45. ४५. स्तिफनस आ फिलिपुस
प्रथम मसीही अगुआसभक बीच मे स्तिफनस नामक एकटा पुरुष छलाह। सभलोक हुनका आदर करैत छलाह। पवित्र आत्मा हुनका बहुत सामथ्र्य आ बुद्धि प्रदान कयने छलखिन्ह। स्तिफनस बहुतेक चमत्कार कयलनि। जँ ओ यीशु पर भरोसा करबाक बिषय मे ओकरासभ के शिक्षा देलनि तऽ बहुत लोक हुनका पर विश्वास कयलनि।
एक दिन, स्तिफनस यीशु के बिषय मे शिक्षा दैत छल, किछु एहन यहुदीसभ आएल जे यीशु पर विश्वास नहि कएने छल ओ हुनकासंग वादविवाद करबाक शुरु कदेलनि। ओसभ बहुत क्रोधित भऽ गेल, एहिलेल ओ सभ धार्मिक अगुवासभ लग गेल आ हुनका विषय मे झुठ बाजल। ओसभ कहलक, “हमसभ स्तिफनस के मूसा आ परमेश्वर के व्यवस्था के बारे मे बहुत खराब बात कहैत सुनलौँ।” एहिलेल धार्मिक अगुवासभ स्तिफनस के पकडि़ लेलनि आ हुनका प्रधान पुजारी आ अन्य अगुवासभ लग लगेलनि। आओर झुठा साक्षी आएल आ ओसभ स्तिफनस के विरुद्ध झुठ बाजल।
प्रधान पुजारी स्तिफनस के पुछलक, “जे ई लोकसभ तोरा बारे मे ठीक कहिरहल अछि?” स्तिफनस प्रधानपुजारी के जबाव देबयलेल बहुतेक बात कहबाकलेल शुरु कलयलनि, “ओ कहलनि जे अब्राहमके समय सँ लकए यीशु के समय धरि परमेश्वर इस्राएली लोकसभ के लेल बहुतेक अदभुत काज कयलखिन्ह। मुदा लोकसभ सदैव परमेश्वर के अनाज्ञाकारी रहल। स्तिफनस कहलनि, “तोँसभ परमेश्वर के विरुद्ध हठी आ बिद्रोह करयवला छह। तो सभ सदैव पवित्र आत्मा के अस्वीकार कएलाह, जेना अपनासभक पूर्वजसभ सदैव पवित्र आत्मा के अस्वीकार कयनेछल आ भविष्यवक्तासभ के मारि देनेछल। मुदा जे ओसभ कयने छल ओहि के तुलना मे तोँ सभ आओर खराब कयने छह। तोसभ मसीह के मारि देने छह।”
जँ ओ धार्मिक अगुवासभ ई सुनलक तऽ, ओसभ एतेक क्रोधित भऽगेल जे ओसभ अपन कान बन्द कलेलक आ जोड़ जोड़ सँ चिचिआएल। ओसभ स्तिफनस के घिसियाकय नगर सँ बाहर लगेल आ ओकरा मारि देबाबलेल हुनका पात्थर मारलक।
जखन स्तिफनस मरैत छलाह, ओ पुकारिकय कहलनि, “हे यीशु, हमर आत्मा के ग्रहण करु।” तब ओ अपना ठेहुन पर खसलनि आ फेर सँ पुकारलनि, “हे प्रभु, ई पाप एकरा सभ के उपर नहि लगएबै।” तब ओ मरि गेलाह।
ओहि दिन, यरुशलेम मे रहएवाला बहुत लोकसभ यीशु के अनुयायी सभके सताबए शुरु कदेलक, एहिलेल विश्वासी लोकसभ अन्य स्थान पर भागि गेल। मुदा तइयो, जत कतौ ओसभ गेल ओसभ यीशु के बारे मे प्रचार कएलक।
फिलिपुस नामक यीशु के एकटा विश्वासी छलाह। जेना अन्य बहुत विश्वाससभ कएने छल इहो यरुशलेम सँ भागि गेल छल। ओ सामरिया के इलाका मे चलि गेल छल। ओतऽ ओ लोकसभ के यीशु के बारे मे प्रचार कएलक। बहुत लोकसभ हुनका पर विश्वास कएलक आ उद्धार प्राप्त कयलक। एकदिन, फिलिपुस लग परमेश्वर के तरफ सँ एकटा स्वर्गदूत आएलाह आ ओकरा जंगल मे जायवला बाट पर जायलेल कहलनि। फिलिपुस ओत चलिगेलाह। जँ ओ ओहि बाट पर चलैत छलाह, तऽ ओ एक व्यक्ति के अपना रथ मे जायत देखलनि। ओ व्यक्ति कूश देश के एक महत्वपूर्ण अधिकारी छलाह। पवित्र आत्मा फिलिपुस के कहलनि जे जाकए ओहि व्यक्ति के संगसंग चलह।
एहिलेल फिलिपुस रथ लग गेल। ओ सुनलक जे ओ कूशी परमेश्वर के वचन पढ़ैत छल। जे यशैया भविष्यवक्ता लिखने छल, ओहि के पढ़ैत छल। ओ पढ़ैत छल, “ओ ओकरा बलि के भेँड़ा जँका लकय गेल, आ जेना एकटा मेमना शान्त होइत अछि, ओ एकोटा शव्द नहि कहलनि। ओसभ ओकरा संग अनुचित व्यवहार कयलनि आ हुनका आदर नहि कयलनि। ओसभ हुनकर प्राण ललेनि।”
फिलिपुस ओहि कूशी के पुछलनि, “जे अहाँ पढ़ैत छी जे ओ बुझि रहल छी?” ओ कुशी जबाव देलनि, “नहि, जाधरि केओ ई हमरा समझाबए नहि ताधरि हम नहि समझए सकब। कृपा हमरा लग आबिकय बैसु। यशैया ई अपने बारे मे लिखने छल या केकरो आओर के बारे मे?”
फिलिपुस रथ पर बैठि गेल तब ओ कूशी व्यक्ति के कहलनि जे यशैया यीशु के बारे मे लिखने छलाह। फिलिपुस परमेश्वर के वचन के अन्य बहुत भाग के सेहो चर्चा कयलनि। एना कए, ओ ओहि व्यक्ति के यीशु के बारे मे संदेश सुनैलक।
फिलिपुस आ ओ कूशी जाइत जाइत पानि के लग मे आएल। ओ कूशी कहलनि, “देखु एत पानि अछि। की हम बपतिस्मा लऽ सकैत छी?” आ ओ सारथी के रथ रोकयलेल कहलनि।
अतः ओसभ पानि मे गेल, आ फिलिपुस ओहि कूशी के बपतिस्मा देलक। जँ ओसभ पानि सँऽ बाहर आएल तऽ पवित्र आत्मा अचानक फिलिपुस के उठाकय कोनो आओर स्थान मे लगेलखिन्ह ओत फिलिपुस लोकसभ के यीशु के बिषय मे बताबयलेल जारी रखलनि।
ओ कूशी अपन घरके यात्रा दिस आगु बढि़ गेल आ ओ प्रसन्न छल जे ओ आब यीशु के जनैत अछि।
प्रेरित सभक काम ६:८–८:५; ८:२६–४० सँ बाइबलक एकटा कथा
खुले लाइसेंस (CC BY-SA 4.0) के अंतर्गत उपयोग करने, बदलने और साझा करने के लिए निःशुल्क।