6. ०६. परमेश्वर इसहाकक लेल प्रबन्ध करैत छथिन्ह
जखन अब्राहम बहुत बुढ़ भऽ गेल छलाह तब हुनक बेटा, इसहाक, एकटा पुरुषक उमेरक भेल छलाह। एहिलेल अब्राहम अपन एकटा सेवक के अपन बेटा इसहाकक लेल ओहि देश सँ पत्नी अनबाक लेल पठौलनि जतए हुनक करकुटुम्ब सभ रहैत छलाह।
जतए अब्राहमक सम्बन्धी सभ रहैत छलाह ओहि देश मे जएवाकलेल बहुत लम्बा यात्राक वाद परमेश्वर ओहि सेवक के रिबेका लग लगेलखिन्ह। ओ अब्राहमक भाय के पोती छलीह।
रिबेका अपन परिवारके छोडि़ ओहि सेवक सँग घुरिजएवाक लेल मानि गेलीह। जेनाहि ओसभ पहुँचल इसहाक रिबेका सँ विवाह कऽ लेलनि।
एक लम्बा समयक वाद, अब्राहम मरि गेलाह। तकराबाद परमेश्वर अब्राहमक पुत्र इसाहक के, अब्राहम के सँग बान्हल गेल वाचा के कारण आशिष देलखिन्ह। ओहि वाचा मे परमेश्वरक एकटा प्रतिज्ञा छल जे अब्राहम के अनगिनित संतान होतैक। मुदा इसाहक क पत्नी रिबेका सँ संतान उत्पन्न नहि भेल।
इसाहक रिबेकाक लेल प्रार्थना कयलनि, आ परमेश्वर हुनका जौँआ बच्चाक गर्भधारण करवा मे सक्षम कयलखिन्ह। जाहि समय ओ बच्चा सभ रिबेका के गर्भे मे छल तऽ ओ सभ अपने मे लड़ लागल छल, तैँ जे किछु भऽ रहल छल रिबेका ई बात परमेश्वर के कहि देलीह।
परमेश्वर रिबेका सँ कहलखिन्ह, “तोँ दुटा बेटा के जन्म देबीह। ओकर वंशज दु अलग–अलग जाति बनतैक। ओ सभ एकदोसरा सँ लड़तैक। मुदा जेठ बेटा सँ उत्पन्न होबएवाला जातिके छोटका बेटा सँ होबएवाला जातिक आज्ञा मान पड़तैक।”
जखन रिबेकाक बच्चा सभक जन्म भेल तऽ, जेठका बेटा लाल आ रोइयाँदार छल, आ ओसभ हुनक नाम एसाव रखलनि। तब छोटका बेटा एसावक एड़ी के पकड़ने जन्मल, आ ओकर नाम ओसभ याकूब रखलनि।
उत्पत्ति अध्याय २४:१–२५:२६ सऽ बाइबलक एकटा कथा
खुले लाइसेंस (CC BY-SA 4.0) के अंतर्गत उपयोग करने, बदलने और साझा करने के लिए निःशुल्क।