20. २०. दासत्व आ घुरनाई

20. २०. दासत्व आ घुरनाई — चित्र 1

इस्राएल के राज्य आ यहुदा के राज्य दुनु परमेश्वर के बिरुद्ध पाप कयलक। ओ सभ ओहि वाचा के तोडि़ देलक जे परमेश्वर ओकरासभक संग सिनै पहाड़ पर बन्हने छलखिन्ह। परमेश्वर ओकरासभ के पश्चातप करए आ फेर सँ हुनक आराधना करऽ चेतावनी देबाकलेल अपन भविष्यवक्तासभ के पठौलखिन्ह, मुदा ओसभ हुनक बात मानए सँ अस्वीकार कदेलक।

20. २०. दासत्व आ घुरनाई — चित्र 2

अतः परमेश्वर ओकर शत्रुसभके ओकरासभ के नाश करए मे सक्षम बनाबए के द्वारा दुनू राज्य के दण्डित कएलखिन्ह। अश्शूर एकटा दोसर देश रहए जे बहुत शक्तिशाली भऽगेल रहए। ओ दोसर देश प्रति बहुत निर्दयी सेहो छल। ओसभ आबिकऽ इस्राएल राज्य के नाश कऽदेलक। अश्शूरी सभ आबिकऽ बहुत इस्राएली सभ के मारिदेलक, जे चाहलक से लुटिलेलक, आ देशके कतेकौ भाग के जरा देलक।

20. २०. दासत्व आ घुरनाई — चित्र 3

अश्शूरीसभ सभ अगुवासभ, धनीक लोकसभ, आ एहन लोकसभ जे किमती वस्तुसभ बना सकैत छल तेकरा सभ के एकठ्ठा कएलक आ ओ ओकरासभके अश्शूर देश मे लऽगेल। इस्राएल मे कुछ गरीब सभ मात्रे बाँचि गेल।

20. २०. दासत्व आ घुरनाई — चित्र 4

आ अश्शूरी लोकसभ ओहि देश मे विदेशी लोकसभ के रहएलेल लऽकऽ आएल। ओ विदेशीसभ ओहि नगर के फेर सँ बनौलक। जे इस्राएली सभ बँचिगेल छल ओकरासभ संग वियाह कयलक। एकरे सभके वंशज सामरी कहाओल।

20. २०. दासत्व आ घुरनाई — चित्र 5

यहुदा राज्य के लोक देखलक जे केना परमेश्वर के बातसभ नहि मानला आ हुनका पर विश्वास नहि कएला के कारण इस्राएल के लोकसभ के दण्डित कयलखिन। मुदा तइयो ओसभ कनानी देवतासभ के मूर्तिसभ के उपासना कएलक। परमेश्वर ओकरासभ के चेतावनी देबएलेल भविष्यवक्तासभ के पठौलखिन, मुदा ओसभ सुनए सँ अस्वीकार कदेलक।

20. २०. दासत्व आ घुरनाई — चित्र 6

लगभग १०० बर्षक बाद अश्शूरी सभ इस्राएल के नाश कदेलक। परमेश्वर बेबिलोन के राजा, नकूकदनेसर के यहुदा पर हमला करवाकलेल पठौलनि। बेबिलोन एकटा शक्तिशाली देश छल। यहुदा के राजा नबूकदनेसर के दास बनए आ ओकरा प्रति बर्ष बहुतेक धन भुक्तान करब सहमत भगेल।

20. २०. दासत्व आ घुरनाई — चित्र 7

मुदा किछु बर्षक बाद, यहुदा बेबिलोन बिरुद्ध बिद्रोह कयलक। अतः बेबिलोनी सभ फेर सँ यहुदा उपर हमला कदेलक। ओसभ यरुशलेम नगर पर कब्जा कलेलक, मन्दिर के नष्ट कदेलक, आ नगर आ मन्दिर के खजाना लुटिकए लगेल।

20. २०. दासत्व आ घुरनाई — चित्र 8

बिद्रोह करवाक कारण यहुदाक राजा के दण्डित करवाकलेल, नबूकदनेसर के सैनिकसभ राजा के पुत्र के मारि देलक आ फेर ओकरा आन्हर कदेलक। एकराबाद, ओ राजा के लगेल ताकि ओ बेबिलिोन के बन्दिगृह मे मरिजाए।

20. २०. दासत्व आ घुरनाई — चित्र 9

नबूकदनेसर आ ओकर सेना यहुदा राज्य के लगभग सभलोक के बेबिलिोन लगेल, मात्रे सभसँ गरीब सभके छोडि़ देलक जे ओसभ खेती किसानी करए। एहि समय काल खण्ड के दासत्व कहल गेल जाहि मे परमेश्वरक लोक के प्रतिज्ञाक देश मे सँ निकलि जाएबाक लेल विवश कयल गेल छल।

20. २०. दासत्व आ घुरनाई — चित्र 10

भले परमेश्वर अपना लोक के ओकरसभक पाप के लेल बन्दी बनाकऽ दण्डित कयलखिन, तइयो ओ अपन प्रतिज्ञासभ के नहि बिसरल छलखिन्ह। परमेश्वर अपना लोकसभ के उपर नजर रखनाई जारी रखलखिन्ह आ अपन भविष्यवक्तासभ के द्वारा ओकरासभ संग बात करैत रहलखिन्ह। ओ प्रतिज्ञा कयलखिन्ह जे सत्तर बरिसक बाद, ओसभ फेर सँ प्रतिज्ञा के देश मे औतैए।

20. २०. दासत्व आ घुरनाई — चित्र 11

लगभग सत्तर बर्षक बाद, फारस के राजा कोरेश बेबिलोन देश के पराजित कदेलक, एहिलेल बेबिलोन के सम्राज्य के बजाए फारस के सम्राज्य कतेकौ देश पर शासन कयलक। इस्राएली लोकसभ आब यहुदी कहाबैत छल। ओहिमे सँ बहुतेक तऽ अपन पुरे जीवन बेबिलोनेमे बितादेलक। किछु बुढ़ यहुदी सभ के मात्र यहुदा देश स्मरण छल।

20. २०. दासत्व आ घुरनाई — चित्र 12

फारसी लोकसभ बहुत सामर्थी रहए, मुदा ओसभ अपनाद्वारा जीतल गेल लोकसभ पर दया देखयलक। फारसी सभक राजा बनए के किछु समय बाद, कोरश एकटा आदेश देलक जे जे कोई यहुदी यहुदा जाए चाहत से फारस सँ निकलिकए वापस यहुदा जाए सकैए अछि। एतय धरि जे यरुशलेम मन्दिर बनाबएलेल धन सेहो देलक। अतः बन्दी भेनाइ के सत्तर बर्षक बाद, यहुदीसभक एकटा छोट समुह यहुदा मे यरुशलेम नगर मे घुरि आएल।

20. २०. दासत्व आ घुरनाई — चित्र 13

जखन ओसभ यरुशलेम मे पहुँचल तऽ ओसभ मन्दिर के आ नगर के चारुकातक देवाल फेर सँ बनौलक। फारसीलोक सभ अखनो ओकरासभ पर शासन करए छल मुदा एकबेर फेर सँ ओ प्रतिज्ञा के देश मे रहैत छल आ मन्दिर मे आराधना करैछल।

२ राजा अध्याय १७; २२–२५; २ इतिहास ३६; एज्रा १–१०; नहेम्याह १–१३ सँ बाइबलक एकटा कथा

रीडर में पढ़ें

खुले लाइसेंस (CC BY-SA 4.0) के अंतर्गत उपयोग करने, बदलने और साझा करने के लिए निःशुल्क।