37. ३७. यीशुद्वारा लाजर के जिआओल जेनाई।

37. ३७. यीशुद्वारा लाजर के जिआओल जेनाई। — चित्र 1

लाजर नामक एकटा व्यक्ति छलाह। हुनका दुटा दीदी रहैथि जेकर नाम मरियम आ मार्था रहथि। ओसभ यीशु के घनिष्ठ मित्र सभ रहथि। एक दिन, केओ यीशु के कहलनि जे लाजर बहुत रोगी छल। जँऽ यीशु ई सुनलखिन्ह तऽ ओ कहलखिन्ह, “ई बीमारी लाजर के मरय के संग समाप्त नहि होत बल्की ई लोकसभ मे परमेश्वर के महिमा करबाकलेल प्रेरित करत।”

37. ३७. यीशुद्वारा लाजर के जिआओल जेनाई। — चित्र 2

यीशु अपन मित्रसभ संग प्रेम करैत छलखिन्ह, मुदा जतय ओ सभ छलखिन्ह ओतऽ ओसभ आओर दु दिन रहलाह। आ दु दिन बाद, अपन चेलासभ के कहलखिन्ह, “आऊ अपनासभ यहुदिया मे चली।” चेलासभ जबाफ देलनि, मुदा, गुरु जी, किछुए दिन पहिने ओत के लोकसभ अहाँ के मारय चाहैत छल।” यीशु कहलखिन्ह, “हमर मित्र लाजर सुति रहलअछि, आ हमरा ओकरा जगएबाक अछि।”

37. ३७. यीशुद्वारा लाजर के जिआओल जेनाई। — चित्र 3

यीशु के चेलासभ जबाव देलखिन्ह, “हे प्रभु, यदि लाजर सुतल अछि तऽ, ओ ठीक भजैतैह।” तब यीशु ओकरा सभ के स्पष्ट रुपमे कहलखिन्ह, “लाजर मरि गेल अछि। हम खुशी छि जे हम ओतऽ नहि छलहुँ, जाहिसँ अहाँ सभ हमरा पर विश्वास कऽ सकी।”

37. ३७. यीशुद्वारा लाजर के जिआओल जेनाई। — चित्र 4

जखन यीशु लाजरके गाम पहुँचलखिन्ह तऽ लाजर के मरला चारि दिन भगेल छल। मार्था यीशु संग भेँट करबाक लेल बाहर अ‍ैलीह आ कहलीह, “हे प्रभु, यदि अहाँ एत रहितिअ‍ै तऽ हमर भाय नहि मरितै। मुदा हम विश्वास करैत छी जे जे किछु अहाँ परमेश्वर सँ मँगबय तऽ ओ अहाँक दऽ देतनि।”

37. ३७. यीशुद्वारा लाजर के जिआओल जेनाई। — चित्र 5

यीशु जबाफ देलखिन्ह, “पुनरुत्थान आ जीवन हम ही छी। जे केओ हमरा पर विश्वास करैय यदि ओ मरियो जाएत तैइयो जीवित होएत। जे केओ हमरा पर विश्वास करैत ओ कहियो नहि मरत।

37. ३७. यीशुद्वारा लाजर के जिआओल जेनाई। — चित्र 6

तब मरियम अएलीह। ओ यीशु के पयर पर गिर कऽ कहलीह, “हे प्रभु, यदि अहाँ एत रहितोहुँ तऽ हमर भाय नहि मरितऔ।” यीशु हुनका पुछलखिन्ह, “तोँ सभ लाजर के कतऽ रखने छह?” ओसभ कहलकनि, “कब्र मे। आबि कऽ देखलिय।” तब यीशु कानय लगलनि।

37. ३७. यीशुद्वारा लाजर के जिआओल जेनाई। — चित्र 7

ओ कब्र एकटा गुफा छल जेकर मुँह पर एकटा पात्थर के धऽ देने रहय। जखन यीशु ओत पहुँचल ओ ओकरा सभ के कहलखिन्ह, “पात्थर के हटाबह।” मुदा मार्था कहलिह, “हुनका मरला चारि दिन भगेल अछि ओहि मे सँ दुर्गन्ध अबैत होतै।”

37. ३७. यीशुद्वारा लाजर के जिआओल जेनाई। — चित्र 8

यीशु जबाव देलखिन्ह, “हम अहाँ के नहि कहने छलहुँ जे अहाँ हमरा पर विश्वास करब तऽ परमेश्वर के सामथ्र्य देखब? एहिलेल ओसभ पात्थर हटादेलक।

37. ३७. यीशुद्वारा लाजर के जिआओल जेनाई। — चित्र 9

तब यीशु उपर स्वर्ग दिस देखकय कहलखिन्ह, “हे पिता, हमरा सुनिलेबए के लेल अहाँ के धन्यवाद करैछी। हम जनैत छी जे अहाँ हमरा सभ दिन सुनैत छी, मुदा हम एतऽ ठाड़ भेल लोकसभक सहायता करबाकलेल कहलहुँ जाहिसँ ई सभ विश्वास करय जे अहाँ हमरा पठौने छी।” यीशु आवाज देलखिन्ह, “हे लाजर बाहर निकलि आबह।”

37. ३७. यीशुद्वारा लाजर के जिआओल जेनाई। — चित्र 10

तब लाजर बाहर निकलि आएल। ओ अखिन्हो कफने मे लपेटल छल। यीशु हुनकासभ के कहलखिन्ह, “ई कफन स निकलय मे एकरा सहायता कदियौ आ एकरा स्वतन्त्र करु।” एहि चमत्कार के कारण बहुतेक यहुदी सभ यीशु पर विश्वास कयलक।

37. ३७. यीशुद्वारा लाजर के जिआओल जेनाई। — चित्र 11

मुदा यहुदीसभक धार्मिक अगुवासभ यीशु सँ इष्र्या करय लागल, एहिलेल ओसभ यीशु के मारय लेल योनजा बनएबाक लेल एक साथ एकठ्ठा भेल।

यूहन्ना ११:१–४६ सँ बाइबलक एकटा कथा

रीडर में पढ़ें

खुले लाइसेंस (CC BY-SA 4.0) के अंतर्गत उपयोग करने, बदलने और साझा करने के लिए निःशुल्क।