24. २४. यूहन्ना यीशु के बपतिस्मा दैत छथि।

24. २४. यूहन्ना यीशु के बपतिस्मा दैत छथि। — चित्र 1

एलीशिबा आ जकर्याहक पुत्र यूहन्ना, नमहर भऽकऽ एकटा भविष्यवक्ता बनि गेलाह। ओ जंगल मे रहैत छलाह, आ जंगली मधु आ टिड्डिसभ खाइत छलाह, आ ऊटक रोइयाँ सँ बनल कपड़ा पहिनैत छलाह।

24. २४. यूहन्ना यीशु के बपतिस्मा दैत छथि। — चित्र 2

बहुत गोटे यूहन्ना के बात सुनबाकलेल जंगल मे निकलि आएल। ओ ई बात कहिकए ओकरा सभ के प्रचार कयलक, “पश्चाताप करह, कियाक तऽ स्वर्गक राज्य निकट अछि।”

24. २४. यूहन्ना यीशु के बपतिस्मा दैत छथि। — चित्र 3

जखन लोक सभ यूहन्ना के संदेश सुनलक, तऽ ओहि मे सँ बहुतेक लोक अपन पापसभ सँ पश्चाताप कयलक, आ यूहन्ना ओकरासभ के बपतिस्मा देलनि। यूहन्ना के देखवाक लेल बहुतेक धार्मिक अगुवासभ सेहो आएलाह, मुदा ओसभ अपन पापसभक पश्चाताप वा अंगीकार नहि कयलनि।

24. २४. यूहन्ना यीशु के बपतिस्मा दैत छथि। — चित्र 4

यूहन्ना ओहि धार्मिक अगुवासभ के कहलनि, “ओ बिषधर साँपसभ! पश्चाताप कर आ अपन व्यवहार बदल। परमेश्वर ओ हरेक गाछ के काटी देतैनि जे फल नहि फरौतैक, आ ओ ओकरा आगि मे झोँकी देतैनि।” जे भविष्यवक्ता सभ कहने छल यूहन्ना ओहि के पुरा कयलनि, “देखु, शीघ्र तोरा सभलग हम अपन संदेशवाहक पठाएब जे तोरा लेल मार्ग तैयार करतैनि।”

24. २४. यूहन्ना यीशु के बपतिस्मा दैत छथि। — चित्र 5

किछु धार्मिक अगुवासभ यूहन्ना सँ पुछलनि जे मसीह ओहे छथि। यूहन्ना जवाव देलनि, “हम मसीह नहि छी, मुदा ओ हमर बाद आबिरहल छथि। ओ एतेक महान छैथ जे हम हुनक जूताक फिता से हो खोलब योग्य नहि छी।”

24. २४. यूहन्ना यीशु के बपतिस्मा दैत छथि। — चित्र 6

दोसर दिन, यीशु बपतिस्मा लेबए यूहन्ना लग अएलखिन्ह। जखन यूहन्ना हुनका देखलनि, तऽ ओ कहलनि, “देखु! परमेश्वर के बलि–भेँडा जे संसारक पाप उठाकए लऽजाएत।”

24. २४. यूहन्ना यीशु के बपतिस्मा दैत छथि। — चित्र 7

यूहन्ना यीशु के कहलनि, “हम अहाँके बपतिस्मा देबए के योग्य नहि छी। बल्की हमरे अहाँ सँ बपतिस्मा लेबए के चाही। मुदा यीशु कहलखिन्ह, “अहाँके हमरा बपतिस्मा देबए के चाही, कियाक तऽ करए के लेल सही काम ईहे अछि।” अतः यूहन्ना हुनका बपतिस्मा देलनि, जबकी यीशु कहियो पाप नहि कएने छलाह।

24. २४. यूहन्ना यीशु के बपतिस्मा दैत छथि। — चित्र 8

बपतिस्मा देलाक बाद यीशु पानी सँ जखन बाहर अएखिन्ह, तऽ परमेश्वरक आत्मा परवा के रुप मे प्रकट भेल आ निच्चा आबि कए हुनका पर बैठि गेलाह। ओही समय, परमेश्वर स्वर्ग सँ बात कएलखिन। ओ कहलखिन्ह, “ई हमर पुत्र अछि। हम एकरा बहुत प्रेम करैत छी, आ हम एकरा सँ बहुत प्रसन्न छी।”

24. २४. यूहन्ना यीशु के बपतिस्मा दैत छथि। — चित्र 9

परमेश्वर यूहन्ना के कहने रहथिन्ह, “पवित्र आत्मा निच्चा आबि कऽ केकरो उपर बैठि जाए जेकरा तो बपतिस्मा देबह।” ओहे परमेश्वरक पुत्र होतए परमेश्वर एक अछि। मुदा यूहन्ना जखन यीशु के बपतिस्मा देलनि, तऽ ओ परमेश्वर पिता के बात करैत सुनलनि, पुत्र परमेश्वर के देखलक, जे कि यीशु अछि, आ ओ पवित्र आत्मा के देखलनि।

मत्ती अध्याय ३; मरकूस १:९–११; लूका ३:१ सँ बाइबलक एकटा कथा

रीडर में पढ़ें

खुले लाइसेंस (CC BY-SA 4.0) के अंतर्गत उपयोग करने, बदलने और साझा करने के लिए निःशुल्क।