38. ३८. यीशुक संग विश्वासघात
हरेक साल, यहुदीलोकनि फसहक पर्व मनबैत छलाह। ई एहि बिषय मे एकटा उत्सव छल जे कतेकौ शताब्दी पहिने परमेश्वर ओकरासभक पुर्खासभ के मिस्र देश के दासत्व सँ छोड़यने छलखिन्ह। लगभग तीन बर्ष बाद यीशु सार्वजनिक रुप सँ प्रचार केनाइ आ शिक्षा देनाइ आरम्भ कएलखिन्ह। यीशु अपन चेलासभ के बतौलखिन्ह जे ओ ओकरासभक संग यरुशलेम मे फसहक पर्व मनाबए चाहैत अछि, आ इहो जे ओ हुनका ओसभ मारि देत।
यीशु के चेलासभ मे एकटा के नाम रहय यहुदा। यहुदा प्रेरितसभक कोष के प्रभारी छलाह, मुदा अक्सर ओ ओहि थैली मे सँ रुपैया निकालि लैत छल। यीशु आ चेलासभक यरुशलेम मे पहुँचय के बाद यहुदा यहुदी अगुवासभ लग गेल। ओसभ ओकरा किछु रुपैया के बदला यीशु के पकड़बा दैय के प्रस्ताब रखलनि। ओ जनैत छल जे यहुदी अगुवासभ ई स्वीकार नहि करैत छल जे यीशु वे मसीह छलाह। ओ जनैत छल जे ओसभ हुनका मारि देबए चाहैत छल।
प्रधानपुजारी के कहला के बाद यहुदी अगुवासभ ओकरा हाथ मे यीशु के पकड़बाबय लेल यहुदा के तीस चानी के सिक्का देलक। ई ओहि प्रकार भेल जेना जे भविष्यवक्ता कहने छलाह एना होयत। यहुदा मानि गेल आ धन लकऽ चलिगेल। ओ यीशु के पकड़बाबय मे ओकरासभ के सहायता करय लेल मौका के खोज करय लागल।
यरुशलेम मे, यीशु अपन चेलासभक संग फसहक पर्व मनौलखिन्ह। फसह के भोजक बीच, यीशु रोटी तोड़लखिन्ह। ओ ओकरासभ के कहलखिन्ह, “ई लऽ लिय आ खाउ। ई हमर शरीर अछि जे हम अहाँ सभक लेल दैत छी। ई हमर याद मे करब।” एहि प्रकार, यीशु कहलखिन्ह जे ओ हुनका सभक लेल मरितैन, अर्थात हुनका सभकलेल ओ अपन शरीर के बलि चढ़ादेतैनि।
फेर यीशु एकटा दाखरस के कटोरा लकए कहलखिन्ह, “ई पीब लिय। ई नव वाचा के हमर लेहू अछि जे हम बहाएब कि परमेश्वर अहाँसभक पापसभ के क्षमा करए। हर बेर इ पीबैत काल हमरा याद मे ई करु जे हम अखन कऽ रहल छी।”
तब यीशु अपना चेलासभ सँ कहलखिन्ह, “अहाँ सभ मे सँ एक गोटे हमरा पकड़वा देत।” चेलासभ चौंक गेल, आ पुछय लागल कि एना के करतै। यीशु कहलखिन्ह, “हमरा पकड़बाबय वला व्यक्ति ओ अछि जेकरा हम ई राटी के टुक्रा देब।” तब ओ ऊ रोटी यहुदा के दऽ देलखिन्ह।
ऊ रोटी लेला के बाद, यहुदा मे शैतान प्रवेश कएलक। यहुदा निकलिकय यीशु के पकड़बाबय यहुदी अगुवासभ के सहायता करबाकलेल चलिगेल। ई रातिक समय छल।
भोजन के बाद, यीशु आ हुनक चेलासभ जैतुन के पहाड़ी पर चलि गेल। यीशु कहलखिन्ह, “तोँ सभ आजुृक राति हमरा छोडि़ देबह। ई लिखल अछि, ‘हम चरवाहा के चोट करब आ सभ भेँडासभ तितर–बितर भऽ जाएत।’”
पतरस जबाफ देलनि, “आओर केओ अहाँ के भले ही छोड़ी दैथि मुदा हम अहाँके नहि छोड़ब।” तब यीशु पतरस के कहलखिन्ह, “शैतान तोरासभ के लेबय चाहैत अछि, मुदा हे पतरस, हम तोरालेल प्रार्थना कएलहुँ जे तो विश्वास सँ नहि हटि जाए। तैइयो, आजुक राति, मुर्गाक बाँग देबय सँ पहिने तो तीन बेर हमरा इन्कार करबह जे तो हमरा नहि जनैत छह।”
पतरस यीशु के कहलनि, “हम मरि जाएब कथिला नहि, मुदा अहाँ के इन्कार कहियो नहि करब।” बाँकी सभ चेला सेहे कहलक।
तब यीशु अपन चेलासभक संग गेतसमनी नामक स्थान मे गेलाह। यीशु अपन चेलासभ के प्रार्थना करय लेल कहलखिन्ह ताकि शैतान हुनकासभ के परिक्षा नहि करय। तब यीशु स्वयं प्रार्थना करय चलि गेलखिन्ह।
यीशु तीन बेर प्रार्थना कएलखिन्ह, “हे हमर पिता, यदि भऽ सकैय तऽ कृपा करी ई दुःखक प्याला हमरा पीब नहि दिअ। मुदा लोकसभक पाप क्षमा करय के आआरो कानो उपाय नहि अछि तऽ, अहीँ के इच्छा पुरा हुअए।” यीशु बहुत ब्याकुल भेल छलखिन्ह आ हुनक पसीना लेहूक बूँन जँका गीरैत छल। हुनका सामथ्र्य देबय परमेश्वर एकटा स्वर्गदूत पठौलखिन्ह।
हरेक बेर प्रार्थनाक बाद, यीशु अपन चेलासभ लग अएलखिन्ह, मुदा ओसभ सुतिरहल छल जँ यीशु तेसर बेर अयलखिन्ह, तऽ कहलखिन्ह “जागु। हमरा पकड़बाबय वला एतैय अछि।”
यहुदी अगुवासभ, सैनिकसभ, आ एकटा बढ़का भीड़क संग यहुदा आएल। ओसभ तलवारसभ आ लाठीसभ लेने छल। यहुदा यीशु लग आबिकऽ ओ कहलक, “गुरु प्रणाम”, आ हुनका ओ चुमिलेलक। ओ पकड़बाबयवला व्यक्ति यहुदी अगुवासभ के जनाबयलेल ओ एना कयने छल। तब यीशु कहलखिन्ह, “हे यहुदा, जे तो एकटा चुम्मा लक हमरा पकड़बाबय चाहैत छेह?”
जँखन ओ सैनिक यीशु के पकडि़ रहल छल, तऽ पतरस अपन तलवार निकालिकय आ प्रधानपुजारी के एकटा सेवक के कान काटी देलक। यीशु कहलखिन्ह, “तलवार के दूर राखु। हम अपन पिता संग अपन बचाब करबाकलेल स्वर्गदूतसभ के एक सेना के लेल विनती कऽ सकैत छी। मुदा हमरा हमर पिता के बात मानय के अछि।”तब यीशु ओहि व्यक्ति के कान के ठीक कदेलखिन्ह। तब सभ चेलासभ भागिगेल।
मत्ती २६:१४–५६; मरकुस १४:१०–५०; लूका २२:१–५३; यूहन्ना १२:६; १८:१–११ सँ बाइबलक एकटा कथा
खुले लाइसेंस (CC BY-SA 4.0) के अंतर्गत उपयोग करने, बदलने और साझा करने के लिए निःशुल्क।