40. ४०. यीशु के क्रुस पर चढ़ाएल जाइत अछि

40. ४०. यीशु के क्रुस पर चढ़ाएल जाइत अछि — चित्र 1

यीशु के मजाक उड़यलाक बाद, सैनिक हुनका क्रुस पर चढ़ाबयलेल लगेल। ओसभ ओहि क्रुस के हुनके सँ उठबयलक ओहि पर जे मरितै।

40. ४०. यीशु के क्रुस पर चढ़ाएल जाइत अछि — चित्र 2

ओ सैनिकसभ यीशु के ओहि स्थान पर लकए आएल जे “खप्पड़” कहवैत छल आ हुनका हाथ आ पाव के क्रुस मे ठोकि देलक। मुदा यीशु कहलखिन्ह, “हे पिता, एकरा सभ के क्षमा कऽ दियौ, किएक तऽ ई सभ नहि जनैत अछि जे ई कि करैत अछि।” ओसभ एकटा तख्ता के सेहो हुनक माथा के उपर टाङि देलक। ओहि पर लिखल छल, “यीशु यहुदी सभक राजा।” पिलातुस हुनका सभके याह लिखबाकलेल कहने छलाह।

40. ४०. यीशु के क्रुस पर चढ़ाएल जाइत अछि — चित्र 3

तब सैनिकसभ यीशु के वस्त्र के लेल चिट्ठा लगौलक। जँ ओसभ एना कएलक तऽ ओसभ ओहि भविष्यवाणी के पुरा कएलक जे कहै, “ओसभ हमर कपड़ा के आपस मे बाँटि लेलक, आ हमर वस्त्र के लेल ओसभ चिट्ठा लगैलनि।”

40. ४०. यीशु के क्रुस पर चढ़ाएल जाइत अछि — चित्र 4

ओतऽ दुटा डाकू सेहो छल, जेकरासभ के सैनिक सभ ओहि समय क्रुस पर चढ़ौलक। ओसभ ओकरासभ के यीशु के दुनुकात राखिदेलक। ओहि मे सँ एकटा डाकू यीशु के मजाक उड़ैलक, मुदा दोसर कहलक, “कि तोँ नहि डेराइत छे जे परमेश्वर तोरा दण्ड देतौह? अपनासभ बहुतेक खराब काजक दोषी छी, मुदा ई मनुष्य निर्दोष अछि” फेर ओ यीशु के कहलनि, “जँ अहाँ अपन राज्य मे आएब तऽ कृप्या हमरा याद करब।” यीशु जबाव देलनि, “आइए तो हमरा संग स्वर्गलोक मे होएबेह।”

40. ४०. यीशु के क्रुस पर चढ़ाएल जाइत अछि — चित्र 5

यहुदी अगुवासभ आ भीड़क अन्य लोकसभ यीशु के मजाक उड़यलक। ओसभ हुनका कहलनि, “यदि तोँ परमेश्वर के पुत्र छह तऽ, क्रुस पर सँ नीच्चा उतैर कऽ देखाबय आ अपनेआप के बचाबऽ तब हमहुँ सभ तोरा पर विश्वास करब।”

40. ४०. यीशु के क्रुस पर चढ़ाएल जाइत अछि — चित्र 6

तब ओहि देश के सारा आकाश बिल्कुले अन्धकार भऽ गेल, भले ही ओे मध्य दिन के समय छल। ई दुपहरीया के समय मे अन्हार भेल छल आ तीन घण्टा धरि एहने रहल।

40. ४०. यीशु के क्रुस पर चढ़ाएल जाइत अछि — चित्र 7

तब यीशु पुकारीक कहलखिन्ह, “पुरा भेल। हे पिता, हम अपन आत्मा अहाँके हाथ मे सोँपैछी।” तब ओ अपन माथ निहुरा कऽ आ अपन प्राण त्यागी देलखिन्ह। जखन ओ मरलैन तऽ एकटा भुकम्प आएल। ओ बढ़का पर्दा जे परमेश्वर के उपस्थिती के अलग करैत छल से उपर सँ नीच्चा दिश फाटि कऽ दु भाग भगेल।

40. ४०. यीशु के क्रुस पर चढ़ाएल जाइत अछि — चित्र 8

अपन मृत्यु के द्वारा, यीशु लोकसभ के लेल परमेश्वर लग आबयलेल मार्ग खोलि देलखिन्ह। जँऽ यीशु के निगरानी करयवला सैनिक जे किछु भेल छल ओ सभ किछु देखलक त ओ कहलक, “निश्चय, ई व्यक्ति निर्दोष छल। ई परमेश्वर के पुत्र अछि।”

40. ४०. यीशु के क्रुस पर चढ़ाएल जाइत अछि — चित्र 9

तब युसूफ आ नीकुदेमस नामक दुटा यहुदी अगुवासभ आएल। ओसभ विश्वास करैत छल जे यीशु मसीह छलखिन्ह। ओसभ पिलातुस सँ यीशुके शरीर मंगलनि। ओसभ ओहि शरीर के कपड़ा मे लपेटलनि। तब हुनका एकटा चट्टान सँ काटिक बनाएल गेल कब्र मे लगेलनि आ ओहि के भितर राखिदेलकनि आ ओसभ ओहि कब्र के द्वार बन्द करबाकलेल एकटा बढ़का पत्थर के गुड़का देलकनि।

मत्ती २७:२७–६१; मरकुस १५:१६–४७; लुका २३:२६–५६; यूहन्ना १९:१७–४२ सँ बाइबलक एकटा कथा

रीडर में पढ़ें

खुले लाइसेंस (CC BY-SA 4.0) के अंतर्गत उपयोग करने, बदलने और साझा करने के लिए निःशुल्क।