36. ३६. रुपान्तरण
एकदिन, यीशु अपन तीन चेलासभ, पतरस, याकूब आ यूहन्ना के अपन संग लेलखिन्ह। (यूहन्ना नामक चेला ओ व्यक्ति नहि अछि जे यीशु के बपतिस्मा देनेछलाह) ओ सभ प्रार्थना करबाकलेल एकटा उँचगर पहाड़ पर गेलाह।
जखन यीशु प्रार्थना करैत छलखिन्ह तऽ हुनकर चेहरा सूरुज के समान उज्जीयाला भगेल। हुनक वस्त्र उज्जर सफेद भगेल, जेना पृथ्वी पर केओ उज्जर कर सकैय ओहु सँ बेसी उज्जर।
तब मूसा आ एलिया भविष्यवक्ता प्रकट भेलाह। ई लोकसभ सैकड़ो बर्ष पहिने पृथ्वी पर रहैत छलाह। ओसभ यीशु संग हुनक मृत्यु के विषय मे बात कएलनि, कियाक तऽ ओ जल्दीये यरुशलेम मे मरि जएतै।
जखन मूसा आ एलिया यीशु संग बात करैत रहथि तब पतरस यीशु के कहलनि, “अपनासभक लेल एत रहनाए बेहतर अछि। हम सभ तीनटा मण्डप बनाबी, एकटा अहाँकलेल, एकटा मूसाकलेल आ एकटा एलियाकलेल।” मुदा पतरस नहि जनैत छल जे ओ कि कहैत अछि।
जखन पतरस बात करैत रहए तऽ एकटा उज्जर बादल नीच्चा आबिकऽ ओकरासभ के झापी देलक। आ तब ओसभ ओइ बादल मे सँ एकटा आवाज अबैत सुनलनि। ओ कहलनि, “ई हमर प्रिय पुत्र अछि जेकरा सँ हम प्रेम करैत छी। हम एकरा सँ प्रसन्न छी। इनका सुनु।” ओ तीनु चेला सभ डेरा गेल आ जमीन पर ओंघरा गेल।
तब यीशु ओकरासभ के छुविकऽ कहलखिन्ह, “डेराउ नहि। उठी जाऊ।” जँ ओ सभ चारु दिस देखलनि, तऽ एक गोटे ओत अखिन्हो छल जे यीशु छलाह।
यीशु आ ओ तीनु चेलासभ ओहि पहाड़ पर सँ नीच्चा आएल। तब यीशु ओकरा सभ के कहलखिन्ह, “जे किछु ओत भेल ओहि के चर्चा केकरो संग नहि करब। जल्दीए हम मरि जाएब आ फेर जीवित भऽ जाएब। तेकर बाद, अहाँसभ लोकसभ के इ बात कही सकैत छी।”
मत्ती अध्याय १७:१–९; मरकुस ९:२–८; लूका ९:२८–३६ सँऽ बाइबलक एकटा कथा
खुले लाइसेंस (CC BY-SA 4.0) के अंतर्गत उपयोग करने, बदलने और साझा करने के लिए निःशुल्क।