43. ४३. कलीसिया शुरु भेनाइ
यीशु के स्वर्ग गेलाक बाद, चेलासभ यरुशलेम मे रहल जेना यीशु ओकरासभ के करय लेल आदेश देने छलखिन्ह। ओत के विश्वासीलोक सभ अनवरत प्रार्थना करबाकलेल एकठ्ठा होइत छल।
प्रति बर्ष, फसह के पर्वक ५० दिन बाद, यहुदीलोकनि पिन्तेकुस्त नामक एकटा महत्वपूर्ण दिन मनायल करैत छल। पिन्तुकोस्त ओ समय छल जखन यहुदीलोकनि गेहुँम के कटनी के बाद मनबैत छल। सारा संसार के यहुदीसभ पिन्तुकुस्त के दिन संगे मनाबयलेल यरुशलेम मे आएल छल। एहि बर्ष, पिन्तुकुस्त मनाबय के समय यीशु के स्वर्ग चलि गेलाक लगभग एक सप्ताह बाद आएल छल।
जाहि समय सारा विश्वासीसभ एकसाथ जम्मा भेल छल, तऽ जहि घर मे ओसभ छल अचानक सँ तेज हवा के आवाज सँ भरि गेल। तब आगिक लपटा जेहन देखाइ देबयवला सभ विश्वासीके उपर प्रकट भेल। ओसभ पवित्र आत्मा सँ भरिगेल आ ओसभ अन्य भाषासभ मे परमेश्वर के स्तुती कयलक। ई ओ भाषा सभ छल जे बाजय के लेल ओकरासभ के पवित्र आत्मा सक्षम कयले छलखिन्ह।
जखन यरुशलेम मे रहयवला सभ ओहि हल्लाक सुनलक, तऽ ओसभ भीड़ बनाकय देखयलेल आएल जे ओत कि भऽ रहल छल। ओसभ विश्वासीसभ के परमेश्वरद्वारा कएल गेल बढ़का बढ़का काजसभ के घोषणा करैत सुनलक। ओ सभ चकित भेल छल जे कियाक तऽ ओसभ ओहि काजसभ के अपने अपने भाषासभ मे सुनैत छल।
ओहि मे किछु लोक कहलक जे ओ चेला सभ मद्य के नशा मे छलाह। मुदा पतरस खड़ा भेल आ ओ कहलक, “हमर बात सुनु। ई लोकसभ पिने नहि अछि। बल्की, जे अहाँ सभ देखय छी सेहे योएल भविष्यवक्ता कहने छल जे एना होतः परमेश्वर कहलखिन्ह, अन्त के दिन मे, हम अपन आत्मा उझैल देब।”
“हे यौ इस्राएलीसभ, यीशु एकटा एहन मनुष्य छलखिन्ह जे ई देखाबयलेल बहुतेक आश्चर्यकाम सभ कयलखिन्ह जे ओ के छथि। ओ परमेश्वर के सामथ्र्य सँ बहुत अदभुत काजसभ कयलखिन्ह। तोसभ ई जनैत छह, कियाक तऽ ताँे सभ एहि काजसभ के देखने छह। मुदा तोँसभ हुनका कु्रस पर चढ़ा देलह।”
“यीशु मरि गेलाह मुदा परमेश्वर हुनका मरलसभ मे सँ जीवित कऽ देलखिन्ह। ई ओहि बात के पुरा कदेलक जे एकटा भविष्यवक्ता लिखने छलः तोँ अपना पवित्र जन के कब्र मे सड़य नहि देबह। हम सभ गवाह छि जे परमेश्वर यीशु के फेर सँ जीवित कऽ देलखिन्ह।”
“परमेश्वर पिता आब यीशु के अपन दाहिना कात बैसाकय हुनका आओर आदर देने छथि। यीशु हमरा सभक लेल पवित्र आत्मा पठौने छथिन्ह जेना ओ पठाबए के प्रतिज्ञा कयने छलखिन्ह। पवित्र आत्मा अछि जे अहि काजसभ के होबय दैत अछि जे तोँसभ देखय छह आ सुनै छह।”
“तोँसभ ओहि मनुष्य, यीशु के क्रुस पर चढ़ा देलह। मुदा निश्चित रुप सँ ई जानि लाह जे परमेश्वर यीशु के सभ किछु पर प्रभु आ मसीह दुनु बना देने अछि।”
पतरस के बात सुनयवला लोकसभ ओकर बात सँ भितर धरि डोलि गेल छल। एहिलेल ओसभ पतरस आ चेलासभ के पुछलनि, “हे भाइसभ हौ, हमरा सभ के की करय के चाही?”
पतरस ओकरासभ के जबाव देलक, “ताँेसभ हरेक अपन पापक लेल पश्चाताप करह ताकि परमेश्वर तोरासभ के पापसभ के क्षमा करए, आ यीशु मसीह के नाम सँ बपतिस्मा लऽलिअ। तब ओ तोरासभ के वरदान मे पवित्र आत्मा सेहो देतोह।”
पतरस के बात कहला सँ लगभग ३००० लोकसभ विश्वास कयलक आ यीशु के चेला बनि गेल। ओसभ बपतिस्मा लेलक आ यरुशलेम के कलीसिया के सदस्य बनि गेल।
जखन प्रेरितसभ ओकरासभ के शिक्षा देलक तऽ विश्वासीसभ लगातार सुनलक। ओसभ अक्सर भेँटघाँट करैत छल आ एकसाथ भोजन कयल करैत छल, आ ओसभ एक दोसराक लेल प्रार्थना कयलक। ओसभ मिलकय परमेश्वर के स्तुति कयलक आ जे किछु ओकरा सभलग छल ओसभ एक दोसर संग साझा कयलक। नगर के सभलोक हुनकासभ के बिषय मे नीक विचार रखैत छल। प्रतिदिन, अधिक सँ अधिक लोक विश्वासी बनैत गेल।
प्रेरित सभक काम अध्याय २ सँ बाइबलक एकटा कथा
खुले लाइसेंस (CC BY-SA 4.0) के अंतर्गत उपयोग करने, बदलने और साझा करने के लिए निःशुल्क।