39. ३९. यीशु पर मुद्दा चलैत अछि

39. ३९. यीशु पर मुद्दा चलैत अछि — चित्र 1

ई आब अधा रातिक समय छल। ओ सैनिक यीशु के प्रधान पुजारी के घर पर लकय आयल, किएक तऽ ओ सभ यीशु सँ प्रश्न पुछय चाहैत छल। पतरस दूरे स हुनकर पाछा करैत छल। जखन सैनिक यीशु के घर मे लगेल, तऽ परतस बाहर रुकिकय आगि तापय लागल।

39. ३९. यीशु पर मुद्दा चलैत अछि — चित्र 2

घरके भितर, यहुदी अगुवा सभ यीशु पर मुद्दा–मुकदमा चलैलक। ओसभ हुनका विरुद्ध मे झुठ बात सभ बाजय लेल बहुतेक झुठ साक्षीसभ के लकय आएल। हालाकि, ओकरासभ के बात एकदोसर संग मेल नहि खाइत छल, एहिलेल यहुदी अगुवा सभ ई सावित नहि करए पओलक जे ओ कोनो बातक दोषी छलखिन्ह। यीशु किछु नहि कहलखिन्ह।

39. ३९. यीशु पर मुद्दा चलैत अछि — चित्र 3

अन्त मे, प्रधानपुजारी सोझे यीशु दिस ताकिकय कहलनि, “हमरा सभ के कहि देह जे तोँ जीवित परमेश्वरक पुत्र मसीह छेह?”

39. ३९. यीशु पर मुद्दा चलैत अछि — चित्र 4

यीशु कहलखिन्ह, “हम छी, आ अहाँ हमरा परमेश्वर के साथ बैसल आ स्वर्ग स अबैत सेहो देखब।” प्रधानपुजारी अपन वस्त्र के फाडि़ लेलक कियाक तऽ यीशु जे बात कहलखिन्ह ओ ओहि पर क्रोधित छल ओ आओर अगुवासभ के जोर सँ कहलनि, “हमरा ई बतएबाकलेल आओर कोनो गवाह के जरुरत नहि अछि जे ई मनुष्य कि कयने अछि। अहाँसभ स्वयं एकरा ई बात कहैत सुनिलेलहुँ जे ओ परमेश्वर के पुत्र अछि। एकरा बिषय मे अहाँसभक कि विचार अछि?”

39. ३९. यीशु पर मुद्दा चलैत अछि — चित्र 5

सभ यहुदी अगुवासभ प्रधान पुजारी के जबाव देलक, “ई तऽ मरय के योग्य अछि।” तब ओसभ यीशु के आँखि पर पट्टी बान्हि देलक, हुनका पर थुकलक, हुनका पिटलक आ हुनका मजाक उड़यलक।

39. ३९. यीशु पर मुद्दा चलैत अछि — चित्र 6

आ पतरस, जेना ओ घर के बाहर प्रतिक्षा करैत रहए। तब एकटा दासी बचिया ओकरा देखलेलक। ओ कहलिह, “तोँ होँ त यीशु के साथ छलह।” पतरस इन्कार कदेलक। बाद मे, आओर कोनो लड़की इहे बात कहलिह, आ पतरस फेर सँ इन्कार कदेलक। अन्त मे, किछु लोकसभ कहलक, “हमसभ जनैत छी जे तोँ यीशुक संग छलेह कियाक त तोँ दुनु गोटे गलील के सेहो छेह।”

39. ३९. यीशु पर मुद्दा चलैत अछि — चित्र 7

तब पतरस कहलनि, “यदि एहि पुरुष के हम जनैत छी तऽ परमेश्वर हमरा श्राप दिअ।” तुरन्ते पतरस के ई बात कहिते, एकटा मुर्गा बाँग देलक। यीशु पाछा घुमिकए पतरस के देखलखिन्ह।

39. ३९. यीशु पर मुद्दा चलैत अछि — चित्र 8

पतरस ओत सँ चलिगेल आ कुहेसा फोडि़कय कानय लागल। ओहि समय, यीशुके पकड़बावयवला यहुदा देखलक जे यहुदि अगुवा सभ यीशु के मृत्यु दण्ड देने अछि। यहुदा बड़ दुःखीत भेल आ जाकए आत्महत्या कलेलनि।

39. ३९. यीशु पर मुद्दा चलैत अछि — चित्र 9

आ ओहि देश के राज्यपाल पिलातुस छलाह। ओ रोम के लेल काज करैत छलाह। यहुदी अगुवासभ यीशु के हुनका लऽ लगेल। ओ चाहैत छल जे पिलातुस ओकरा मृत्यु दण्ड दए। तब पिलातुस यीशु सँ पुछलक, “कि तोँ यहुदिसभक राजा छेह?”

39. ३९. यीशु पर मुद्दा चलैत अछि — चित्र 10

यीशु जबाव देलखिन्ह, “अहाँ साँच्चे कहलियै। मुदा हमर राज्य एतऽ पृथ्वी के नहि अछि। यदि रहैत तऽ हमर दास हमरालेल युद्ध करितैक। हम पृथ्वी पर परमेश्वर के बारे मे सत्य बाताबयलेल आएल छी। हरेक एक जे परमेश्वर सँऽ प्रेम करैय ओ हमरा सुनैय।” पिलातुस कहलनि, “त सत्य कि अ‍ैछ?”

39. ३९. यीशु पर मुद्दा चलैत अछि — चित्र 11

यीशुक संग बात कएलाक बाद, पिलातुस बाहर भीड़क सामने आबिकय कहलनि, “एहन कोनो कारण नहि पयलहुँ जे एहि मनुष्य के मृत्यु दण्ड होए।” मुदा यहुदी अगुवासभ आ भीड़ चिचियाक हल्ला करय लागल, “ओकरा क्रुस पर चढ़ाउ।” पिलातुस जबाव देलक, “ओ किछु गलत के दोषी नहि अछि।” मुदा ओसभ आओर जोड़जोड़ सँ हल्ला करय लागल। तब पिलातुस तेसर बेर कहलक, “ओ दोषी नहि अछि।”

39. ३९. यीशु पर मुद्दा चलैत अछि — चित्र 12

पिलातुस डेरा गेल जे ओसभ दंगा नहि कदय, एहिलेल ओ अपन सैनिक द्वारा यीशु के क्रुस पर चढ़ाबाकलेल मानी गेल। रोमी सैनिक सभ यीशु के कोर्रा मारलक, आ हुनका राजसी वस्त्र पहिरा देलक, आ हुनका माथ पर काँटसभ सँ बनल मुकुट लगा देलक। तब ई कहिकय ओसभ हुनका मजाक उड़ाबय लागल, “देखु, यहुदी सभक राजा।”

मत्ती २६:५७–२७:२६; मरकुस १४:५३–१५:१५; लूका २२:५४–२३:२५; यूहन्ना १८:१२–१९:१६ सँ बाइबलक एकटा कथा

रीडर में पढ़ें

खुले लाइसेंस (CC BY-SA 4.0) के अंतर्गत उपयोग करने, बदलने और साझा करने के लिए निःशुल्क।