4. ०४. अब्राहमक संग परमेश्वरक वाचा
बाढि़क कतेको बरिसक वाद, संसार मे बहुत लोकसभ रहैत छल, आ ओसभ फेर सँ परमेश्वरक दिश आ एक दोसरक विरुद्घ पाप कएलक। कियाक त ओसभ एक्कहिटा भाषा बजैत रहए, ताहिलेल ओ सभ एक साथ एकठ्ठा भेल आ संसार भरि देबऽ परमेश्वरक आदेश बेगर एकटा नगर बनौलक।
ओ बहुत घमण्डी छल, आ हुनकासभ के केहन जीवन जीअक चाही ताहि समबन्धमे परमेश्वरके आदेशक पालन नहि करऽ चाहैत छलाह। एतेक धरि जे ओसभ एहन मिनार बनायब शुरु कयलनि जे स्वर्ग धरि पहुँचए। परमेश्वर देखलनि जे यदि ओसभ एकसाथ मिलकर खराब करैत रहत तऽ ओ सभ बहुतरास पापीकाम सभ कऽ सकैए।
तैँ परमेश्वर हुनका सभक भाषाके विभिन्न भाषा बनादेलखिन्ह आ हुनका सभके सकल संसार मे फैला देलखिन्ह। जाहि नगरके ओसभ बनायब शुरु कयने छलाह ओकरा बाबेल कहल गेल, जेकर अर्थ होइत अछि “गड़बड़ी”।
कतेकों बरिस वाद, परमेश्वर अब्राम नामक एक मनुष्य संग बात कयलन। परमेश्वर हुनका सँ कहलनि, “अपन देश आ परिवारक छोड़ी ओहि देश मे जा जे हम तोरा देबो। हम तोरा आशिष देबो आ तोरा सऽ एकटा पैघ जाति बनाएब। तोहर नाम महान करब। जे तोरा आशीष देतौ हम ओकरा आशीष देबै, आ जे तोरा श्राप देतौ तकरा हम श्राप देबै, तोरे कारण सँ संसार भरिक सभ कुल आशिष पाओतनि।”
अतः अब्राम परमेश्वरक बात मानिलेलनि। ओ अपन सभ सेवकसभ आ अपन सम्स्त सम्पत्ति समेत अपन पत्नी साराईके लऽकऽ आ कनान देश मे गेल जे परमेश्वर हुनका देखौने छलखिन।
जखन अब्राम कनान पहँुचलाह तऽ परमेश्वर हुनका कहलनि, “अपन चारुकात देखऽ। हम तोरा ई पुरा देश देबौ आ तोरए वंशज सभ दिनकलेल एहि पर अधिकार रखतो।” तखन अब्राम ओहि देश मे रहएलागल।
मलिकिसिदक नामक एक पुरुष छलाह जे सर्वोच्च परमेश्वरक पुजारी छलाह। एक दिन जखन अब्राम युद्ध कऽ कऽ अबैतछल त ओ आ अब्राम मिलल। मलिकिसिदक अब्राम के आशिष देलनि आ कहलनि, “सर्वोच्च परमेश्वर जे स्वर्ग आ पृथ्वीक स्वामी अछि से तोरा आशिष दौक।” फेर अब्राम युद्ध मे जीतल सभकिछु के दशमांश मलिकिसिदक कँे देलनि।
कतेकोे वरिस विति गेल मुदा एखनो, अब्राम आ साराइ के कोनो पुत्र नहि छल। परमेश्वर अब्राम सँऽ बात कयलनि आ फेर सँऽ प्रतिज्ञा कयलनि जे हुनका एकटा पुत्र उत्पन्न होतैह आ जेना आकाशमे तारासभ अछि ओहने बहुत रास हुनक वंश होएतनि। अब्राम परमेश्वरक प्रतिज्ञा पर विश्वास कयलनि। परमेश्वर घोषणा कयलनि जे अब्राम एक धर्मी जन छल किएक तऽ ओ परमेश्वरक प्रतिज्ञा पर विश्वास कयलनि।
तखन परमेश्वर अब्राम सँऽ एकटा वाचा बन्हलनि। समान्यरुप सऽ एक वाचा दु दलक बीचमे एकदोसर के लेल काज करबाकलेल एकटा सम्झौता होइत अछि। परमेश्वर ओ वाचा अब्राम सँ सुतलकाल मे कयलखिन, मुदा तखनो ओ फिर भी परमेश्वरक आवाज सुनि सकैत छलाह। परमेश्वर कहलनि, “हम तोरे शरिर सँऽ उत्पन्न कऽकऽ तोरा एकटा निज पुत्र देबौ। हम तोहर वंशजक ई कनान देश दैतछियौ।” मुदा एखनो अब्राम के कोनो पुत्र नहि छलनि।
उत्पत्ति अध्याय ११–१५ सँ– बाइबल के एकटा कथा
खुले लाइसेंस (CC BY-SA 4.0) के अंतर्गत उपयोग करने, बदलने और साझा करने के लिए निःशुल्क।