21. २१. परमेश्वर मसीह के प्रतिज्ञा करैत अछि।
जखन परमेश्वर संसार के सृष्टि कएने छलखिन्ह, ओ जनैत छलखिन्ह जे हुनका बाद मे कोनो दिन मसीह के पठाबय पड़त। ओ आदम आ हव्वा संग प्रतिज्ञा कयने छलखिन्ह जे एना करथिन्ह। ओ कहलखिन्ह जे हव्वा सँ एकटा वंशज जन्म लेताह जे साँपक माथ थुरिदेतैनि। जे साँप हव्वा के धोखा देनेछल निश्चय ओ शैतान छल। परमेश्वर के ई उदेश्य रहए जे मसीह शैतान के नीक जेकाँ पराजित कऽ देतनि।
परमेश्वर अब्राहाम संग प्रतिज्ञा कयने छलखिन्ह जे हुनका द्वारा संसार के सभ जातिसभक लोक आशीष पएतै। परमेश्वर बाद मे कोनो समय मे मसीह के पठाकए ई प्रतिज्ञा के पुरा करथिन्ह। ओ मसीह संसार के प्रत्येक जाति मे सँ लोकसभ के पापसभ सँ छोड़एतैह।
परमेश्वर मूसा संग सेहो प्रतिज्ञा कयने छलखिन्ह जे भविष्य मे ओ मूसा के जेहन एकटा अन्य भविष्यवक्ता के पठौथिन्ह। ओ भविष्यवक्ता मसीह होएताह। एहि रीति, परमेश्वर फेर प्रतिज्ञा कयलखिन्ह जे ओ मसीह के पठौथिन्ह।
परमेश्वर राजा दाऊद संग प्रतिज्ञा कयने छलखिन्ह जे ओकर वंशज मसीह होएताह आ ओ राजा होएताह आ परमेश्वर के लोकसभके उपर सदाकेलेल शासन करताह।
परमेश्वर यर्मिया भविष्यवक्ता संग बात कयलखिन्ह आ कहलखिन्ह जे एकदिन ओ नया वाचा करथिन्ह। ओ नया वाचा इस्राएलीसभ संग सिनै पहाड़ पर बान्हलगेल पुरनका वाचा जेहन नहि होत। जँऽ ओ लोकसभ संग अपन नया वाचा बन्हथिन्ह, तऽ ओ हुनकासभ पर स्वयं के व्यक्तिगत रुप मे प्रकट करथिन्ह। हरएक जन हुनका सँऽ प्रीत रखताह आ हुनक व्यवस्था पालन करवाक इच्छा रखताह। परमेश्वर कहलखिन्ह जे हुनक व्यवस्था हुनकासभ के हृदय मे लिखल गेल जेका होएत। ओ सभ हुनक लोक होएताह आ परमेश्वर हुनक पापसभ क्षमा करथिन्ह ओ मसीह होताह जे हुनकासभक संग ओ नया वाचा के बन्हताह।
परमेश्वर के भविष्यवक्तासभ सेहो याहए कहलनि जे मसीह एकटा भविष्यवक्ता होएताह। भविष्यवक्ता ओ व्यक्ति अछि जे परमेश्वर के वचन सुनिकऽ आ लोकसभ के ओ संदेश घोषणा करए। जेकरा पठैबाक प्रतिज्ञा परमेश्वर कयने रहथिन्ह ओ सिद्ध भविष्यवक्ता होएताह। अर्थात् ओ मसीह परमेश्वर के संदेश नीक सँ सुनताह, आ ओ लोकसभ के ओहे संदेश नीक जेका सिखएताह।
इस्राएली पुजारीसभ लोकसभक लेल परमेश्वर के आगु बलिदान चढ़ाबए जारी रखलनि। ओ बलिदान लोकसभ के पापसभक लेल ओकरासभ के परमेश्वर द्वारा दण्डित कयल जएबाक स्थान पर चढ़ाओल गेल छलाह। पुजारीसभ प्रार्थना सेहो कयलनि। मुदा ओ मसीह सिद्ध महापुजारी होएताह जे परमेश्वर के देबऽ लेल एकटा सिद्ध बलि के रुप मे स्वयं के चढ़ा देताह। अर्थात् ओ कहियो पाप नहि करताह, आ जँ ओ स्वयं के बलि के लेल देताह, तऽ संसारक कोनो अन्य बलि आवश्यक नहि होतैक।
लोकसभ के समुह पर राजा आ प्रधान शासन करैत अछि, आ कहियो–कहियो ओ गल्ती सेहो करैत अछि। राजा दाऊद तऽ मात्र इस्राएलीसभ पर शासन कयलनि, मुदा राजा दाऊदक वंशज मसीह पुरे संसार पर शासन करताह। अहुसँ बेसी, ओ सभदिन न्यायपूर्ण रीति संग शासन करथिन, आ सही निर्णय लेताह।
परमेश्वर के भविष्यवक्तासभ मसीहक बिषय मे बहुत बात कहलनि। जेना, मलाकी कहलनि जे मसीह के आबऽ सँऽ पहिने एकटा आओर भविष्यवक्ता औतैक। ओ भविष्यवक्ता बहुत महत्वपूर्ण होएताह। अहुसँ बेसी, यशैया भविष्यवक्ता लिखने छलाह जे मसीह एकटा कुमारि कन्या सँ जन्म लेताह। आ मीका भविष्यवक्ता कहलनि जे मसीह बेतलहेम नगर मे जन्म लेताह।
यशैया भविष्यवक्ता कहलक जे मसीह गलील के क्षेत्र मे वास करथिन्ह। जे लोकसभ बहुत दुःखी अछि मसीह हुनका शान्ति देथिन्ह। आ कैदीसभ के स्वतन्त्र करथिन्ह आ मसीह रोगी सभके आ जे नहि सुनि सकैए, देख नहि सकैए, बाज नहि सकैए आ चलऽ नहि सकैए हुनकासभ के सेहो चंगा करथिन्ह।
यशैया भविष्यवक्ता इहो कहलनि जे लोकसभ मसीह सँ घृणा करतैक आ हुनका स्वीकार करए सँ मना कदेतैक। अन्य भविष्यवक्तासभ कहलनि जे मसीह के एगो संगी हुनका बिरुद्ध खड़ा होत। जकर्याह भविष्यवक्ता कहलनि जे हुनकर संगी एना करबाकलेल दोसर लोक सँऽ चाँनी के तीस टका लेतैक। अहु स बेसी, किछु भविष्यवक्तासभ कहलनि जे लोक सभ मसीह के मारि देतै, आ ईहो जे हुनकर वस्त्रक लेल जुआ खेलत।
भविष्यवक्ता सभ इहो कहलनि जे मसीह कोना मरताह। यशैया भविष्यवाणी कयलनि जे लोक मसीह पर थूकत, हुनकर मजाक उड़ाओत, आ हुनका पिटत। ओ सभ हुनका ठोकि देत आ बहुत पीड़ा आ यातना मे मरि जाएत, जखन की ओ कानो गलत नहि कयने रहत।
भविष्यवक्तासभ इहो कहलनि जे मसीह पाप नहि करताह। ओ सिद्ध होएताह मुदा ओ एहिलेल मरताह जे परमेश्वर हुनका अन्य लोकसभक पापसभ लेल दण्डित करथिन्ह। हुनका मरला सँ लोक सभ परमेश्वर संग मेल करब सक्षम होएताह। एहिलेल परमेश्वर चाहैत छथि जे मसीह मरए।
भविष्यवक्तासभ इहो कहलनि जे परमेश्वर मसीह के मरलसभ मे स जीवित करथिन्ह। ई याहए देखबैय जे ई सब नभका वाचा बान्हबाक परमेश्वर के योजना छल, ताकि ओ ओहि लोक सभ के बचा सकैए जे सभ हुनका बिरुद्ध पाप कएने छलाह।
परमेश्वर भविष्यवक्तासभ पर मसीह के बारे मे बहुतेक बातसभ प्रकट कयलखिन्ह, मुदा ओहि भविष्यवक्ता सभ मे सा केकरो जीवनकाल मे मसीह नहि आएलनि। एहि भविष्यवाणीसभ देल गेला के ४०० बर्ष सँ बेसी बितला के बाद, सही समय पर, परमेश्वर मसीह के एहि संसार मे पठौतनि।
उत्पत्ति ३:१५; १२:१–३; व्यवस्थाविवरण १८:१५; २ शमूएल ७; यर्मिया ३१; यशैया ५९:१६; दानिएल ७; मलाकी४:५; यशैया ७:१४; मीका ५:२; यशैया ९:१–७; ३५:३–५; ६१; ५३; भजनसंहिता २२:१८; ३५:१९; ६९:४; ४१:९; जकर्याह ११:१२–१३; यशैया ५०:६; भजनसंहिता १६:१०–११ सँ बाइबलक एकटा कथा
खुले लाइसेंस (CC BY-SA 4.0) के अंतर्गत उपयोग करने, बदलने और साझा करने के लिए निःशुल्क।