17. १७. दाऊद संग परमेश्वरक वाचा
शाऊल इस्राएलक पहिल राजा छलाह। ओ नमगर पोरगर आ सुन्दर छलाह, जेहन लोकसभ चाहैत छलाह ओहने। इस्राएल पर अपन शासन काल के आरम्भ मे किछु दिन नीक राजा छलाह। मुदा बाद मे ओ दुष्ट व्यक्ति बनि गेल जे परमेश्वरक बातसभ नहि मानलनि, एहिलेल परमेश्वर एकटा दोसर व्यक्ति के चुनलखिन्ह जे एक दिन हुनक स्थान पर अवितथि।
परमेश्वर दाऊद नामक एकटा जवान इस्राएली पुरुष के चुनि कऽ एक दिन शाऊल के स्थान पर राजा होएबाकलेल तयार करब आरम्भ कएलनि। दाऊद बेतलहेम नगर के एकटा चरवाहा छलाह। कएक बेर, दाऊद सिंह आ भालू दुनू के मारिदेने छलाह कियाक तऽ दाऊद के रखवाली करैत समय हुनक बाबु के भेँड़ासभ पर हमला कऽ देने छल। दाऊद एकटा नम्र आ धर्मी व्यक्ति छलाह। ओ परमेश्वर पर भरोसा कयलनि आ हुनक बात सभ मानलनि।
जखन एखनो दाऊद जवान पुरुष छलाह, ओ नमगर पोरगर गोलियत के विरुद्ध लड़ाइ कयलनि। गोलियत एकटा नीक सैनिक छलाह। ओ बहुत मजबूत आ तीन मीटर लम्बा छलाह। मुदा परमेश्वर गोलियत के मारए आ इस्राएल के बचाबए मे दाऊद के परमेश्वर सहायता कयलखिन्ह। एकरबाद, दाऊद इस्राएल के शत्रुसभ पर कए बेर विजय प्राप्त कयलनि। दाऊद एकटा बढ़का सैनिक बनि गेलाह, आ ओ बहुतेक युद्धसभ मे इस्राएली सेना के अगुवाइ कयलनि। लोकसभ हुनका बहुत प्रशंसा कयलनि।
लोकसभ दाऊद सँ एतेक स्नेह कयलनि जे शाऊल हुनका सँ इष्र्या करए लागलनि। अन्ततः शाऊल हुनका मारि देबए चाहैत छलाह, अहिलेल दाऊद हुनका आ हुनक सैनिक सँ नुकाए के लेल जंगल मे भागि गेलाह। एक दिन, जखन शाऊल आ हुनक सैनिक दाऊदक खोज मे छलाह तऽ शाऊल एकटा गुफा मे गेलाह। ओ ओहे गुफा छल जाहि मे दाऊद नुकाएल छलाह, मुदा शाऊल हुनका नहि देखलनि। दाऊद शाऊल के बहुत लग मे जाकए ओकर वस्त्र के एकटा कोन्ह काटि लेलनि। बाद मे जखन शाऊल ओहि गुफा सँ निकलनि तऽ दाऊद हुनका सोर पाडि़क ओहि वस्त्र के टुक्रा के देखौलनि। एहि तरहें शाऊल जानि गेलाह जे दाऊद राजा बनबाकलेल हुनका मारए सँऽ अस्वीकार कऽ देने रहथि।
किछु समयबाद, शाऊल युद्ध मे मारल गेल, आ दाऊद इस्राएल के राजा बनि गेलाह। ओ एकटा नीक राजा छलाह, आ लोकसभ हुनका सँ प्रेम कयलनि। परमेश्वर दाऊद के आशीषित कयलखिन्ह आ हुनका सफल बनौलखिन्ह। दाऊद कएटा युद्ध लड़लनि, आ परमेश्वर इस्राएल के शत्रुसभ के पराजित करए मे दाऊद के सहायता कयलखिन्ह। दाऊद यरुशलेम नगर जीत कऽ ओहि के अपन राजधानी बनालेलनि, जतय ओ रहलाह आ शासन कयलनि। दाऊद चालिस बरिस धरि राजा भेलाह। ताहि समय मे, इस्राएल सामर्थी आ धनीक बनिगेल।
दाऊद एकटा मन्दिर बनाबए चाहैत छलाह जतय सारा इस्राएलीसभ परमेश्वर के आराधना कऽ सकैए आ हुनकालेल बलिदान चढ़ाबए सकैए। लगभग ४०० बर्ष सँ, ओ सभ मूसा द्वारा बनाओल गेल मिलापबला तम्बूएमे परमेश्वर के आराधना करैत छलाह आ हुनकालेल बलिदान चढ़ाबैत छलाह।
मुदा ओहि ठाम नातान नामक एकटा भविष्यवक्ता छलाह। परमेश्वर हुनका दाऊद के ई कहवाकलेल पठौलनि, “तोँ बहुतेक युद्ध लड़ने छेह, एहिलेल तोँ हमरालेल एहि मन्दिर नहि बनएबए। तोहर पुत्र एहि के बनएतऔ। तैयो, हम तोरा बहुआयत मे आशीष देबऔ। तोहर एकटा वंशज सभदिनक लेल हमर लोकसभ उपर शासन करतै।” सदाके लेल शासन करएवला ओ दाऊदक वंशज मसीह छलखिन्ह। मसीह परमेश्वरक चुनल जन छलाह जे संसारके लोकसभ केँ हुनक सभक पापसभ सँऽ बचएतैह।
जखन दाऊद नातानक संदेश सुनलनि तऽ ओ परमेश्वर के धन्यवाद देलनि आ हुनक स्तुति कयलनि। परमेश्वर हुनक प्रतिष्ठा के उचँँ करए छलखिन्ह आ हुनका बहुतेक आशीष दैत छलखिन्ह। अच्छा, दाऊद नहि जनैत छलाह जे परमेश्वर ई बातसभ कहिया करथिन्ह। अखन हमसभ जनैत छि जे इस्राएलिसभ के बहुत लम्बा समय धरि, लगभग १००० बर्ष धरि मसीह के आबए के प्रतिक्षा करए परतैक।
दाऊद कतेको बर्ष धरि न्यायपूर्वक अपना लोकसभ उपर शासन कयलनि। ओ बहुत निष्ठा सँ परमेश्वर के बातसभ मानलनि आ परमेश्वर हुनका आशीषित कयलखिन्ह। हालाकि, अपना जीवन के अन्त मे ओ परमेश्वर के बिरुद्ध बहुत बढ़का पाप कयलनि।
एक दिन दाऊद अपना महल सँ बाहर देखलनि जे एकटा सुन्दर स्त्री नहारहल छलीह। ओ हुनका नहि जनएत छलाह, मुदा ओ जानकारी लेलनि जे हुनक नाम बतशेबा छल।
अपन दृष्टि मोडि़ लेबाक बदला, दाऊद अपना लग बजएवाकलेल किनको हुनका लऽ पठौलनि। ओ हुनका संग सुतल आ हुनका वापस घर पठादेलनि। कुछ समय वाद बतशेबा ई कहिकए दाऊद लग संदेश पठौलनि जे ओ गर्भवती भगेलीह।
बतशेबा के पति ऊरियाह नामक एकटा व्यक्ति छलाह। ओ दाऊद के उत्तम सैनिक मे सँ एक छलाह। एहि समय ओ युद्धक लेल मोर्चा पर छलाह। दाऊद ऊरियाह के वापस बजाकए हुनका अपन पत्नी के संग रहवाकलेल कहलनि। अन्य सैनिक युद्ध मे छल एहिलेल ऊरियाह घर जाए सँ मना कदेलनि। अतः दाऊद ऊरियाह के वापस युद्ध मे पठादेलनि आ सेनापति के हुनका युद्धक एहन स्थान मे राखिदेबलेल कहलखिन जतय शत्रु शक्तिशाली होए ताकि ओ मारल जाए। तऽ एहने भेल जे युद्ध मे ऊरियाह मारल गेल।
ऊरियाह युद्ध मे मारल गेला के बाद दाऊद बतशेबा संग वियाह कलेलनि। तेकरा बाद, ओ दाऊद के पुत्र के जन्म देलीह। दाऊद जे कएने रहएनि ओहि सँ परमेश्वर बहुत क्रोधित छलखिन्ह, एहिलेल ओ नातान भविष्यवक्ता के दाऊद के ई कहवाकलेल पठौलखिन्ह जे हुनक पाप कतेक खराब छल। दाऊद अपन पाप के पश्चाताप कएलक आ परमेश्वर हुनका क्षमा कऽदेलखिन्ह। हुनक जीवन के शेष मे, अपन कठिन समय मे सेहो दाऊद परमेश्वर के पछा चलल आ हुनक बातसभ मानलक।
मुदा दाऊद के बच्चा मरिगेल। एहि तरहें परमेश्वर दाऊद के दंडित कयलखिन्ह। एहि के आलावा, दाऊद मरए धरि, ओ अपने परिवार के किछु लोक ओकरा बिरुद्ध लड़ाइ कयलनि, आ दाऊद के अपन शक्ति कम भऽगेल छलनि। मुदा परमेश्वर विश्वासयोग्य छलखिन्ह आ एखनो ओ ओहे कएलखिन्ह जे ओ दाऊद सँ करवाक वादा कयने रहथिन्ह जे ओ पुरा करथिन्ह, भले दाऊद हुनक आज्ञा अवज्ञा कयने छलाह। बाद मे, दाऊद आ बतशेबा के दोसर संतान उत्पन्न भेल, आ ओसभ ओकर नाम सुलेमान रखलनि।
१ शमूएल अध्याय १०:१५–१९; २४; ३१; २ शमूएल ५; ७; ११–१२ सँऽ बाइबलक एकटा कथा
खुले लाइसेंस (CC BY-SA 4.0) के अंतर्गत उपयोग करने, बदलने और साझा करने के लिए निःशुल्क।