3. ०३. जलप्रलय
बहुत समयक बाद, संसार मे हुतेक लोकसभ रहएत छलाह। ओ सभ बहुत दुष्ट आ उपद्रवी भऽगेल छलाह। अतेक खराब भऽ गेल छल जे परमेश्वर एकटा बढ़की बाढि़ स एहि सारा संसारक नष्ट करबाक निर्णय लेलनि।
मुदा परमेश्वर नूह सँ प्रसन्न छलाह। ओ दुष्ट मनुष्यक मध्य रहएवला एक धर्मी व्यक्ति छलाह। परमेश्वर नूह के कहलनि जे ओ एकटा विशाल बाढि़ लाबएबला छथि। अहिलेल, ओ नूह सँ एकटा बढ़का नाव बनएबाकलेल कहलनि।
परमेश्वर नूह सँ लगभग १४० मीटर लम्बा, २३ मीटर चौड़ा आ १३.५ मीटर उँचा नाव बनएबाकलेल कहलनि। नूहके ओकरा लकड़ी सऽ बनएबाक छल आ ओहि मे तीन महल, बहुतेक कोठरी, एकटा छत आ एकटा खिड़की बनएबाक छलनि। ओ नाव नूह, हुनक परिवार आ भूमिक हरेक प्रकारक जानवर सभके ओहि बाढि़ सँ सुरक्षित राखत।
नूह परमेश्वरक बात मानलनि ओ आ हुनक बेटासभ ओहने नाव बनौलक जेहन परमेश्वर कहने रहथि। किएक तऽ ओ नाव बहुत बढ़का छल एहि कारण सँ ओकरा बनावय मे बहुत वरिस लागल। नूह लोकसभके आवएवली बाढि़क बिषयमे चेतावनी देलनि आ ओकरासभके परमेश्वरक दिश वापस घुरवाकलेल कहलनि, मुदा ओ सभ हुनका पर विश्वास नहि कएलनि।
परमेश्वर नूह आ हुनक परिवारक अपनेलेल आ जानवरकलेल पर्याप्त भोजन जम्मा करवाकलेल आदेश सेहो देलनि। जँ सबकिछु तैयार भऽगेल छल त, परमेश्वर नूह सँ कहलनि जे ई समय हुनक आ हुनकर पत्नीके, हुनक तीन पुत्रक, आ तीन पुतहुआ सभक – कुल मिलाक आठ गोटे के नाव मे जएवाक छलनि।
परमेश्वर सभ जानवर आ चिरैयके मरदना आ मौगियानिके नूहक लग मे पठा देलनि जे ओसभ नावमे जाऽ सकैए आ बाढि़क दरमिआन सुरक्षित रहए सकैए। परमेश्वर एहन हरेक प्रकारक जानवरक सातटा मरदना आ सातटा मौगियानिक पठौलनि जे बलि चढएबाकलेल उपयोग होबऽ सकैए। जखन ओ सभ नावमे पहुँच गेल तऽ परमेश्वर स्वयं नावक दुहारिके बन्न कऽ देलनि।
तखन बर्षा भेनाई शुरु भेल, आ बर्षा होइत गेल, होइत गेल। अनवरत चालिस दिन आ चालिस राति पानि पड़ैत गेल। सारा संसारक सभकिछु, एतक धरि जे उँचगर सँ उचँगर पहाड सेहो पानि मे डुबिगेल।
सुख्खल भुमि पर रहएवला हरेक वस्तु मरिगेल, ओ सभ जे नाव मे छल सभक छोड़ीक। ओ नाव पानिक उपर छताइत, हेलैत रहल आ ओहि नावमे रहएवला सभकिछुके डुबय सँ सुरक्षित रखलक।
बर्षा रुकलाक वाद, पाँच मास धरि ओ नाव पानि पर छताइत रहल, आ ओहि समय के दरमिआन पानि कम होबएलगलै। तखन एक दिन ओ नाव एकटा पहाड पर जाक अटैक गेल, मुदा संसार अखनो पानि सँ झाँपल छल। तीन महिनाक वाद, पहाडसभक चोटी देखाइ देबए लागल।
फेर आओर चालिस दिनक वाद, नूह एकटा कौआक ई देखबाकलेल बाहर पठौलक जे पानि सुखिगेल ओ कौआ सुख्खल भूमिक खोजऽ एम्हर सँ उम्हर उड़ैत रहिगेल, मुदा ओकरा एहन कोनो स्थान नहि भेटल।
फेर किछु दिन वाद नूह एकटा परवा के बाहर पठौलक। मुदा ओकरा सेहो कोनो सुख्खल भूमि नहि भेटला सँ ओ नूह लग आबिगेल। एक सप्ताहक पश्चात ओ ओहि परवा के फेर सँ पठौलक, आ ओ अपन लोलमे जैतुनक डाँड़ी लक वापस घुरल। पानिक स्तर कम होइत जा रहल छल। आ पौधा फेर सँ उगनाइ शुरु होवऽ लागलछल।
नूह एक सप्ताह आओर प्रतिक्षा कएलनि आ तेसर बेर ओहि परवा के बाहर पठौलक। एहिबेर, ओकरा ठहरलेल स्थान मिल गेल आ ओ घुरिकऽ नहि आएल। पानि सुखि रहल छल।
दु मासक वाद परमेश्वर नूह सँ कहलखिन्ह, “तोँ आ तोहर परिवार आ समस्त जानवर सहित नाव सँ निकलि जा। बहुतेक रास संतान आ पोता–परपोता उत्पन्न करह आ पृथ्वी के भरिदह।” अतः नूह आ हुनक परिवार सभ गोटे नाव सँ बहराएल।
नूहके नाव सँ बहरएलाक वाद, ओ एकटा वेदी बनौलक आ बलिक लेल उपयोग कयलजायवला सभ प्रकारक जानवरसभ मे सँ किछुके लऽकऽ बलि चढ़ौलक। परमेश्वर ओहि बलि सँ प्रसन्न भेलाह आ नूह आ हुनक परिवार के अािशष देलखिन्ह।
परमेश्वर कहलखिन्ह, “हम प्रतिज्ञा करैत छी जे मनुष्यद्वारा कएलजाएवला दुष्कर्मक कारणे हम कहियो भुमिक श्राप नहि देब वा बाढि़द्वारा संसारक नष्ट नहि करब, मुदा मनुष्य अपन बाल्यकाले सँ पापी अछि।
फेर परमेश्वर अपन वाचा के चिन्हक रुपमे प्रथम मेघधनुष बनौलनि। जखन कहियो आकाश मे मेघधनुष देखायदिए, तऽ परमेश्वर स्मरण करथि जे ओ कि वाचा कयनेरहथि आ ओहिना हुनकर लोक सेहो स्मरण करतनि।
उत्पत्ति अध्याय ६–८ सँऽ बाइबलक एकटा कथा
खुले लाइसेंस (CC BY-SA 4.0) के अंतर्गत उपयोग करने, बदलने और साझा करने के लिए निःशुल्क।