15. १५. प्रतिज्ञाक देश
अन्त मे, आब ओ समय आबि गेल छल जे इस्राएली लोकसभ प्रतिज्ञाक देश, कनान मे प्रवेश करए। ओहि देश मे यरीहो नामक एकटा नगर छल। ओकर सुरक्षाक लेल ओकर चारुकात मजबूत देबाल छल। यहोशू ओहि नगर मे दुटा भेदी के पठौलनि। ओहि नगर मे एकटा राहाब नामक बेश्या रहैत छलीह। ओ एहि भेदी सभ के नुकादेलीह, फेर बाद मे ओकरासभ के ओ ओहि नगर सँ बचिकऽ निकलऽ मे सहायता कएलीह। ओ एना एहिलेल कएलीह किएक तऽ ओ परमेश्वर पर विश्वास करैत छलीह। जाहि समय इस्राएली सभ यरीहो के नाश करतैक तखन ओसभ राहाब आ हुनक परिबार के रक्षा करवाक प्रतिज्ञा करवौने छलीह।
इस्राएली लोकसभ के प्रतिज्ञाक देश मे प्रवेश करवाकलेल यरदन नदी पार करवाक छलनि। परमेश्वर यहोशू के कहलनि, “पुजारी सभ के पहिने जाय देह।” जखन पुजारी सभ अपन गोर नदीमे रखलनि तऽ पानिक धार बहब रुकि गेल, जाहिसँ कि इस्राएली लोकसभ नदी के ओहिपार सुख्खल भूमि मे जा सकैए।
ओ सभ यरदन नदी पार कऽ लेलाक बाद परमेश्वर यहोशू के कहलखिन्ह जे यरीहो पर हमला करवाकलेल तैयार रह, यद्यपि ओ बहुत दृढ नगर छल। परमेश्वर हुनकासभ के कहलनि जे ओहि पुजारीसभ आ सैनिक के छौ दिन ओहि नगर के चारुकात चक्कर काटवाक के अछि। अतः पुजारीसभ आ सैनिक एहिने कयलनि।
तब सातम दिन, इस्राएली सभ ओहि नगरक चारुकात सात बेर आओर चक्कर काटलनि। ओहि नगर के चारुकात सातम बेर चक्कर लगैएलाक बाद, पुजारीसभ अपन तुरही सभ फुकलनि आ सैनिक बढ़ जोर के आवाज निकाललनि।
तब यरीहो के चारुकातक देबाल खैस पड़ल! जेना परमेश्वर आज्ञा देने रहथिन इस्राएली सभ नगर के हरेक वस्तु नष्ट कऽदेलनि। ओसभ मात्र राहाब आ हुनक परिवार के छोड़ी देलनि, जे इस्राएली सभक भाग बनि गेलछलाह। जखन कनान मे रहए वाला अन्यलोक सुनलक जे इस्राएली सभ यरीहो के नष्ट कऽ देलनि, तऽ ओसभ डेरा गेल जे इस्राएली सभ हुनको सभ पर हमला करतनि।
परमेश्वर इस्राएली सभ के आज्ञा देने रहथिन जे कनान मे रहएवला कोनो जातिक संग सन्धि नहि करवाक अछि। मुदा गिबोनी नामक एकटा कनानी जाति यहोशू सँ झुठ बाजिक कहलनि जे ओ कनान सँ दूर एक स्थान के रहनिहार अछि। ओसभ यहोशू सँग हुनका सभसंग शान्ति सम्झौता करए के अनुरोध कयलनि। यहोशू आ अन्य इस्राएली अगुवा परमेश्वर सँ नहि पुछलनि जे कि कएलजाय। बल्की, ओसभ गिबोनी सभसंग शान्ति सम्झौता कऽ लेलनि।
तीन दिन बाद, इस्राएली सभ के अवगत भेल जे गिबोनी लोक कनानमे रहैत छलाह। ओसभ क्रोधित भऽ गेलाह कियाक तऽ गिबोनीसभ हुनकासभ के धोखा देने छलाह। मुदा ओसभ हुनका सभक संग कयल गेल शान्ति सम्झौता कायमे रखलनि कियाक तऽ ओ परमेश्वर के सामने कयल गेल छल। तब किछु समयक बाद, कनान मे रहएवाली एकटा अन्य जाति, एमोरीसभ के राजा सुनलक जे गिबोनीसभ इस्राएली सभक संग शान्ति सम्झौता कऽ लेने अछि, एहिलेल ओसभ अपनअपन सेनासभ के एक एक कए एकटा बढ़का सेना बनौलक आ गिबोन उपर हमला कऽ देलनि। गिबोनीसभ अपना सहायता करवाक लेल यहोशू लग एकटा संदेश पठौलनि।
अतः यहोशू इस्राएली सभक सेना के एकठ्ठा कएलनि आ गिबोनीसभ लग पहुँचबाकलेल पुरे राति चललनि। प्रात भेने भिन्सरे ओसभ एमोरि सभक सेना के चकित कऽ देलनि आ हुनका उपर हमला कऽ देलनि।
ओहि दिन परमेश्वर इस्राएली सभक लेल लड़लनि। ओ एमोरिसभ के घबरा देलनि आ ओ आकाश सँऽ बढ़का बढ़का पात्थरक बरसा कए बहुतेक एमोरिसभ के मारि देलनि।
परमेश्वर सूरुज के आकाश मे एक्के स्थान पर सेहो अटका देलनि जाहिसँ इस्राएली सभ के पर्याप्त समय मिल जाय जे एमोरीसभ के नीक जँका पराजित कदए। ओहि दिन, परमेश्वर इस्राएली सभक लेल एकटा बढ़का विजय प्राप्त कएलनि।
जखन परमेश्वर ओहि सेना सभ के पराजित कयला के बाद, बहुत कनानी जातिक लोकसभ इस्राएल पर हमला करवाकलेल एकठ्ठा भेल। यहोशू आ इस्राएली सभ हमला कऽकऽ हुनका सभ के सर्वनाश कऽ देलनि।
ई युद्धसभक वाद, परमेश्वर इस्राएल के प्रत्येक गोत्र के प्रतिज्ञाक ओहि देश मे हुनकासभ के अंश लगा देलनि। तब परमेश्वर इस्राएल के ओकर सभ सीमा पर शान्ति प्रदान कएलनि।
जखन यहोशू बृद्ध भऽगेला तऽ ओ इस्राएल के सभ लोक के एकसाथ बजौलनि। तब यहोशू ओहि लोकके स्मरण करौलनि जे ओ सभ ओहि वाचा के पालन करवाक प्रतिज्ञा कयने छल जे परमेश्वर हुनका सभक संग सीनै पर्वत पर बन्हने रहथिन। ओसभ परमेश्वर के प्रति विश्वासयोग्य रहब आ हुनक व्यवस्थासभक पालन करबाक वचन देलनि।
यहोशू अध्याय १–२४ सँऽ बाइबलक एकटा कथा
खुले लाइसेंस (CC BY-SA 4.0) के अंतर्गत उपयोग करने, बदलने और साझा करने के लिए निःशुल्क।