23. २३. यीशु के जन्म
यूसुफ नामक एक धर्मी व्यक्तिक संग मरियम के छेका भऽगेल छल। जखन ओ सुनलनि जे मरियम गर्भवती भऽ गेलीह तऽ ओ जनैत छलाह जे ओ तऽ हमर बच्चा नहि अछि। मुदा, ओ मरियम के बदनाम नहि करए चाहैत छल, एहिलेल ओ हुनका पर कृपा कऽकऽ आ चुपचाप हुनका छोड़ी देबए के सोँचलनि। मुदा एना करए स पहिने, एकटा स्वर्गदूत हुनका सपना मे आबि बात कयलनि।
ओ स्वर्गदूत कहलनि, “हे यूसुफ, मरियम के अपन पत्नी के रुप मे स्वीकार करब नहि डेराउ। हुनक पेटक बच्चा पवित्र आत्मा के दिश स अछि। ओ एकटा पुत्र के जन्म देतीह, हुनक नाम यीशु रखिहअ (जेकर अर्थ अछि, “यहोवा बचबए छथि”), कियाक तऽ ओ लोकसभ के हुनक पापसभ सँ बचएतैक।”
अतः यूसुफ मरियम संग वियाह कयलनि आ हुनका अपन पत्नीक रुप मे घर लाबि लेलनि, मुदा हुनक ओ बच्चा जन्मय धरि ओ हुनका संग नहि सुतलनि।
जखन मरियम के बच्चा जन्मएबाक समय निकट छल, तऽ ओ आ यूसुफ बेतलहेम जएबाक लम्बा यात्रा कएलनि। हुनकासभ ओहि स्थान जाइए के रहए कियाक तऽ रोमी अधिकारी इस्राएल मे रहनिहार सभलोक के गिनती करए चाहैत छल। ओ चाहैत छल जे सभलोक अपन पुस्तैनी नगर मे आबए। राजा दाऊद के जन्म बेतलहेम मे भेल छल, आ ओ मरियम आ यूसुफ दुनू के पुर्खा रहए।
मरियम आ यूसुफ बेतलहेम गेल, मुदा ओत जानवरक रहए वला स्थान छोडि़ हुनका सभकलेल रहबाकलेल कोनो स्थान नहि भेटल। वाहए स्थान पर मरियम अपन बच्चा के जन्म देलीह। ओ हुनका नादी मे सुतादेलनि कियाक तऽ ओतऽ हुनकालेल कोनो विछौना नहि छल। ओसभ हुनक नाम यीशु रखलनि।
ओहि राति, ओतऽ लगपास मे किछु चरवाहा अपन भेँडाक हुँज के रखवारी करैत छल। अचानक सँ एकटा चमकयवला स्वर्गदूत ओत प्रकट भेल। ओ स्वर्गदूत कहलनि, “डेराउ नहि, कियाक तऽ अहाँ सभकलेल हमरा लग शुभ संदेश अछि। बेतलहेम मे मसीह, प्रभु के जन्म भेल अछि!”
जाकए ओहि बालक के खोजी करह, आ तोँ सभ हुनका कपड़ा मे लपेटल आ नादी मे सुतल पएबह।” अचानक सँ, आकाश स्वर्गदूतसभ सँ भरिगेल। ओ परमेश्वर के स्तुति करैत छलाह। ओसभ कहलनि, “सारा महिमा स्वर्ग मे विराजमान परमेश्वर के होबए। पृथ्वी पर हुनकासभ मे शान्ति होबए जेकरा बिषय मे ओ सोँचैत छथिन्ह।
तब स्वर्गदूत चलि गेलाह। ओ चरवाहा सेहो अपन–अपन भेँडा के छोड़ी बालक देखवाकलेल गेल। जल्दीए ओ सभ ओहि स्थान पर पहुँच गेल जतए यीशु छल आ ओसभ हुनका नादी मे सुतल पौलनि, जेना ओ स्वर्गदूत कहने छलाह। ओसभ बहुत उत्साहित छल। तब ओ चरवाहा ओतऽ घुरि आएल जत हुनक भेँडा छल। ओसभ जे देखने आ सुनने रहय ताह बातक लेल परमेश्वर के स्तुति करैत छलाह।
पूरव दूर देश मे किछु पुरुषसभ छल। ओसभ तारागण के अध्ययन करैत छल आ ओसभ बहुत ज्ञानी छल। ओसभ असमान्य तारा के आकाश मे देखलनि। ओसभ कहलनि जे एकर अर्थ अछि जे यहुदिसभक एकटा नभका राजा के जन्म भेल अछि। एहिलेल ओ सभ ओहि बालक के देखयलेल अपना देश सँ यात्रा करए के निर्णय कयलनि। बहुत लम्बा यात्रा के बाद, ओसभ बेतलहेम पहुँच गेल ओहि घर के खोजलनि जतय यीशु आ हुनक माय–बाबु रुकल छल।
जखन ई पुरुषसभ यीशु के हुनक माय संग देखलनि तऽ ओसभ ठेहुनियाँ दऽकए हुनक आराधना कएलनि। ओसभ यीशु के कीमती उपहार देलनि। फेरु ओसभ अपन घर घुरि कए वापस आएलाह।
मत्ती अध्याय १; लूका २ सऽ बाइबलक एकटा कथा
खुले लाइसेंस (CC BY-SA 4.0) के अंतर्गत उपयोग करने, बदलने और साझा करने के लिए निःशुल्क।