5. ०५. प्रतिज्ञाक पुत्र

5. ०५. प्रतिज्ञाक पुत्र — चित्र 1

अब्राम आ साराईक कनान पहुँचलाक दश बर्ष वाद, एखनधरि हुनकासभक कोनो संतान नहि छल। तैँ अब्रामक पत्नी साराई हुनका सँ कहलिह, “परमेश्वर हमरा एखनधरि संतान जन्माबए मे सक्षम नहि कयलनि आ आब हम संतान जन्मायबाक लेल बहुत बुढ़ भगेलहुँ, देखु, हमर दासी हाजिरा एतय अछि। ओकरा सँ विवाह कऽ लिअ जे ओ हमरालेल एक संतान उत्पन्न कऽ सकए।”

5. ०५. प्रतिज्ञाक पुत्र — चित्र 2

अतः अब्राम हाजिरा सँऽ विवाह कऽ लेलनि। हाजिरा के एकटा पुत्र भेलनि, आ अब्राम ओकर नाम इश्माएल रखलनि। मुदा साराई हाजिरा सँ इष्र्या करऽ लगलीह। जँखन इश्माएल तेरह बर्षक छल तऽ परमेश्वर फेर सँ अब्राम सँ बात कयलनि।

5. ०५. प्रतिज्ञाक पुत्र — चित्र 3

परमेश्वर कहलनि,“हम सर्व–शक्तिमान परमेश्वर छी। हम तोरा सँऽ एकटा वाचा करब।” तब अब्राम भूमि पर खसि कऽ दण्डवत कयलनि। परमेश्वर अब्राम सँऽ इहो कहलनि, “तो बहुत जातिक पिता होएबएह। हम तोरा आ तोहर वंशज के ओकरसभक निज भूमिक लेल कनान देश देबैए आ हम सदाकलेल ओकर परमेश्वर होएबै। तोरा अपन घरक सभटा पुरुषक खतना करबाक छौ।”

5. ०५. प्रतिज्ञाक पुत्र — चित्र 4

“तोहर पत्नी साराई एकटा पुत्रक जन्म देतीह– ई प्रतिज्ञाक पुत्र होएत। ओकर नाम इसहाक रखिह। हम ओकरा सँग अपन वाचाक बना कऽ राखब आ ओ एक पैघ जाति बनि जाएत। हम इश्माएल के सेहो एकटा पैघ जाति बनायब, मुदा हमर वाचा इसहाक संग रहत।” तब परमेश्वर अब्रामक नाम बदलिकऽ अब्राहम राखि देलखिन, जेकर अर्थ अछि “बहुतो गोटाके पिता”, परमेश्वर साराई के नाम सेहो बदलि कऽ सारा कऽ देलखिन जेकर अर्थ अछि “बहुतो के माय”।

5. ०५. प्रतिज्ञाक पुत्र — चित्र 5

ओहि दिन अब्रहाम अपना घरक सभटा पुरुषक खतना कयलनि। लगभग एक बर्षक वाद, जखन अब्राहम १०० बरिसक उमेर भेल रहए आ सारा ९० बरिस छलीह, तखन सारा अब्राहमक पुत्रके जन्म देलीह। जेना परमेश्वर हुनका सभ के कहने रहथि ओसभ ओकर नाम इसहाक रखलनि।

5. ०५. प्रतिज्ञाक पुत्र — चित्र 6

जँ इसहाक जवान भेल तऽ परमेश्वर ई कहि कऽ अब्राहमक विश्वासक परीक्षा कयलनि, “अपन एकलौता पुत्रके लऽकऽ, आ ओकरा हमरालेल बलिक रुप मे मारि दहक।” फेर सँ अब्राहम परमेश्वरक बात मानिलेलनि आ अपना पुत्रके बलि चढएबाक लेल तयारी कयलनि।

5. ०५. प्रतिज्ञाक पुत्र — चित्र 7

जखन अब्राहम आ इसहाक बलि चढ़एवाक स्थान दिस जाय लागल तऽ इसहाक पुछलनि, “हे बाबु जी, हमरासभ लग बलिक लेल जरना तऽ अछि, मुदा बलिक लेल बलि–भेँडा कहाँ अछि?” अब्राहम जवाव देलनि,“हे बेटा, बलि–भेँडाक प्रबन्ध परमेश्वर करथिन।”

5. ०५. प्रतिज्ञाक पुत्र — चित्र 8

जखन ओसभ बलि चढ़ाबय वाला स्थान पर पहुँचल, तऽ अब्राहम इसहाक के बान्हिक वेदी पर सुता देलनि। ओ अपना पुत्रके मारहिवला छल कि परमेश्वर कहलखिन्ह, “रुकि जो! बच्चाक नुकसान नहि पहुँचैन! आब हम बुझि गेलहुँ जे तो हमर भय मानैत छे कियाक तऽ तो अपन एक लौता पुत्र के सेहो हमरा सँ बचाकऽ नहि रखलेह।”

5. ०५. प्रतिज्ञाक पुत्र — चित्र 9

लग मे अब्राहम एकटा भेँडा के देखलनि जे भmाडि़ मे फँसल छल। इसहाकक बदला मे बलि के लेल परमेश्वर भेँडाक प्रबन्ध कयने रहथि। अब्राहम खुशी–खुशी भेँडाक बली चढ़ा देलनि।

5. ०५. प्रतिज्ञाक पुत्र — चित्र 10

तब परमेश्वर अब्राहम सँऽ कहलखिन्ह, “कियाक तऽ तोँ हमरालेल सभकिछु देबाकलेल ईच्छुक छले, एतेक धरि जे अपन एकलौता पुत्रक सेहो, तैँ हम तोरा आशिष देबाक प्रतिज्ञा करय छी। तोहर वंशज आकाशक तारागण सँ सेहो बेसी होतै कियाक तऽ तो हमर आज्ञा मानने छे एहिलेल हम तोहर परिवारक द्वारा संसारक सभ कुल के आशीष देबै।”

उत्पत्ति अध्याय १६–२२ सऽ बाइबलक एक कथा

रीडर में पढ़ें

खुले लाइसेंस (CC BY-SA 4.0) के अंतर्गत उपयोग करने, बदलने और साझा करने के लिए निःशुल्क।