति पठौलनि। ओकरा वाद ओ माछीक विपत्ति पठौलनि। फिरौन मूसा आ हारुन के बजौलनि आ कहलनि जे यदि ओ अहि विपत्ति के रोकि देतैए तऽ इस्राएलीसभ मिश्र छोडि़ जा सकैत। जखन मूसा प्रार्थना कएलकनि तऽ परमेश्वर मिश्र पर सँ माछी सभके हटा देलखिन्ह। मुदा फिरोन अपन मन के कठोर कएलेलकनि आ ओ ओहि लोकसभके स्वतन्त्र भऽ कऽ जाय नहि देलकनि।

10. १०. दस विपत्तिसभ — चित्र 6

एकर आगा, परमेश्वर मिश्रीक सभ पाल्तू जानवर सभके बीमार भऽकऽ मरए देलखिन्ह। मुदा फिरौनक मन कठोर भऽ गेल छल आ ओ इस्राएलीसभके जाए नहि देलक।

10. १०. दस विपत्तिसभ — चित्र 7

तखन परमेश्वर मूसा के फिरौनक आगा हावा मे छाउर फेकवाकलेल कहलखिन्ह। जँऽ ओ एना कएलक तऽ मिश्र के सभलोक के छाला पर पीड़ादायक फोड़ा भऽ गेल, मुदा इस्राएलीसभ के किछु नहि भेल। परमेश्वर फिरौनक मन कठोर कऽ देलखिन, आ फिरौन इस्राएलीसभ के स्वतन्त्र भएकऽ जाय नहि देलक।

10. १०. दस विपत्तिसभ — चित्र 8

एहिक बाद, परमेश्वर आकाश सँ पत्थरक बारिस करबौलनि आ मिश्रक अधिकांश बाली के नष्ट कऽ देलखिन्ह आ जे केओ बाहर निकलल तिनका ओकरा ओ मारिओ देलकनि। फिरौन मूसा आ हारुन के बजा कऽ कहलकनि, “हम पाप कयलहुँ। तोँ सभ जा सकैत छेह।” अतः मूसा प्रार्थना कएलकनि, आ आकाश सँ पत्थरक बरसा रुकिगेल।

10. १०. दस विपत्तिसभ — चित्र 9

मुदा फिरौन फेर सँ पाप कएलकनि आ अपन मनके कठोर कऽ लेलकनि। ओ इस्राएली सभके स्वतन्त्ररुप सँ जाए नहि देलकनि।

10. १०. दस विपत्तिसभ — चित्र 10

अतः परमेश्वर मिश्रके उपर सलह(घोडकिरा) सभक झूण्ड के आबए देलखिन्ह। आ ओ सलहक झूण्ड सभ पत्थरक बरसा मे नोक्सान नहि कऽ सकल छल तकरा सभ के खा गेल।

10. १०. दस विपत्तिसभ — चित्र 11

फेर परमेश्वर अन्हार कए देलखिन्ह जे तीन दिन तक रहल। ई एतेक घनघोर अन्हार छल जे मिश्रीसभ अपना घर सँ निकैल नहि सकल। मुदा जतए इस्राएली सभ रहए छल ओतय इजोते रहए।

10. १०. दस विपत्तिसभ — चित्र 12

ई नौ विपत्तिसभक बादो, फिरौन इस्राएलीसभ के स्वतन्त्ररुप सँऽ जाय देबा सँ अस्वीकार कए देलकनि। फिरौन नहि सुनैत छल ताहिलेल परमेश्वर एकटा अन्तिम विपत्ति पठएवाक योजना बनौलखिन्ह। ई फिरौनक मनके बदलि देतैक।

निर्गमन अध्याय ५–१० सँ बाइबलक एकटा कथा

रीडर में पढ़ें

खुले लाइसेंस (CC BY-SA 4.0) के अंतर्गत उपयोग करने, बदलने और साझा करने के लिए निःशुल्क।