47. ४७. फिलिप्पी मे पौलुस आ सीलास
जखन शाऊल सम्पूर्ण रोमी सम्राज्य मे यात्रा कयलनि तऽ ओ अपन नाम “पौलुस” के उपयोग करय के शुरु कदेलनि। एकदिन, पौलुस आ हुनक मित्र सीलास फिलिप्पी नगर मे यीशु के बारे मे शुभ संदेश सुनएबाकलेल गेलाह। ओसभ नगर के बाहिरी स्थान गेलाह जतऽ लोकसभ प्रार्थना करबाकलेल जम्मा भेल छलाह। ओतऽ ओसभ लिडीया नामक एक स्त्री संग भेँटल जे एकटा व्यपारी छलीह। ओ परमेश्वर संग प्रेम करैत छलीह।
परमेश्वर लिडिया के यीशु के विषय मे संदेश पर विश्वास करबाकलेल सक्षम कयलखिन्ह। पौलुस आ सीलास हुनका आ हुनक परिवार के बपतिस्मा देलनि। ओ पौलुस आ सीलास के अपना घर मे रुकबाकलेल आमन्त्रित कयलीह, एहिलेल ओसभ ओतै रुकि गेलाह।
पौलुस आ सीलास लोकसभ संग ओहि स्थान मे मिलैत छलाह जतऽ यहुदीलोभ सभ प्रार्थना कएल करैत छल। प्रतिदिन जँ ओ सभ ओत जाएत छलाह तऽ एक दासी लड़की जे दुष्टात्माद्वारा नियन्त्रित छलीह हुनकासभ के पाछा पाछा अबैत रही। इहे दुष्टात्मा के द्वारा लोकसभ के भविष्य बतबैत छलीह, एहिलेल ओ भविष्य बताकए अपन मलिकक लेल बहुत धन कमाइत छलीह।
हुनकासभ के ओत जाइते समय ई दासी लड़की चिचिआक कहैत छलीह, “ई पुरुष परम प्रधान परमेश्वर के सेवक अछि। ई सभ तोरासभ के उद्धार पाबय के मार्ग बताबैत अछि।” ओ प्रतिदिन एना कएल करैत छलीह जाहिस पौलुस खिसिया गेलाह।
अन्त मे, एकदिन जँ ओ लड़की चिचिआनाई शुरु कयलीह, तऽ पौलुस ओकरा दिस मुडि़ कऽ ओकरा भितर रहल दुष्टात्मा के कहलनि, “यीशु के नाम सँऽ एकरा मे सऽ निकल जोह।” ओहि समय ओ दुष्टात्मा ओकरा मे सऽ निकलिगेल।
ओहि दासी लड़की के मालिक बहुत क्रोधित भगेल। ओकरा मालूम भगेल जे बिना ओहि दुष्टात्मा के ओ दासी लड़की लोकसभ के भविष्य नहि बताबए सकैत छलीह। एकर मतलब ई जे लोक सभ ओकरा मालिक के रुपैया पैसा नहि देतै जे ओ ओकर भविष्य बताबए जे ओकरा संग कि होएतैक।
एहिलेल ओहि दासी लड़की के मालिक पौलुस आ सीलास के रोमी अधिकारी लग लगेल। ओसभ पौलुस आ सीलास के पिटपाट कयलनि, आ तब हुनकासभ के जेल मे धऽ देलनि।
ओसभ पौलुस आ सीलास के जेल मे एहन जगह मे रखने रहथि जतऽ सभ सऽ बेसी सिपाहीसभ छल। एतेक धरि जे ओकरा सभ के हड़ी मे ठोकि देलक। मुदा पौलुस आ सीलास आधा राति के समय, परमेश्वर के स्तुति के गीत गबैत छलाह।
अचानक सँ, एकटा बढ़का भूकम्प गेल। जेलक सारा द्वार खुलि गेल, आ सभ कैदिसभक झिझिर खुलिगेल।
तब जेल के अधिकारी जागि गेल। ओ देखलक जे जेल के दुआर खुलल अछि। ओ सोँचलक जे सभ कैदि भागि गेल होतैक। ओ डरि गेल जे ओकरा सभ के भागि गेला के कारण रोमी अधिकारी ओकरा मारि देत, एहिलेल ओ स्वयं मे मारयलेल तैयार भगेलाह। मुदा पौलुस आ सीलास हुनका देखि कऽ जोड़ सऽ कहलनि, “रुकि जाओ। अपने आप के किछु नोक्सान नहि करु। हम सभ एतैह छी।”
ओ जेलक हाकिम थरथराइत पौलुस आ सीलास लग आबिक पुछलनि, “उद्धार पाबयलेल हम कि करु?” पौलुस जबाव देलनि, “प्रभु यीशु पर विश्वास करु, तऽ अहाँ आ अहाँक घरक लोकसभ उद्धार पायब।” तब ओ हाकिम पौलुस आ सीलास के अपन घर लगेल आ हुनकर घावसभ धोदेलक। पौलुस हुनका घर मे सभ के यीशु के शुभ संदेश सुनैलनि।
ओ अधिकारी आ हुनक पुरे परिवार विश्वास कएलनि, एहिलेल पौलुस आ सीलास हुनका सभ के बपतिस्मा देलनि। तब ओ हाकिम पौलुस आ सीलास के भोजन करौलनि, आ ओसभ एकसाथ आनन्दित भेलाह।
दोसर दिन नगर के अगुवा सभ पौलुस आ सीलास के जेल स निकालिदेलनि आ फिलिप्पी सँ चलि जाएबाकलेल कहलनि। पौलुस आ सीलास लिडिया आओर किछु मित्र सभ संग भेँटघाट कएके नगर सऽ चलि गेलाह। यीशु के बारे मे संदेश पसरैत गेल, आ कलीसिया बढ़ैत गेल।
पौलुस आ अन्य मसीही अगुवासभ आओर बहुत नगर सभ के यात्रा कयलनि। ओसभ लोकसभ के यीशु के बारे मे शुभ संदेश सुनैलनि। ओसभ कलीसियासभ के विश्वासी सभके उत्साहीत करबाकलेल आ शिक्षा देबाकलेल कतेको चिठी सेहो लिखलनि। एही मे सँ किछु बाइबलक पुस्तक बनिगेल।
प्रेरित सभक काम १६:११–४० सँ बाइबलक एकटा कथा
खुले लाइसेंस (CC BY-SA 4.0) के अंतर्गत उपयोग करने, बदलने और साझा करने के लिए निःशुल्क।