41. ४१. परमेश्वर यीशु के मरल मे सँ जीअबैत अछि
सैनिकद्वारा यीशु के क्रुस पर चढ़ैला के बाद, यहुदी अगुवासभ पिलातुस के कहलनि, “ओ झुठा, यीशु कहने रहय जे ओ तीन दिन बाद मरल मे सँ जीबि कऽ उठब। केकरो ई निश्चित करएलेल कब्र के निगरानी करय के पड़तै जे ओकर चेलासभ ओकर लाश चोरा कय नहि लजाबए पाबए। यदि ओ एना करत तऽ ओ सभ कहत जे ओ मरल सभ मे सँ जीबि कऽ उठी गेल अछि।”
पिलातुस कहलनि, “किछु सैनिकसभ के लजाउ, आ जेना अहाँ सभ क सकैत छी तहिने ओहि कब्रके रखवारी करु।” एहिलेल ओसभ कब्रके प्रवेश द्वारक पात्थर पर मोहर लगादेलक। ओसभ ई निश्चित करयलेल सैनिक सभक पहरा लगादेलक जे केओ हुनक लाश के चोराबए नहि सकय।
यीशु मरलाक बादक दिन शब्त के दिन छल। शब्त के दिन केओ कोनो काज नहि करय सकैत छल, एहिलेल यीशु के कोनो मित्र कब्र पर नहि आएल छल। मुदा शब्त के दिनक बाद, एकदम प्राते भेने, किछु स्त्रीसभ यीशु के कब्र पर आबय लेल तैयार भेलीह। ओसभ हुनक शरीर पर आओर सुगन्धित मसाला सभ लगाबए चाहैत छलीह।
ओहि स्त्री सभके पहुँचब सँ पहिने, कब्र पर एकटा बढ़का भूकम्प भेल। स्वर्ग सँ एकटा स्वर्गदूत आबिकय ओहि पात्थर के गुड़का देलक आ ओहि पर बैस गेल। ओ स्वर्गदूत उज्जर चमकैत छल। कब्रपर जे सैनिक सभ छल ओसभ ओकरा देखलक। ओ सभ एतेक डेरा गेल छल जे मरले जेकाँ जमीन पर गिड़ गेल।
जखन ओ स्त्रीसभ कब्र पर पहुँचलीह तऽ ओ स्वर्गदूत एकरासभ के कहलक, “डेराउ नहि, यीशु एतऽ नहि छथिन्ह। ओ मरल सभ मे सँ जीबि उठल छथि, जेना ओ कहने छलखिन्ह जे ओ जीबि उठताह। कब्र मे जाउ आ देखु।” ओ स्त्री सभ कब्र के भितर आ जत यीशु के शरीर राखल गेलछल ओत खोजलीह आ देखलीह जे हुनक शरीर ओतऽ नहि छल।
तब ओ स्वर्गदूत ओहि स्त्रीसभके कहलनि, “जाकय हुनक चेलासभ के कहियौ, “यीशु मरलसभ मे सँ जीबि उठल छथिन्ह आ ओ अहाँसभ सँ पहिने आगु आगु गलील मे जायत।”
ओ स्त्रीसभ अचम्भित भऽ गेलीह आ बहुत आनन्दित भेलीह। ओसभ चेलासभ के ई शुभ खबर देबाकलेल दौड़क गेलीह।
जखन ओ स्त्रीसभ चेलासभ के ई संदेश कहयलेल बाटे पर रही तऽ यीशु ओकरासभ लग प्रकट भेलखिन्ह। ओसभ हुनका पैर पर गिर पड़लही। तब यीशु कहलखिन्ह, “डेराउ नहि। जाकय चेलासभ के गलील मे जायलेल कहिऔ। ओसभ हमरा ओतऽ देखत।”
मत्ती २७:६२–२८:१५; मरकुस १६:१–११; लूका २४:१–१२; यूहन्ना २०:१–१८ सँ बाइबलक एकटा कथा
खुले लाइसेंस (CC BY-SA 4.0) के अंतर्गत उपयोग करने, बदलने और साझा करने के लिए निःशुल्क।