42. ४२. यीशु फेर सँ स्वर्ग जाय छथिन्ह
जाहि दिन परमेश्वर यीशु के मृतक सभ मे सँ जीबित कयने छलखिन्ह, हुनक दुटा चेला लगे मे के एकटा गाम मे जायत छल। जायत काल यीशु के संग जे भेल छल ओहि के बिषय मे बात करैत छल, ओकरासभ के आशा छल जे ओ मसीह छलाह, मुदा तइयो ओ मारल गेलाह। आब ओ स्त्रीसभ कहैत अछि जे ओ फेर सँ जीबित भऽ गेलखिन्ह। ओसभ नहि जनैत छल जे कोन बात पर विश्वास करु।
यीशु ओकरासभ लग आबिकय चलब शुरु कदेलनि, मुदा ओसभ हुनका चिन्हय नहि सकलक। ओ पुछलखिन्ह जे ओ सभ कोन बिषय मे बात करैत छल। ओसभ हुनका किछु दिन पहिने यीशु के संग भेल सभ घटना के बारे मे कहलक। ओसभ सोँचलक जे ओ कोनो परदेशी संग बात कऽ रहल अछि जे नहि जनैत छल जे यरुशलेम मे कि भेल छल।
तब यीशु ओकरासभ के समझौलनि जे परमेश्वर के वचन मसीह के बारे मे कि कहैत अछि। बहुत पहिने, भविष्यवक्तासभ कहने छल जे दुष्ट मनुष्यसभ मसीह के पीडित करतै आ हुनका मारि देतैक। मुदा भविष्यवक्तासभ इहो कहने छल जे ओ तेसर दिन जीबि उठतैनि।
जखन ओसभ ओहि नगर मे पहुचल जतऽ ओ दुनु गोटे रुकय चाहैत छल, ताबत धरि झोलफोल साझ परि गेलछल। ओसभ यीशु के ओकरे सभ संग रुकबाकलेल आग्रह कयलक, ताहि लेल ओ ओकरासभ के संग ओकर घर गेलखिन्ह। रातिक भोजन करएलेल ओसभ बैसल। यीशु रोटी लकय परमेश्वर के धन्यवाद देलखिन्ह, आ तब ओकरा तोड़लखिन्ह। अकश्मात, ओसभ जानि गेल जे ओ तऽ यीशु अछि। मुदा ओहि समय ओ ओकरा सभक नजर सँ अलप भऽ गेलखिन्ह।
ओ दुनु जन एकआपस मे कहलक, “ओ यीशु छलखिन्ह! एहिलेल जँ ओ अपनासभ के परमेश्वर के वचन समझौलखिन्ह तऽ अपनासभ बहुत उत्साहित छलहुँ!” तुरन्ते, ओसभ फेर सँ यरुशलेम गेल। जँ ओसभ ओतऽ पहुचल तऽ ओसभ चेलासभ के बतौलक, “यीशु जीबित छथि! हमसभ हुनका देखलहुँ अछि!”
जँ चेलासभ बात करैत छल, यीशु अचानक सँ ओसभ रहल घर मे प्रकट भेलनि। ओकरासभ के कहलखिन्ह, “अहाँ सभ के शान्ति! चेलासभ सोचलक जे ओ कानो भूत छल, मुदा यीशु कहलखिन्ह, “तो सभ किएक डेराइ छह, तोसभ ई किएक नहि सोचैत छह जे साँच्चे के हम यीशु छी? हमर हाथ आ पैरसभ के देखह। भुत सभक एहन शरीर नहि होइत अछि जेहन हमर अछि।” इ देखाबयलेल जे ओ कोनो भुत नहि अछि, ओ किछु खायलेल मंगलखिन्ह। ओसभ हुनका माँछक एकटा कुटिया देलक, आ ओ ओहि के खाऽ लेलखिन्ह।
यीशु कहलखिन्ह, “हमरा बिषय मे परमेश्वर के वचन जे किछु कहैत अछि ओ पुरा होएबे करत। हम अहाँ सभ के बतादेने छलहुँ ई होयब अवश्य अछि।” तब यीशु ओकरासभ के परमेश्वर के वचन सँ नीक जँका समझौलखिन्ह। ओ कहलखिन्ह, “बहुत पहिने भविष्यवक्तासभ लिखने छल जे हमरा, मसीह के दुःख उठाबय के पड़त, मरय के पड़त आ फेर तेसर दिन मृतक सभ मे सँ जीवित होयके पड़त।”
“ओ भविष्यवक्ता सभ इहो लिखने छल जे हमर चेलासभ परमेश्वर के वचन घोषणा करत। ओसभ हरेक एक के पश्चाताप करएलेल कहत। यदि ओसभ एना करत तऽ परमेश्वर ओकरा सभ के पाप क्षमा कऽ देथिन। हमर चेलासभ एहि संदेश के यरुशलेम सँ शुरु करत। तब ओसभ सभलोक मे जाएत। अहाँसभ हमर हरेक बात आ काम के साक्षी छी जे हम कहने छलहुँ आ कयने छलहुँ आ अहु सभ के जे हमरा साथ भेल छल।”
आगु के चालीस दिनक दरमिआन, यीशु अपन चेला सभ लग कतेको बेर प्रकट भेलखिन्ह। एक बेर तऽ ओ ५०० सँ बेसी लोकसभक संग एके बेर प्रकट भेलखिन्ह। ओ अपना चेलासभक के अनेक तरहए प्रमााणित कयलखिन्ह जे ओ जीवित छथि, आ ओ ओकरासभ के परमेश्वर के राज्य के बिषय मे शिक्षा देलखिन्ह।
यीशु अपन चेला सभके कहलखिन्ह, “परमेश्वर हमरा स्वर्ग आ पृथ्वी के हरेक एक जन पर शासन करबाक अधिकार देने छथि। एहिलेल आब अहाँसभ के कहैछीः जाकय सभ जातिसभके लोकसभ के चेला बनाबह। एना करबाकलेल, अहाँसभ के ओकरा पिता, पुत्र आ पवित्र आत्मा के नाम सँ बपतिस्मा देबय के अछि। जे किछु हम अहाँ सभ के आज्ञा देने छी ओसभ बात ओकरो सभ के पालन करय के सिखाउ। याद राखब, हम सदखिन अहाँसभक संग रहब।”
यीशु के मरलसभ मे सँ जीबित होबय के चालीस दिनबाद, ओ अपना चेला सभ के कहलखिन्ह, “जाधरि हमर पिता अहाँ सभ के सामथ्र्य नहि दैय ताधरि यरुशलेम मे रुकल रहु। ओ अहाँसभ पर पवित्र आत्मा के पठाकऽ एना करथिन्ह।” तब यीशु स्वर्ग मे चलि गेलखिन्ह आ एकटा बादल हुनका ओकरा सभ के दृष्टि सँ नुकालेलक। स्वर्ग मे यीशु सभ किछु पर शासन करय परमेश्वर के दाहिना कात बैसल छथिन्ह।
मत्ती २८:१६–२०; मरकुस १६:१२–२०; लूका २४:१३–५३; यूहन्ना २०:१९–२३; प्रेरित सभक काम १:१–११ सँँ बाइबलक एकटा कथा
खुले लाइसेंस (CC BY-SA 4.0) के अंतर्गत उपयोग करने, बदलने और साझा करने के लिए निःशुल्क।