18. १८. विभाजित राज्य

18. १८. विभाजित राज्य — चित्र 1

दाऊद राजा चालिस बरिस धरि शासन कयलनि। तब ओ मरि गेलाह, आ हुनक पुत्र सुलेमान इस्राएल उपर शासन करब शुरु कयलनि। परमेश्वर सुलेमान संग बात कऽ हुनका सँ पुछलखिन्ह जे ओ सभ सँ बेसी कि चाहैत छैक कि परमेश्वर हुनकालेल कदएक। सुलेमान परमेश्वर सँ माँगलनि जे ओ हुनका बहुत बुद्धिमान बनादैक। ई बात परमेश्वर के प्रसन्न कएलक, एहिलेल परमेश्वर संसार के सभ सँ बुद्धिमान व्यक्ति बनादेलखिन्ह। सुलेमान बहुत बातसभ सिखलनि आ ओ एकटा बहुत बुद्धिमान शासक छलाह। परमेश्वर हुनका बहुत धनवान सेहो बना देलखिन्ह।

18. १८. विभाजित राज्य — चित्र 2

यरुशलेम मे सुलेमान ओहि मन्दिर के बनौलनि जेकर योजना हुनक पिता बनएने छलाह आ समान एकठ्ठा कएने छलाह। आब लोकसभ मिलाप के तम्बू के बजाए मन्दिर मे परमेश्वर के आराधना करैत छलाह आ हुनकालेल बलि चढ़बैत छलाह। परमेश्वर ओहि मन्दिर मे आबि उपस्थित रहल करैत छलखिन्ह आ ओतय ओ अपन लोकसभ के संग वास करैत छलखिन्ह।

18. १८. विभाजित राज्य — चित्र 3

मुदा सुलेमान दोसर देशक स्त्री सभ सँ प्रेम कयलनि। ओ बहुतेक, लगभग १००० स्त्री सँ वियाह कऽ परमेश्वर के अवज्ञा कयलनि। ओहि मे सँ बहुत स्त्री दोसर देशसभ सँ आएल रहैक आ अपना संग अपन देवतासभ सेहो लयलीह आ ओकर उपासना कएनाइ जारी रखलनि। जखन सुलेमान बुढ़ भऽगेलाह तऽ ओहो ओहि देवता सभ के उपासना कयलनि।

18. १८. विभाजित राज्य — चित्र 4

एहि कारण परमेश्वर सुलेमान सँ क्रोधित छलखिन्ह। ओ कहलखिन्ह जे ओ इस्राएल देश के दु राज्य मे विभाजीत कऽकऽ हुनका दण्डित करतनि। ओ सुलेमानक मृत्यु पश्चात एना करथिन।

18. १८. विभाजित राज्य — चित्र 5

सुलेमानक मृत्यु वाद, रहबाम राजा बनलाह। इस्राएल के सभ लोक हुनका राजाके रुप मे स्वीकार करवाकलेल एक साथ एकठ्ठा भेल। ओसभ रहबाम सँ सिकायात कएलनि जे सुलेमान ओकरासभ संग बहुत कठिन परिश्रम करएने छलाह आ बहुत कर असुल कएने छलाह। ओसभ रहबाम सँ अनुरोध कएलनि जे हुनकासभ सँ कम काम कराओल जाए।

18. १८. विभाजित राज्य — चित्र 6

मुदा रहबाम हुनकासभ के बहुत मूर्खता संग जबाफ देलनि, “तोँ सभ कहै छेह जे हमर बाबु सुलेमान तोरासभ सँ कठिन परिश्रम करबौलनि। मुदा हम तोरासभ सँ ओकरो सँ बेसी कठिन परिश्रम करबएबऔ, आ हम तोरासभ के हुनका सँ बेसी पीडित करबऔ।

18. १८. विभाजित राज्य — चित्र 7

जखन लोकसभ हुनका एना कहैत सुनलनि तऽ हुनकासभ मे सँ बहुतेक हुनका विरुद्ध बिद्रोह कयलनि। दश गोत्र हुनक साथ छोडि़देलनि; हुनका संग मात्र दुइएटा गोत्र रहिगेल। ई दुनु गोत्र अपने आप के यहुदा राज्य कहलनि।

18. १८. विभाजित राज्य — चित्र 8

बाँकी दश गोत्रसभ यरोबाम नामक एकटा मनुष्य के अपन राजा बनौलनि। ई गोत्र देशक उत्तर–पूर्वी भाग मे छल। ओ सभ स्वयं के इस्राएल राज्य कहलनि।

18. १८. विभाजित राज्य — चित्र 9

मुदा यरोबाम परमेश्वरक बिरुद्ध बिद्रोह कयलनि आ लोकसभ सँ पाप करबएलनि। ओ अपन लोकसभ के उपासना करवाकलेल दुटा मूर्तिसभ बनौलनि। ओ आब यहुदा मे रहल परमेश्वर के मन्दिर मे आराधना करए नहि गेल।

18. १८. विभाजित राज्य — चित्र 10

यहुदा आ इस्राएल के राज्य दुनु एक–आपस मे शत्रु बनि गेल आ प्रायः एक दोसर संग लड़ए लागल।

18. १८. विभाजित राज्य — चित्र 11

इस्राएल के नभका राज्य मे सभहे दुष्टे राजा छलाह। ओहि मे सँ कतेक तऽ हुनका स्थान पर राजा बनए के चाहना हेतु अन्य इस्राएली सभ द्वारा मारल गेल छलाह।

18. १८. विभाजित राज्य — चित्र 12

इस्राएल राज्य के सभ राजासभ आ अधिकतर लोकसभ सेहो मूर्तिसभ के उपासना कएलनि जखन ओसभ एना कएलनि, तऽ ओ सभ प्रायः वेश्यासभक संग सुतलनि आ एत धरि जे कएक बेर अपन बालबच्चा के मूर्तिसभ के लेल बलि सेहो चढ़ौलनि।

18. १८. विभाजित राज्य — चित्र 13

यहुदा राज्य के राजा, दाऊदक वंशक छलाह। एहि राजासभ मे सँ कोनो कोनो नीक व्यक्ति रहैए जे न्यायपूर्वक शासन कयलनि आ परमेश्वर के आराधना कयलनि। मुदा यहुदा के अधिकांश राजा दुष्ट छलाह। ओसभ दुष्टता सँ शासन कएलनि, आ मूर्तिसभक उपासना कएलनि। एत धरि जे एहि मे सँ किछु राजासभ तऽ झुठा देवतासभक आगु अपन बच्चा सभ के सेहो बलि चढ़ौलनि। यहुदा के बेसी लोकसभ सेहो परमेश्वरक विरुद्ध बिद्रोह कएलनि आ अन्य देवतासभ के उपासना कएलनि।

१ राजा अध्याय १–६; ११–१२ सँ बाइबलक एकटा कथा

रीडर में पढ़ें

खुले लाइसेंस (CC BY-SA 4.0) के अंतर्गत उपयोग करने, बदलने और साझा करने के लिए निःशुल्क।