19. १९. भविष्यवक्ता
परमेश्वर सभदिन इस्राएलीसभ लऽ भविष्यक्ता सभके पठबैत छलखिन्ह। भविष्यक्ता परमेश्वर सँ संदेश सुनि कऽ आ फेर ओहि के ओ लोकसभ के सुनबैत छलाह।
जखन आहाब इस्राएल राज्य के राजा छलाह तऽ ओहि समय एलिया भविष्यक्ता छलाह। आहाब एकटा दुष्ट व्यक्ति छलाह। ओ झुठा बाल देवता के उपासना करवाकलेल लोकसभ के विवश कएलनि। एहिलेल एलिया आहाब के कहलनि जे परमेश्वर हुनका सभके दण्डित कएनिहार छथि। ओ हुनका कहलनि, “जाधरि हम फेर बरखा होएबाकलेल नहि कहब ताधरि इस्राएल मे बरखा नहि होएत आ ओस सेहो नहि गिरत।” ई बात आहाब के एतेक क्रोधित कऽ देलक जे ओ एलिया के मारि देबए के निर्णय कएलनि।
एहिलेल परमेश्वर एलिया के कहलखिन्ह जे ओ आहाब सँ नुका जएबाक लेल जंगल मे चलिजाए। एलिया जंगल मे ओहि सोता लग चलिगेल जतय जएबाक लेल परमेश्वर कहने रहथिन्ह। सभ दिन भोर आ साझ मे एलियाक लेल एकटा पक्षी रोटी आ माउस लऽकए अबैत छल। एहि समय, आहाब एलिया के खोजैत छल, मुदा ओ हुनका खोजि नहि सकलनि।
बरखा नहि भेला के कारण ओ सोता किछु समयक बाद सुखिगेल। एहिलेल एलिया नजदिक के एकटा गाम मे चलि गेलाह। ओहि देश मे एकटा गरीब विधवा छलीह जेकरा एकटा बेटा रहएक। हुनकासभ लग भोजन समाप्त भऽगेल छल किएक तऽ ओतऽ कोनो फसल उब्जनी नहि भेलछल। मुदा तइयो, ओ स्त्री एलिया के देखभाल कएलिह, एहिलेल परमेश्वर हुनका आ ओकर बेटा के आवश्यक्ता सभ पुर्ति कयलखिन्ह, एहि कारण चिक्सा के बर्तन आ ओकर तेलक डिब्बा कहियो खाली नहि भेल। ओहि अनिकालक पुरे समय हुनका लऽ भोजन छल। एलिया किछु बरिस धरि ओत रहल।
साढ़े तीन बरिसक बाद, परमेश्वर एलिया के कहलखिन्ह जे फेर सँ ओ बर्षा करौथिन्ह। ओ फेर सँ इस्राएल मे जाकए आहाब संग बात करयलेल कहलखिन्ह। एहिलेल एलिया आहाब लऽ गेल। जखन आहाब एलिया के देखलनि तऽ ओ कहलनि, “अच्छा तोँही छेह, समस्या उत्पन्न करएबाला!” एलिया जवाफ देलनि, “समस्या उत्पन्न करएबला अहिँ छी! अहाँ यहोवा के त्यागी देने छियै। वहे सत्य परमेश्वर छथिन्ह, मुदा अहाँ बाल के उपासना करैछी। आब अहाँके इस्राएल राज्य के सभलोक के कर्मेल पर्वत पर लकए आएवाक अछि।”
अतः सभलोक कर्मेल पर्वत पर गेल। ओ पुरुष सभ सेहो आएल छल जे कहैत छल जे हम बाल के संदेश कहैछी। ओ सभ ४५० गोटे छलाह। एलिया लोकसभ के कहलनि, “कहिया तक तोँ सभ अपन मन मोडि़क रहबए? यदि यहोवा सत्य परमेश्वर छथिन्ह तऽ हुनके आराधना करह! यदि बाल परमेश्वर अछि तऽ हुनके उपासना करह!”
तब एलिया बाल देवता के सभ भविष्यक्ता के कहलनि, “एकटा बैल के बलि कऽ ओकर माउस बलिदानक लेल वेदी पर राखह, मुदा आगि नहि लगाबए। ओकरबाद हमहुँ ओहने करब, आ एगो दोसर वेदी पर ओहि माउस के राखि देब। तब यदि परमेश्वर वेदी पर आगि बर्षा करैत छथि तऽ तोँ सभ जानिलेबह जे ओ सत्य परमेश्वर अछि।” तब बालक भविष्यक्ता सभ एकटा बलि तैयार कएलनि मुदा आगि नहि लगएलक।
तब बाल के सभ भविष्यक्ता बाल सँ प्रार्थना कएलनि जे, “हे बाल, हमरासभ के सुनह! दिन भरि ओसभ हुनका प्रार्थना कएलनि आ चिचिआएल आ एत धरि जे स्वयं के चक्कू सँ काटि लेलक, मुदा बाल जबाब नहि देलनि, आ ओ कनिको आगि नहि खसयलक।
बाल के भविष्यक्तासभ बाल सँ प्रार्थना करए मे पुरे दिन बितादेलक। अन्ततः ओसभ प्रार्थना केनाइ छोडि़देलक। तब एलिया दोसर बैलक माउस के परमेश्वर के वेदी पर राखि देलक। ओकरबाद, ओ लोकसभके बढ़का बर्तनसभ मे पानि भरिकए ओहि बलिदान उपर उझैलि देबएलेल कहलक जे जाधरि माउस, जलाबैन आ एतेकधरि जे वेदी के अगल–बगल के भूमि नीक जँका भीज नहि जाए।
तब एलिया प्रार्थना कएलनि, “हे यहोवा, अब्राहम, इसहाक, आ याकूब के परमेश्वर, हमरासभ के देखा दिअ जे अहाँ इस्राएल के परमेश्वर छी आ ई हो कि हम अहाँक दास छी। हमरा जबाब दिअ जाहिस कि लोकसभ जानि लए जे अहीँ सच्चा परमेश्वर छी।”
तुरन्ते, आकाश सँ आगि खसल आ ओहि माउस, जलाबैन, चट्टान, माटि आ एतेकधरि जे वेदीक अगल–बगल के पानि के सेहो जरा देलक। जखन लोकसभ ई देखलनि, ओसभ भूमि पर खसिकऽ कहलनि, “यहोवा ए परमेश्वर छथि! यहोवा ए परमेश्वर छथिन्ह!
तब एलिया कहलनि, “बाल के एकोटा भविष्यवक्ता बाँचिकऽ नहि जाए पाबए!” एहिलेल लोकसभ बाल के भविष्यक्तासभ के पकडि़लेलक आ हुनका सभ के ओहिठाम सँ अलग लजा कऽ मारि देलक।
तब एलिया आहाब राजा के कहलनि, “जल्दी अपन घर भागि जाऊ, कियाक तऽ बरखा होबएबला अछि।” चट्ट सँ बड़ जोर मेंघ लागि गेल आ बरखा होबए लागल। यहोवा ओहि रौदी के अन्त कऽ रहल छलखिन्ह। एहि सँ प्रकट भेल जे यहोवा ए सच्चा परमेश्वर छथिन्ह।
जखन एलिया अपन काम समाप्त करिलेलनि, तऽ परमेश्वर एकटा एलिशा नामक व्यक्ति के अपन भविष्यक्ता होएबाकलेल चुनलखिन्ह। परमेश्वर एलिशा द्वारा बहुतेक चमत्कार सभ कयलखिन्ह। एकटा चमत्कार नमान के संग भेल। ओ शत्रु सेना के सेनापति छल, मुदा हुनका छालापर एक किसिम के खराब रोग भगेल छल नमान एलिशा के विषय मे सुनने छल, एहिलेल ओ एलिशा लग आएल आ हुनका ठिक करबाकलेल अनुरोध कएलनि। एलिशा नमान के कहलनि जे यरदन नदी मे जाकए पानि मे सात डुबुकी लगालाह।
नमान क्रोधित भगेल। ओ एना करए सँ मना कलेदक, कियाक तऽ ई बात हुनका मुर्खतावाला काम लगैत छल। मुदा बाद मे ओ अपन मन बदलि लेलक आ जाकए यरदन नदी के पानि मे सात डुबुकी लगालेलक। अन्तिम बेर जखन ओ पानि सँ बाहर निकलल तऽ परमेश्वर हुनका ठीक कदेलखिन्ह।
परमेश्वर इस्राएलीसभ लग अन्य बहुतेक भविष्यवक्तासभ के पठौलनि। हुनका सभ के मूर्तिसभ के उपासना बन्द करबाकलेल कहलनि। बल्की, एकदोसरक संग न्यायपूर्वक व्यवहार करए आ एकदोसर पर दया करबाक चाहि। ओ भविष्यवक्तासभ लोकसभ के चेतएलक जे अपन दुष्ट काम सभ बन्द कऽ परमेश्वर के बातसभ पालन करबाक अछि। यदि लोकसभ एना नहि कएलनि तऽ परमेश्वर हुनका सभ के दोषी मानि न्याय करथिन्ह आ हुनका सभ के दण्डित करथिन्ह।
अधिकाँश समय, ओ लोकसभ परमेश्वर के आज्ञा पालन नहि कएलक। अक्सर ओसभ भविष्यवक्तासभक संग बहुत खराब व्यवहार कएलक आ एतधरि जे कहिओ–कहिओ हुनकासभ के मारियो देलनि। एक बेर, ओ सभ यर्मिया भविष्यवक्ता के सुख्खल इनार मे धऽ देलक आ हुनका मरबाकलेल ओसभ छोडि़ देलक। ओ इनार के थाल मे धँसि गेल। मुदा तब राजा के हुनका पर दया आएलनि आ ओ अपन सैनिक के आदेश देलकनि जे यर्मिया के मरए सँ पहिने हुनका इनार सँ बाहर निकालि दओ।
भविष्यवक्तासभ परमेश्वर के तरफ सँ बजनाइ जारी रखलनि भले लोकसभ ओहि सँ घृणा कएलक। ओसभ लोकसभ के चेतावनी देलक जे यदि ओसभ पश्चाताप नहि कएलनि तऽ परमेश्वर हुनकासभ के नाश कऽदेतिन्ह। ओ सभ लोकसभ के इहो स्मरण करएलक जे परमेश्वर हुनकासभ लग मसीह पठाबए के प्रतिज्ञा कएने छथि।
१ राजा अध्याय १६–१८; २ राजा ५; यर्मिया ३८ सँ बाइबलक एकटा कथा
खुले लाइसेंस (CC BY-SA 4.0) के अंतर्गत उपयोग करने, बदलने और साझा करने के लिए निःशुल्क।