16. १६. छोड़ाबयवला
यहोशू मरि गेलाक बाद इस्राएलीसभ परमेश्वर के अवज्ञा कयलनि। ओसभ परमेश्वर के नियमसभ के पालन नहि कयलनि, आ ओसभ ओहि वाचाके देशमे शेष रहल कनानीसभ केँ बाहर नहि निकालक। इस्राएलीसभ अपन सत्य परमेश्वर, यहोवा के छोडि़कऽ कनानीसभक देवतासब के उपासना करनाइ शुरु कऽ देलनि। इस्राएलीसभ के कोनो राजा नहि छलाह, एहिलेल जेकरा जे मन लागए ओ सेहे कयलनि।
परमेश्वरक आज्ञा नहि मानि इस्राएलीसभ एकटा पद्धती शुरु कऽ देलनि जे बहुत बेर दोहराएल गेल। ई पद्धती एना चलल ः किछु बर्ष धरि इस्राएलीसभ परमेश्वरक आज्ञा नहि मानितए, तऽ ओ ओकरासभ के शत्रुद्वारा पराजित करवा कऽ दण्डित करितए। ई शत्रुसभ इस्राएलीसभ के समानसभ लुटि लितैए, ओकरासभ के धनमाल नष्ट कऽ दितैए, आ किछु गोटे के मारियो दितैए। फेर जँऽ इस्राएली सभक शत्रु हुनकासभ उपर कतेकौ बर्ष धरि अत्याचार करितए, ओकराबाद इस्राएलीसभ अपन पापसभ पश्चाताप करितए आ ओकरासभ के बचाबएलेल परमेश्वर सँ प्रार्थना करितए।
हरेक बेर जखन इस्राएलीसभ पश्चाताप करितए तऽ परमेश्वर ओकरासभ के बचैबतए। ओ एकटा छोड़ाबयवलाक द्वारा एना करितए — एगो एहन जन जे ओकरासभ के शत्रुक संग लडि़तए आ ओकरा पराजित करितए। तब देश मे शान्ति होइतए आ ओ छोड़ाबयबला ओकरासभ पर नीक सँ शासन करितए। परमेश्वर ओकरासभ के बचाबएलेल बहुतेक छोड़ाबयबला के पठौलनि। परमेश्वरक लगपासे के एकटा शत्रु जाति, मिद्यानिसभकद्वारा इस्राएलिसभके पराजित कराकए फेर सँऽ एना कयलनि।
मिद्यानिसभ सात बर्ष धरि इस्राएलीसभ के फसल लुटलनि। इस्राएली लोकसभ बहुत डेरागेल छल, आ ओसभ गुफासभ मे नुकागेल जाहिसँ मिद्यानिसभ हुनकासभ के नहि खोजि पाबए। आखिरकार, हुनकासभ के बचाएवाकलेल ओसभ परमेश्वर के पुकारलनि।
गिदोन नामक एकटा इस्राएली पुरुष छल। एकदिन ओ एक गुप्त स्थान मे गेँहू दौनी करैत छल जाहिसँ मिद्यानि सभ ओ नहि चोराबए पाबए। यहोवा के स्वर्गदूत गिदोनक लग मे आबि हुनका कहलनि, “हे शूर वीर, परमेश्वर अहाँक संग छथिन्ह। जाह आ इस्राएली सभके मिद्यानिसभ सँ बचाबहऽ।”
गिदोनक बाबु लग मूर्ति के लेल एकटा बेदी छल। सभ सँ पहिल बात परमेश्वर गिदोन के करवाकलेल कहलखिन्ह जे ओकरा ओहि बेदी के तोड़वाक छल। मुदा गिदोन लोकसभ सँ डेराइत छल, एहिलेल ओ राति होएवाक प्रतिक्षा कयलनि। तब ओ ओहि बेदी के तोडि़ कऽ झहुरा–झहुरा कएदेलनि। ओ परमेश्वर के लेल एकटा नभका बेदी बनौलनि आ ओहि पर परमेश्वरक लेल बलि चढौलनि।
प्रात भेने लोकसभ देखलनि जे केओ ओहि बेदी के तोडि़ कऽ झहुरा झहुरा कऽ देने अछि, एहिलेल ओसभ बहुत क्रोधित भेलाह। ओसभ गिदोन के मारि देबएलेल ओकर घर पर गेल, मुदा गिदोनक बाबु कहलनि, “तोँ सभ कथिला अपन देवता के सहायता करवाक प्रयास करैत छह? यदि ओ देवता अछि तऽ हुनक अपन सुरक्षा हुनका अपने करए दह! कियाक तऽ ओ एना कहलनि एहिलेल लोकसभ गिदोन के नहि मारलनि।
तब इस्राएलिसभ के लुटबाक लेल मिद्यानि लोकसभ फेर सँ आएल। ओ सभ एतेक रहए जे ओकरा सभ के गिनती सेहो नहि कयल जासकैत छल। गिदोन ओकरासभ संग लड़ऽलेल सभ इस्राएली के बजौलनि। गिदोन परमेश्वर सँ दुटा चिन्ह माँग कएलनि जाहिसँ हुनका विश्वास भऽजाए जे परमेश्वर इस्राएल के बचएबाकलेल साँच्चे हुनका कहि रहल छथिन्ह।
पहिल चिन्हक लेल, गिदोन भेँडाक ऊन के जमिन पर राखि परमेश्वर के कहलनि जे भोरक ओस मात्रे ओहि भेँड़ाक ऊन पर पड़ैए आ जमिन पर नहि। परमेश्वर एहिना कएदेलखिन्ह। दोसर राति, ओ परमेश्वर के कहलनि जे जमिन भिज जाए आ ऊन सुख्खल रहए। परमेश्वर एहनो कदेलखिन्ह। एहि दुटा चिन्हक कारण, गिदोन विश्वास कयलक जे परमेश्वर साँच्चे चाहैत छथिन्ह जे ओ इस्राएलिसभ के मिद्यानि सभ सँ बचाबए।
तब गिदोन सैनिकसभ के अपना लग बजौलनि आ ३२००० पुरुष आएलाह। मुदा परमेश्वर कहलखिन्ह जे ई बहुत अछि। अतः गिदोन २२००० के वापस पठा देलक जे लड़ाइ सँ डेराइत छलाह। परमेश्वर गिदोन के कहलखिन्ह जे एखनो ई पुरुष बहुत अछि। एहिलेल गिदोन ३०० सैनिक छोडि़ बाँकी सभ के घर घुरादेलनि।
ओहि राति परमेश्वर गिदोन के कहलनि, “मिद्यानी के छावनी मे जाकए ओकरासभ के बात करैत सुनह। जखन तोँ सुनबह जे ओसभ कोन बात कऽ रहल अछि तऽ तोँ ओकरा उपर हमला करए सँ नहि डेराएबह।” एहिलेल ओहि राति, गिदोन नीचा ओकरासभक छावनी के पास गेल आ ओ एकटा मिद्यानी सैनिक के अपना मित्र के कहएत सुनलक जे ओ अपन सपना मे देखने रहए। ओहि पुरुषक मित्र कहलनि, “एहि सपनाक अर्थ ई अछि जे गिदोनक सेना अपन मिद्यानी सेना के पराजित कएदेत!” जखन गिदोन ई सुनलक तऽ ओ परमेश्वर के स्तुती कएलनि।
तब गिदोन अपना सैनिक लग वापस घुरल आ हुनकासभ मे सँ प्रत्येक के एक–एकटा नरसिंगहा, एकटा माटिक तौला आ एकटा मसाल देलनि। ओसभ ओहि छावनी के घेर लेलनि जतय मिद्यानि सैनिक सुति रहल छल। गिदोन के ३०० सैनिक अपना मसाल के माटिक तौला सँ छाँपने छल, एहिलेल मिद्यानिसभ ओहि मसालक प्रकाश के नहि देखऽ पाओल छल।
तब गिदोनक सैनिकसभ अचानक एक्कहिबेर माटिक तौला के फोडि़कऽ मसालक आगिके प्रकट कयलनि। ओसभ अपन नरसिंगहा फुकलनि आ चिचिआएल, “यहोवा आ गिदोनक तलबार!”
परमेश्वर मिद्यानि सभ के घबरा देलखिन, एहिलेल ओसभ एक दोसर के मारए काटए लागल। तुरन्ते, गिदोन समधियाकसभके बहुतो अन्य इस्राएलीसभके मिद्यानि सभके रेबारऽलेल सहयोग करबाक लेल बजावएलेल पठौलनि। ओसभ ओहि मे सँ बहुतेक के तऽ मारि देलनि आ आओर बाँकी के रेबारैत–रेबारैत इस्राएल देश सँ बाहर निकालि देलनि। ओहि दिन १,२०,००० मिद्यानी मारल गेलाह। एहि तरहें परमेश्वर इस्राएल के बाचा लेलनि।
ओ सभ गिदोन के अपन राजा बनाबए चाहैत छलाह, मुदा गिदोन हुनकासभ के एना नहि करए देलनि, मुदा ओ हुनकासँ सोना के आभुषण सभ माँग कयलनि जे ओसभ मिद्यानी सभ सँ लुटने रहए। ओसभ बहुत मात्रा मे गिदोन के सोन देलनि।
तब गिदोन ओहि सोन सँ एकटा बिशेष वस्त्र बनौलनि जेना महापुजारी लोकनि पहिरैत छलाह। मुदा लोकसभ ओहि के उपासना करए शुरु कए देलनि जेना कि ओ कोनो मूर्ति रहए। तब परमेश्वर इस्राएल के दंडित कएलनि कियाक तऽ ओ सभ मूर्ति के उपासना कएलनि। परमेश्वर ओकरासभक शत्रुके एकरा सभ के पराजित करए मे सक्षम बनौलनि। आखिरकार ओसभ फेर सँ परमेश्वर के सहायता करवाकलेल प्रार्थना कयलनि, आ परमेश्वर हुनका सभलग एगो दोसर छोड़ाबएबला के पठादेलनि।
ईहे बात कएऽ बेर घटित भेल ः इस्राएलीसभ पाप करितए आ परमेश्वर ओकरा सभ के दंडित करितए, ओसभ पश्चाताप करितए आ परमेश्वर ओकरा सभ के छोड़ाबयलेल केकरो पठौतनि। कतेको बर्ष धरि, परमेश्वर बहुतेक छोड़ाबयबला के पठौलनि जे इस्राएलीसभ के हुनक शत्रु सभ सँ बचौलनि।
अन्ततः, ओसभ अन्य देशसभ जँका अपनालेल परमेश्वर सँ राजा के माँग कयलनि। ओ सभ एकटा एहन राजा चाहैत छलाह जे लम्बा आ शक्तिशाली होए, आ जे युद्ध मे हुनका सभ के अगुवाइ कऽ सकए। परमेश्वर के ई निवेदन नहि नीक लागल, मुदा ओ ओकरासभ के ओहने राजा देलखिन्ह जेहन ओ सभ माँग कयने छलाह।
न्यायियों अध्याय १–३; ६–८; १ शमूएल १–१० सँऽ बाइबलक एकटा कथा
खुले लाइसेंस (CC BY-SA 4.0) के अंतर्गत उपयोग करने, बदलने और साझा करने के लिए निःशुल्क।