14. १४. निर्जन स्थान मे भटकनाई

14. १४. निर्जन स्थान मे भटकनाई — चित्र 1

परमेश्वर इस्राएलिसभके ओहि नियमसभके बताएबाक समाप्त कयलनि जे हुनकासभके संग बान्हलगेल वाचा के कारण पालन करवाक छलनि। फेर ओ हुनका सभ के सीनै पर्वत सँ आगु अगुवाइ कयलनि। ओ हुनका सभ के प्रतिज्ञा के देश मे लजाए चाहैत छलाह। ओहि देश के कनान से हो कहल जाइत छलैक। परमेश्वर बादलक खम्हा मे हुनकासभ सँ आगू–आगू चललाह आ ओसभ हुनका पाछा–पाछा चलल।

14. १४. निर्जन स्थान मे भटकनाई — चित्र 2

परमेश्वर अब्राहाम, इसहाक आ याकूब संग प्रतिज्ञा कयने रहथि जे ओ प्रतिज्ञाक ओ देश हुनकासभक वशंजसभ के देबनि, मुदा एहि समय ओतय बहुत जाति सभ रहैत छलैक। ओसभ कनानी कहवैत छलाह। ई कनानी लोकसभ परमेश्वर के आराधना नहि करैत छलाह आ हुनक आज्ञाके सेहो नहि मानैत छलाह। ओसभ झूठ देवतासभके उपासना करैत छलाह आ बहुत खराब काज सभ करैत छलाह।

14. १४. निर्जन स्थान मे भटकनाई — चित्र 3

परमेश्वर इस्राएलि सभके कहलखिन, “जखन तो सभ ओहि वाचाके देश मे जाएबै तऽ ओत के सभ कनानी सभ सँ छुटकारा पावि लिहे। ओकरासंग संधि नहि करिहए आ ओकरा संग बेटा–बेटीके विवाह नहि करिहए। तोरा ओकरसभक सभमूर्ति के पुरापुरी नष्ट कऽ देबाक छौ। यदि तोसभ हमर आज्ञा नहि मानबए, तऽ तोसभ हमरा छोरि ओकर देवतासभ के उपासना करए लगबए।”

14. १४. निर्जन स्थान मे भटकनाई — चित्र 4

जखन इस्राएली कनानक सीमा पर पहुँचलाह, मूसा इस्राएल के प्रत्येक गोत्र मे सँ एक एक कऽ बारह पुरुष चुनलनि। ओ हुनका सभके ओहि देश मे जा कऽ भेद लेबाक निर्देशन देलनि जे ओ देश केहन अछि। हुनका सभ के ओहि कनानी सभ के भेद सेहो लेबाक छल जे ई बुझिसकए जे ओ सभ बलवान रहथि कि निर्बल।

14. १४. निर्जन स्थान मे भटकनाई — चित्र 5

ओ बारहो पुरुष पूरा कनान मे घुमैत चालिस दिनक यात्रा कएलनि आ वापस घुरलाह। ओसभ लोकसभ के बतौलनि जे ई देश बहुत उब्जाउ अछि आ बाली प्रसस्त अछि!” मुदा दस भेदि कहलनि, “ओ नगर बहुत दृढ अछि आ ओ लोकसभ बहुतेक नमगर–पोरगर अछि! यदि हमसभ हुनकासभ पर हमला करैतछी तऽ, ओसभ निश्चित रुप सँ हमरासभ के पराजित कऽ देतथिन आ हमरासभ के मारिदेताह।”

14. १४. निर्जन स्थान मे भटकनाई — चित्र 6

तुरन्ते अन्य ई दु भेदिया कालेब आ यहोशू कहलनि, “इ साँच्चे अछि जे कनानक लोकसभ बड़ नमगर पोरगर आ बलवान अछि, मुदा निश्चित रुप सँ हमरा लोकनि हुनकासभके पराजित कऽ सकैत छी! परमेश्वर हमरासभक लेल लडताह!”

14. १४. निर्जन स्थान मे भटकनाई — चित्र 7

मुदा लोकसभ कालेब आ यहोशू के नहि सुनलनि। ओ मूसा आ हारुन पर क्रोधित भऽगेलाह आ कहलनि, “तो एहि भयानक स्थान पर हमरासभके किएक लऽकऽ अएलाह? हमरासभके मिश्रे मे रहवाक चाही। यदि हमसभ ओहि देश मे जायछी तऽ युद्ध मे मारल जाएब, आ कनानीसभ हमरासभक पत्नी आ बच्चासभ के दास बना लेत।” ओ सभ मिश्र मे वापस लऽ जएवाकलेल एक अन्य अगुवा के चुनऽ चाहैत छलाह।

14. १४. निर्जन स्थान मे भटकनाई — चित्र 8

जखन ओसभ एना कहलनि तऽ परमेश्वर बहुत क्रोधित भऽ गेलाह। ओ मिलापक पाल मे आबि कहलनि, “तो हमरा बिरुद्ध विद्रोह कयने छेह, एहिलेल तोहरा सभ के एहि निर्जन स्थान मे भटकए पड़तौक। हरेक व्यक्ति जे बीस बरिसक आ एहि सँ अधिक आयु के अछि ओतय मरि जएताह आ कहियो ने ओहि देश मे प्रवेश कर पाओत जे हम तोरासभ के दैत छियौ। मात्र कालेब आ यहोशू ओहि मे प्रवेश करताह।”

14. १४. निर्जन स्थान मे भटकनाई — चित्र 9

जखन लोकसभ परमेश्वर के एना कहैत सुनलनि, तऽ ओ सभ दुःखीत भऽ गेलाह कियाक तऽ ओसभ पाप कयने छल। एहिलेल ओसभ कनानक लोक पर हमला करवाक निर्णय कयलनि। मूसा हुनका सभके हमला नहि करवाक चेतौनी देलनि कियाक तऽ परमेश्वर हुनकासभ के संग नहि जएताह, मुदा ओसभ हुनका नहि सुिनलनि।

14. १४. निर्जन स्थान मे भटकनाई — चित्र 10

परमेश्वर एहि युद्ध मे हुनका सभक संग नहि गेल छलाह, एहिलेल कनानीसभ हुनकासभ के पराजित कऽ देलनि आ ओहि मे सँऽ बहुते के त मारिओ देलनि। तखन इस्राएली सभ कनान सँ वापस घुरि गेलाह। आगा के चालिस बरिस धरि, ओसभ निर्जन–स्थान मे एम्हर ओम्हर भटकैत रहल।

14. १४. निर्जन स्थान मे भटकनाई — चित्र 11

इस्राएली लोकसभ निर्जन स्थान मे बौओनाइक चालीस बर्षक दरमियान, परमेश्वर ओकरासभके आवश्यक्तासभ पूर्ति कयलखिन्ह। ओ ओकरासभक के स्वर्ग सँ “मन्ना” कहएवला रोटी देलखिन्ह। ओ बटेरक झुंड सेहो (जे कि मध्यम आकार के पक्षी होइत अछि) ओकरासभक छाउनी मे पठा देलखिन्ह जाहिस ओकरासभके खायलेल माउस होबैए। ओ इ पुरे समय, परमेश्वर ओकरासभक कपडा आ जूतासभ नहि फाटए देलखिन्ह।

14. १४. निर्जन स्थान मे भटकनाई — चित्र 12

एतेक धरि जे परमेश्वर ओकरासभके पिवाकलेल चमत्कारीक रुप मे चट्टान सँ पानि निकाललखिन्ह। मुदा एहि सभके बाबजुदो, इस्राएलिसभ परमेश्वर के विरुद्ध आ मूसा के विरुद्ध शिकायत आ गनगन कयलनि। तैइयो परमेश्वर विश्वासयोग्य रहथि। ओ जे प्रतिज्ञा अब्राहम, इसाहक, आ याकूबके वशंजकलेल पुरा करब कहने रहथि से ओ पुरा कयलखिन्ह।

14. १४. निर्जन स्थान मे भटकनाई — चित्र 13

एक बेर आओर जखन हुनकासभ लग पानि नहि छल, परमेश्वर मूसा के कहलखिन्ह, “चट्टान सँगे बात करह, आ ओहि मे सँ पानि निकलतोह।” मुदा मूसा चट्टान सँ बात नहि कयलनि। एहिक बदला, ओ लाठी सँऽ दु बेर चट्टान पर मारलनि। एहि किसिम सँ ओ परमेश्वर के अनादर कयलनि। सभक पिवाकलेल पानी तऽ निकलल, मुदा परमेश्वर मूसा संग क्रोधित भऽ गेलखिन्ह। ओ कहलखिन्ह, “कियाक तऽ तो एना कएने छेह, एहिलेल तो प्रतिज्ञाक देश मे प्रवेश नहि करए पाएबए।”

14. १४. निर्जन स्थान मे भटकनाई — चित्र 14

जखन इस्राएलीसभ चालीस बर्ष तक निर्जनस्थान मे बौआइत छलाह, तखन जे सभ परमेश्वरक विरुद्ध विद्रोह कयनेछलाह से सभ मरि चुकल छलाह। तब परमेश्वर हुनका सभ के फेर सँऽ ओहि प्रतिज्ञाक देश के सिमाना धरि लऽगेलखिन्ह। अखन धरि मूसा बुढ़ भऽ गेल छलाह, एहिलेल परमेश्वर लोकसभ के अगुवाइ करवाकलेल हुनका सहायता करवाक हेतु यहोशूके चुनलखिन्ह। परमेश्वर मूसा संग ई प्रतिज्ञा सेहो कयने रहथि जे एक दिन ओ हुनकासभ लग मूसा के जेहन एकटा भविष्यवक्ता पठौथिन।

14. १४. निर्जन स्थान मे भटकनाई — चित्र 15

तब परमेश्वर मूसा के एकटा पर्वत के शिखर पर जयवाकलेल कहलखिन्ह जाहिसँ ओ प्रतिज्ञाक देश देखि सकैए। मूसा ओहि प्रतिज्ञाक देश के देखलनि मुदा परमेश्वर मूसाके ओहि मे प्रवेश करए के अनुमति नहि देने रहथि। तब मूसा मरि गेलाह, आ इस्राएलीसभ तीस दिन धरि शोक मनौलनि। यहोशू हुनकासभ के नभका अगुवा बनि गेलाह। यहोशू एकटा नीक अगुवा छलाह कियाक तऽ ओ परमेश्वर पर भरोसा कएलनि आ हुनक बातसभ मानलनि।

निर्गमन अध्याय १६–१७; गिनती १०–१४; २७; व्यवस्थाविवरण ३४ सँ बाइबलक एकटा कथा

रीडर में पढ़ें

खुले लाइसेंस (CC BY-SA 4.0) के अंतर्गत उपयोग करने, बदलने और साझा करने के लिए निःशुल्क।