7. ०७. परमेश्वर याकूब के आशीष दएछैथ।

7. ०७. परमेश्वर याकूब के आशीष दएछैथ। — चित्र 1

जखन ओ बच्चा सभ बढ़का भेल तऽ याकूबके घर पर रहवामे नीक लागए लगलनि, मुदा एसाब के जानवरक शिकार करब पसीन परलनि। रिबेका याकूब सँ स्नेह कएलीह, मुदा इसहाक एसावक संग प्रित रखलनि।

7. ०७. परमेश्वर याकूब के आशीष दएछैथ। — चित्र 2

एक दिन जखन एसाव शिकार कऽकऽ घुरल तऽ ओ बहुत भूख्खल छलनि। एसाव याकूब सँ कहलनि, “जे तोँ बनौने छे ताहिमे सँ कनेक हमरो दे।” याकूब जवाफ देलनि, पहिने हमरा सँ ई प्रतिज्ञा कऽरऽ जे जेठ भेलाक कारण जे सभ तोरा मिलवाक चाही, से ओ सभ किछु तोँ हमरा देबह।” अतः एसाव ओ सभ किछु याकूब के देबएलेल प्रतिज्ञा कएलनि। तब याकूब किछु भोजन हुनका देलनि।

7. ०७. परमेश्वर याकूब के आशीष दएछैथ। — चित्र 3

इसहाक एसाव के आशिष देबए चाहैत छलाह। मुदा एहिस पहिने ओ किछु करितैक, रिबेका आ याकूब मिलक याकूब के एसाव होबए के ढोंङ रचि हुनका धोखा देलनि। इसहाक वृद्ध छलाह ओ देख नहि सकैत छलाह। एहि कारण याकूब एसावक कपडा पहिरलनि आ बकरीक खाल के अपना गर्दन आ हाथ मे लपेटि लेलनि।

7. ०७. परमेश्वर याकूब के आशीष दएछैथ। — चित्र 4

याकूब इसहाक लग आविक कहललनि, “हम एसाव छी। हम एहिलेल अयलहुँ जे अहाँ हमरा आशिष दिय।” जखन इसहाक बकरीक रोंइयाँ महसूस कैलनि आ कपडा के सूँघलनि, तऽ ओ सोचलक जे ओ एसाव अछि आ ओकरा आशीष ददेलनि।

7. ०७. परमेश्वर याकूब के आशीष दएछैथ। — चित्र 5

एसाव याकूब सँ इष्र्या कयलनि कियाक तऽ ओकर जेठाउसक अधिकार संगहि हुनक आशिषके सेहो चोरानेने रहथि। अतः ओ हुनक पिता के मरलाक वाद याकूब के मारि देबाक के योजना बनौलनि।

7. ०७. परमेश्वर याकूब के आशीष दएछैथ। — चित्र 6

मुदा रिबेका एसावक योजना सुनिलेलीह। तैँ ओ आ इसहाक याकूब के हुनक कुटुम्ब के साथ रहवाकलेल बहुत दुर पठा देलीह।

7. ०७. परमेश्वर याकूब के आशीष दएछैथ। — चित्र 7

याकूब बहुत बरिस धरि रिबेका क समबन्धित सभलग रहलाह। ओहि समय मे ओ विवाह कयलनि आ हुनका बारहटा बेटा आ एकटा बेटी भेलनि। परमेश्वर हुनका बहुत धनीक बनादेलखिन्ह।

7. ०७. परमेश्वर याकूब के आशीष दएछैथ। — चित्र 8

बीस बरिस धरि कनान के अपन घर सँ दूर रहलाक बादो, याकूब अपन परिवार, अपन सेवकसभ, आ अपन जानवर सभक पूरा हुँजक सँग ओतय सँ घुरलनि।

7. ०७. परमेश्वर याकूब के आशीष दएछैथ। — चित्र 9

याकूब एहिलेल बहुत भयभित छलाह कियक तऽ ओ सोचलनि जे एसाव एखनोधरि हुनका मारि देबए चाहैत छलाह। एहिलेल ओ उपहार स्वरुप जानवरक हुँज के एसाव लग पठौलनि। जे सेवक ओहि हुँज के लऽकऽ गेल रहथि ओ कहलथि, “अपने के दास याकूब, इ जानवर सभ अपने के दैतअछि। ओ जल्दीए आविरहल अछि।”

7. ०७. परमेश्वर याकूब के आशीष दएछैथ। — चित्र 10

मुदा एसाव आब याकूब के बेजाय नहि करए चाहैत छल। बल्की, ओ एक बेर फेर सँ याकूब के देख कऽ बहुत प्रसन्न छलाह। एहिक के बाद याकूब कनान मे शान्तिपूर्वक रहलाह। फेर इसहाक मरि गेलाह आ याकूब आ एसाव ओकरा दफन कएलनि। वाचा के प्रतिज्ञासभ जे परमेश्वर अब्राहम सँ कयने छलखिन्ह से आब इसाहक सँ याकूब पर आबिगेल छल।

उत्पत्ति अध्याय २५:२७–३५:२९ सऽ बाइबलक एकटा कथा

रीडर में पढ़ें

खुले लाइसेंस (CC BY-SA 4.0) के अंतर्गत उपयोग करने, बदलने और साझा करने के लिए निःशुल्क।