44. ४४. पतरस आ यूहन्ना द्वारा एकटा भिखारी के चंगा केएनाई
एकदिन, पतरस आ यूहन्ना मंदिर मे गेल। एक अपांग व्यक्ति भीख मागयलेल द्वार पर बैसल रहए।
पतरस ओहि नेङरा व्यक्ति दिस देखलक आ कहलक, “हमरा लऽ तोरा देबयलेल रुपैया त नहि अछि। मुदा हमरा लऽ जे अछि से तोरा दैत छियौ। यीशु के नाम सँ उठ आ चल।”
तुरन्ते, परमेश्वर ओहि लङरा व्यक्ति के चंगा कय देलखिन्ह। ओ एमहर ओमहर चलब कुदब आ परमेश्वर के स्तुति करब शुरु कऽ देलक। मंदिर के प्राङ्गन मे उपस्थित लोकसभ अचम्भित भगेल।
जल्दी ए लोकसभ के एकटा बढ़का भीड़ ओहि व्यक्ति जे चंगा भऽ गेल छल तेकरा देखयलेल आएल। पतरस ओकरा सभ के कहलनि, “ई मनुष्य ठीक अछि, मुदा एहि बात पर अचम्भित नहि होउ। हमसभ एकरा अपन शक्ति सँ चंगा नहि कयलहुँ, या एहिलेल नहि जे हमसभ परमेश्वर के आदर करैत छी। बल्की, ओ यीशु अछि जे एहि व्यक्ति के चंगा कयने छथि, किएक तऽ हम सभ यीशु पर विश्वास करैत छी।”
“ओ सभ तोँही सभ छह जे ओहि रोमी राज्यपाल के यीशु के मारबाकलेल कहने छलहुँ। तोँसभ उनका मारि देलह जे सभके जीवन दैत अछि। मुदा परमेश्वर हुनका मरलसभ मे सँ जीबित कदेलखिन्ह। तोँसभ नहि बुझलह जे तो सभ कि करैछह, मुदा जँऽ तोसभ ओ काज करैत रहो, जे भविष्यवक्ता सभ कहने छलाह से पुरा भेल। ओसभ कहनेछल जे मसीह दुःख उठएथिन्ह आ मरि जएथिन्ह। परमेश्वर एहि तरिका सँ होबए देलखिन्ह। एहिलेल आब, पश्चाताप कर आ परमेश्वर के स्तुति के तरफ मुड़, ताकि ओ तोरा सभ के पापसभ के धोकय साफ कदैय।”
जखन मंदिर के अगुवासभ पतरस आ यूहन्ना के सुनलनि, तऽ ओसभ बहुत घबरा गेलाह। एहिलेल ओसभ ओकरासभ के पकडि़ कए जेल मे धऽ देलक। मुदा पतरस जे कहलक तहि बात पर बहुतेक लोकसभ विश्वास कएलक। यीशु पर विश्वास करयवला सभक संख्या बढि़ कऽ लगभग ५००० भगेल।
दोसर दिन, ओ यहुदी अगुवासभ पतरस आ यूहन्ना के प्रधान पुजारी आ अन्य धार्मिक अगुवासभ के सामने लऽ कए आएल। ओसभ ओहि व्यक्ति के सेहो लकए आएल जे पहिने अपांग छलाह। ओसभ पतरस आ यूहन्ना के पुछलनि, “कोन अधिकार सँ तोँसभ ई अपांग व्यक्ति के चंगा कएलेह?”
पतरस जबाव देलक, “ई व्यक्ति, जे अहाँसभक सामने खाड़ अछि ओकरा यीशु मसीह के सामथ्र्य सँ चंगा कयल गेल अछि। अहाँसभ यीशु के क्रुस पर चढ़ा देलियै, मुदा परमेश्वर हुनका फेर सँ जीवित कदेलखिन्ह। अहाँ सभ हुनक अस्वीकार कदेलियै, मुदा यीशु के सामथ्र्य द्वारा छोडि़ उद्धार पाबएलेल कोनो दोसर उपाय नहि अछि।”
ओसभ हैरान छल जे पतरस आ यूहन्ना बहुत साहसीरुप सँ बात कएनेछल। ओसभ देखलक जे ओसभ साधारण पुरुष जे अशिक्षित छल। मुदा फेर ओकरा सभ के याद आएल जे ई सभ यीशु के साथ रहैत छलाह। एहिलेल ओसभ ओकरा सभ के कहलनि, “हम सभ तोरासभ के बहुत सजाय देब यदि ई मनुष्य यीशु के बारे मे लोकसभ के आओर कोनो संदेश देबए तऽ।” एहने बहुतेक बात कहला के बाद, ओसभ पतरस आ यूहन्ना के जाए देलक।
प्रेरित सभक काम ३:१–४:२२ सँ बाइबलक एकटा कथा
खुले लाइसेंस (CC BY-SA 4.0) के अंतर्गत उपयोग करने, बदलने और साझा करने के लिए निःशुल्क।