8. ०८. परमेश्वर यूसुफ आ हुनक परिवार के बचबैत छथि

8. ०८. परमेश्वर यूसुफ आ हुनक परिवार के बचबैत छथि — चित्र 1

कतेको बरिस वाद, जखन याकूब वृद्ध भऽ गेलाह, तऽ ओ अपन प्रिय पुत्र यूसुफ के हुनक भायसभक जाँच करवाकलेल पठौलनि जेसभ जानवरसभक हेँअर के चरवाही करैत छलाह।

8. ०८. परमेश्वर यूसुफ आ हुनक परिवार के बचबैत छथि — चित्र 2

यूसुफक भाय सभ हुनका सँ इष्र्या करैत छलाह किएक तऽ हुनक बाबु हुनका स बेसी प्रेम करैत छलाह आ एहुलेल सेहो जे यूसुफ सपना देखने रहए जे ओ हुनका सभक शासक भऽजाएत। जखन यूसुफ अपन भायसभ लग गेल तऽ ओ सभ हुनका बंधक बनालेलकनि आ ओकरा दासक व्यपार करएवला व्यक्तीके हाथे बेचि देलनि।

8. ०८. परमेश्वर यूसुफ आ हुनक परिवार के बचबैत छथि — चित्र 3

यूसुफ के भायसभ घर घुरवा सँ पहिले यूसुफक वस्त्र के फारिक बकरीक लहूँमे रंगी देलनि। फेर ओसभ ओ वस्त्र अपना बाबु जी के देखौलनि जे ओ इ सोंचि जे कोनो जंगली जानवर यूसुफ के मारि देलक। याकूब बहुत उदास छल।

8. ०८. परमेश्वर यूसुफ आ हुनक परिवार के बचबैत छथि — चित्र 4

दासक व्यापारी लोकनि यूसुफके मिश्र लऽ गेल। नील नदीक तटपर अवस्थित मिश्र एकटा विशाल आ शक्तिशाली देश छल। ओ दासक व्यपारी यूसुफ के एकटा धनीक सरकारी अधिकारी के दासक रुप मे बेचि देलक। यूसुफ अपन मालिक के नीक जेका सेवा कएलनि, आ परमेश्वर यूसुफ के आशीष देलखिन्ह।

8. ०८. परमेश्वर यूसुफ आ हुनक परिवार के बचबैत छथि — चित्र 5

ओकर मालिकक पत्नी यूसुफक सँग सुतए लेल प्रयास कएलीह, मुदा यूसुफ एहि तरहेँ परमेश्वरक विरुद्ध पाप करवा स अस्वीकार कदेलनि। ओ क्रोधित भगेलीह आ यूसुफ पर झूठ आरोप लगादेलीह, एहिलेल ओकरा गिरफ्तार कऽकऽ बन्दीगृह मे पठा देल गेल। एतेक धरि जे बन्दीगृह मे सेहो, यूसुफ परमेश्वर प्रति भक्त रहल, आ परमेश्वर हुनका आशीष देलखिन्ह।

8. ०८. परमेश्वर यूसुफ आ हुनक परिवार के बचबैत छथि — चित्र 6

दु बरिस वाद, यूसुफ एखनो सेहो बन्दी गृह मे छलाह, भलहि ओ निर्दोष छलाह। एक राति, फिरौन, जे कहिकए मिश्रीसभ अपन राजा के पुकारैत छल। ओ दुटा सपना देखलनि जे हुनका अत्यन्त विचलित कऽ देलखिन। हुनकर कोनो सल्लाहाकार ओहि सपना के अर्थ नहि बताबि सकल।

8. ०८. परमेश्वर यूसुफ आ हुनक परिवार के बचबैत छथि — चित्र 7

परमेश्वर यूसुफ के सपनाक अर्थ बतएबाक क्षमता देने रहथिन, एहिलेल फिरौन यूसुफ के बन्दीगृह स अपना लग बजौलनि। यूसुफ ओहि सपनाक अर्थ बतौलनि आ कहलनि, “परमेश्वर फसल के प्रशस्ततवला सात बर्ष के वाद रौदीवला सात बर्ष पठाबएवला छथि।

8. ०८. परमेश्वर यूसुफ आ हुनक परिवार के बचबैत छथि — चित्र 8

फिरौन यूसुफ सँ एतेक प्रभावित भेल जे ओ हुनका मिश्र के दोसर सभसँ शक्तिशाली व्यक्ति बना नियुक्त कऽ देलनि।

8. ०८. परमेश्वर यूसुफ आ हुनक परिवार के बचबैत छथि — चित्र 9

यूसुफ लोकसभ सँ नीक फसलवला सात बर्षक दौरान मे बेसी मात्रा मे भोजन जमा करवाक लेल कहलनि। जखन सात बर्षक रौदी आएल तब यूसुफ लोकसभ के ओ भोजन बेचिदेलनि ताकि ओकरा सभ लग खएवाकलेल पर्याप्त भोजन होई।

8. ०८. परमेश्वर यूसुफ आ हुनक परिवार के बचबैत छथि — चित्र 10

ओ रौदी मात्र मिश्र मे नहि, बल्की कनान मे सेहो भयंकर छल जतय याकूब आ ओकर परिवार रहैत छल।

8. ०८. परमेश्वर यूसुफ आ हुनक परिवार के बचबैत छथि — चित्र 11

एहिलेल याकूब अपन सभसँ बढका बेटासभ के भोजन किनबाक लेल मिश्र मे पठौलनि, जखन ओ सभ भोजन किनबाक लेल यूसुफक आगु ढाड भेल तऽ ओ भायसभ यूसुफ के नहि चिन्हलक। मुदा यूसुफ ओकरा सभ के चिन्हिलेलक।

8. ०८. परमेश्वर यूसुफ आ हुनक परिवार के बचबैत छथि — चित्र 12

ई बात जानयलेल जे ओसभ बदलिगेल छै हुनका सभक जाँच कयलाक वाद, यूसुफ हुनका सभके कहलनि, “हम तोरा सभक भाय यूसुफ छी! नहि डेराउ। जखन तो सभ हमरा दासक रुप मे बेचिने छलाह, तऽ तोसभ हमरा बेजाय करवाकलेल ठनने छलाह, मुदा परमेश्वर ओहि बेजाय के भलाइकलेल उपयोग कएलनि! आबह आ मिश्र मे रहय ताकि तोरासभकलेल हम भोजनक प्रबन्ध कऽ सकी।”

8. ०८. परमेश्वर यूसुफ आ हुनक परिवार के बचबैत छथि — चित्र 13

जखन यूसुफक भायसभ घर घुरल आ अपन बाबु याकूब के कहलनि जे यूसुफ एखनोतक जीवित अछि तऽ ओ बहुत प्रसन्न भेलाह।

8. ०८. परमेश्वर यूसुफ आ हुनक परिवार के बचबैत छथि — चित्र 14

हालाँकि याकूब एक वृद्ध व्यक्ति छलाह तइयो ओ अपन पूरा परिवारके संग मिश्र चलिगेलाह, आ ओहि ठाम रहय लगलाह। याकूब के मरबा स पहिने, ओ अपन प्रत्येक बेटासभ के आशीषित कएलनि।

8. ०८. परमेश्वर यूसुफ आ हुनक परिवार के बचबैत छथि — चित्र 15

वाचा के ओ प्रतिज्ञा जे परमेश्वर अब्राहम सँ कएने रहथिन ओ इसहाक पऽ आ ओकरा वाद याकूब, आ ओकरावाद ओकर बारहो बेटासभ आ ओकर परिवार पर आबिगेल। ओ बारह बेटासभक वंशज इस्राएल के बारह गोत्र बनिगेल।

उत्पत्ति अध्याय ३७–५० सऽ बाइबलक एकटा कथा

रीडर में पढ़ें

खुले लाइसेंस (CC BY-SA 4.0) के अंतर्गत उपयोग करने, बदलने और साझा करने के लिए निःशुल्क।