9. ०९. परमेश्वर मूसा के बजबैत छथि।
यूसुफक मृत्युक बादो हुनक सभ शाखा–सम्बन्धि मिश्र मे रहय लागल। ओ अपने आ हुनक वंशज कतेको बर्ष धरि मिश्र मे रहलाह आ ओ सभ बहुत सन्तान सभ जन्मौलकनि ओ सभ इस्राएली कहैलनि।
कतेको सय बर्षक वाद, इस्राएलीसभक संख्या बहुत बढि़ गेल छल। आ मिश्री लोकनि आब एहि बातक आभारी नहि छल जे हुनका सभक सहायता करवाकलेल यूसुफ बहुत किछु कएने छलाह। ओ सभ इस्राएलीसभ सँऽ डेरा गेलाह किएक तऽ ओ सभ संख्या मे हुनका स बहुत बेसी छल। एहिलेल ओहि समय के मिश्र पर शासन करएवला फिरौन इस्राएली सभके मिश्रीक दास बानालेलनि ।
मिश्री लोकनि इस्राएली सभके बहुत भवन आ एतेक धरि जे कतेको नगरके बनाएवाकलेल मजबुर कयलनि। ओ कठिन परिश्रम हुनका सभक जीवन कँे बहुत दुःखदायी बना देलक मुदा परमेश्वर हुनका सभकेँ आशीष देलखिन्ह आ हुनका सभके आओर बेसी संतान उत्पन्न भेलनि।
फिरौन देखलनि जे इस्राएली सभके बहुत संतान उत्पन्न भऽरहल छल, एहिलेल ओ अपनालोक सभके इस्राएलीसभ नर बच्चा के नील नदी मे फेक कऽ मारि देबाक आदेश देलकनि।
एकटा इस्राएली स्त्री एकटा नर बच्चा के जन्म देलीह। ओ आ हुनक पति जतेक हुनका भऽ सकय ओतेक ओहि बच्चाके नुका कऽ रखलनि।
जखन ओहि बालक के माय बाबु ओकरा आओर बेसी नुकाबए नहि सकैए, तऽ ओसभ ओकरा मरय सँऽ बचएवाकलेल छतलायवला टोकरी मे धकए नील नदीक कछेरपर सकरकंडाक बीच मे राखि देलक। ओकर दिदी ई देखवाकलेल ओकरा निगरानी कएलनि जे ओकरा संग की हएतैक।
फिरौनक पुत्री ओहि टोकरी कऽ देखि ओकर भित्तर देखलीह। जँ ओ एकटा बच्चा के देखलीह तऽ ओ हुनक अपन बच्चा के रुप मे ललेलीह। ओ एकटा इस्राएली स्त्री के ओकरा दूध पिएवाक काजक लेल राखिलेलीह, बिना ई जनले जे ओ दुध पियावएवाली ओकर माय छलीह। जखन ओ बच्चा एतेक बढ़का भगेल जे ओकरा मायक दूधक आवश्यक्ता नहि छल, तऽ ओ फिरौन पुत्री के पास वापस घुरा देलीह, ओकर नाम मूसा छलनि।
एकदिन, जखन मूसा बढ़का भऽ गेल, तऽ ओ देखलक जे एकटा मिश्री एकटा इस्राएली के पिट रहल छल। मूसा अपन संगी के बचएवाक प्रयास कयलनि।
जखन मूसा सोंचलक जे हुनका केओ नहि देखैत हएतैक तऽ ओ ओहि मिश्रीके मारिदेलकनि आ ओकर लास के गारि देलनि। मुदा मूसा जे कयने रहए से केओ देखलेलक।
फिरौन के जानकारी भऽ गेल जे मूसा कियाक एना कयलकनि। ओ ओकरा मारिदेबाक प्रयास कयलनि, मुदा मूसा मिश्र देश सँ जंगल मे भागि गेल। फिरौनक सेना ओत हुनका खोजि नहि सकल।
मिश्र सँ दूर जंगल मे मूसा एकटा चरवाहा बनि गेल छलाह। ओ ओतए विवाह कएलनि आ दुटा बेटा जन्मौलकनि।
मूसा अपन ससुरक भेँडाक हूँज के रखवारी करैत छलाह। एक दिन, ओ एकटा जरि रहल झाड़ी देखलक जे भस्म भेले बिना जरि रहल छल। ओ ओहि झाडी के देखबाकलेल ओकर नजदिक गेलाह। जखन ओ ओकर बहुत नजदिक गेल तऽ परमेश्वर हुनका सँ बात कयलनि। ओ कहलखिन्ह, “हे मूसा, अपन जुता निकालह। ताँे एकटा पवित्र स्थान पर खाड़ भेलछह।”
परमेश्वर कहलखिन्ह, “हम अपन लोकसभ के दुःख देखलहुँ। हम तोरा फिरौन लग पठएबह ताकि तो इश्राएलीसभके मिश्रक दासत्व सँ निकालि लाबए। हम ओकरा सभके कनान देश देबए, ओ देश जे हम अब्राहम, इसहाक आ याकूब सँगे प्रतिज्ञा कयने छलहँु ।”
मूसा पुछलनि, “यदि लोकसभ जानए चाहए जे हमरा के पठौने अछि तऽ हम कि कहबए?” परमेश्वर कहलखिन्ह, “जे हम छि से हम छि। ओकरासभ सँ कहिह, हम छी से तोरासभक लग पठौने छथि। ओकरा सभ के इहो कहिह, “हम तोहरसभक पूर्वज अब्राहम, इसहाक आ याकूबक परमेश्वर यहोवा छी। हमर याहए नाम सदाक लेल अछि।”
मूसा डेराइत छल आ फिरौन लग जाय नहि चाहैत छल कियाक तऽ ओ सोंचैत छल ओ नीक सँ बाजि नहि सकत, एहिलेल परमेश्वर मूसाक भाय हारुन के ओकर सहायता करवाक लेल पठौलनि।
निर्गमन अध्याय १–४ सँऽ बाइबलक एकटा कथा
खुले लाइसेंस (CC BY-SA 4.0) के अंतर्गत उपयोग करने, बदलने और साझा करने के लिए निःशुल्क।