22. २२. यूहन्ना के जन्म
विगत मे, परमेश्वर अपना भविष्यवक्तासभ संग एहिलेल बात कयलखिन्ह जे ओ लोकसभ सँ बात कऽ सकए। मुदा ओहि समय सँ लऽकऽ ४०० बर्ष धरि ओ बात नहि कयलखिन्ह। तब परमेश्वर जकर्याह नामक पुजारी लग एकटा स्वर्गदूत के पठौलनि। जकर्याह आ हुनक पत्नी एलीशिबा परमेश्वर के आदर करैत छलाह। ओ बहुत वृद्ध भगेल छलाह, आ हुनका सभ के कोनो संतान नहि छलनि।
ओ स्वर्गदूत जकर्याह के कहलनि, “तोहर पत्नी के एकटा बेटा होतौ। तोँ ओकर नाम यूहन्ना रखिहए। परमेश्वर हुनका पवित्र आत्मा सँ भरिपूर्ण करथिन्ह, आ यूहन्ना लोकसभ के मसीह के ग्रहण करए लेल तैयार करतैनि।” जकर्याह जबाब देलनि, हम आ हमर पत्नी संतान उत्पन्न करबाकलेल बहुत वृद्ध छी! हम कोना जानु जे अहाँ हमरासभके साच्चे कहि रहलछी?”
ओ स्वर्गदूत जकर्याह के जबाब देलनि, “तोरा लग ई शुभ संदेश लएबाक लेल हम परमेश्वर द्वारा पठाओल गेल छी। कियाक तऽ तोँ हमरा पर विश्वास नहि कयलेह, अहिलेल एहि बच्चा के जन्म धरि तोँ बाजय मे सक्षम नहि होबए।” तुरन्ते, जकर्याह बाजय मे असमर्थ भगेलाह। तब ओ स्वर्गदूत जकर्याह लग सँ चलि गेल। एकराबाद, जकर्याह घर आएलाह आ हुनक पत्नी गभवती भेलीह।
जखन एलीशिबा छऔ मासक गर्भवती छलीह, तऽ ओ स्वर्गदूत अचानक सँ एलीशिबा के नातेदार लग प्रकट भेलाह, जिनक नाम मरियम छलनि। मरियम कुमारि छलीह आ वियाहक लेल युसुफ नामक पुरुष संग छेका भगेल छलनि। स्वर्गदूत कहलनि, “अँहा गभवती होएब आ एकटा पुत्र के जन्म देब। अँहा हुनक नाम यीशु राखब। ओ सर्व–शक्तिमान परमेश्वर के पुत्र होएताह आ सदाके लेल शासन करताह।”
मरियम जबाफ देलीह, “ई कोना भऽ सकैए, कियाक तऽ हम कुमारि छी?” ओ स्वर्गदूत समझौलनि, “पवित्र आत्मा अँहा पर औथिन्ह, आ परमेश्वर के सामथ्र्य अँहा पर छाया प्रदान करताह। एहिलेल ओ बालक पवित्र होएतनि, आ ओ परमेश्वर के पुत्र होएताह।” जे बात ओ स्वर्गदूत कहलनि ओहि पर मरियम विश्वास कयलीह।
ई भेला के तुरन्ते बाद, मरियम जाऽकऽ एलीशिबा संग भेंट कयलीह। जेना मरियम जाइते ओकरा प्रणाम कयलीह, एलीशिबाक पेट मे रहल बच्चा उछलय लागल। ओकरासभक लेल परमेश्वर जे कयने छलखिन्ह ओहि के बिषय मे ओ स्त्रीसभ आनन्दित भेलीह। एलीशिबाक संग तीन मास रहए के बाद, मरियम अपन घर वापस घुरि अएलीह।
एकरा बाद, एलीशिबा अपना बालक के जन्म देलीह। जकर्याह आ एलीशिबा ओहि बालक के नाम यूहन्ना रखलनि, जेना ओ स्वर्गदूत आदेश देने रहथि। तब परमेश्वर जकर्याह के बाजय मे सक्षम कऽ देलखिन्ह। जकर्याह कहलनि, “परमेश्वर के स्तुति होय, कियाक तऽ ओ अपनालोक के सहायता करए स्मरण कएने छथिन्ह! ऐ बेटा, तोँ सर्व–शक्तिमान परमेश्वर के भविष्यवक्ता होएबए। तोँ लोकसभ के बतएबनि जे ओसभ कोना अपन पापसभ सँ क्षमा प्राप्त कऽ सकैए।
लूका अध्याय १ सँ बाइबलक एकटा कथा
खुले लाइसेंस (CC BY-SA 4.0) के अंतर्गत उपयोग करने, बदलने और साझा करने के लिए निःशुल्क।