48. ४८. यीशु ये प्रतिज्ञा कएल गेल मसीह अछि।

48. ४८. यीशु ये प्रतिज्ञा कएल गेल मसीह अछि। — चित्र 1

जखन परमेश्वर संसारके बनौलखिन्ह तऽ सभ किछु नीक छल। कोनो पाप नहि छल। आदम आ हव्वा एक दोसर के प्रेम करैत छल, आ ओसभ परमेश्वर सँ प्रेम करैत छलाह। कोनो रोग या मृत्यु नहि छल। परमेश्वर एहने संसार के चाहैत छलखिन्ह।

48. ४८. यीशु ये प्रतिज्ञा कएल गेल मसीह अछि। — चित्र 2

शैतान साँप के माध्यम सँ फुलवारी मे हव्वा संग बात कयलक, कियाक तऽ ओ हुनका धोखा देबय चाहैत छल। तब हव्वा आ आदम परमेश्वर के बिरुद्ध पाप कयलनि। किएक तऽ ओसभ पाप कएने छलाह। एहिलेल पृथ्वी पर रहएवला सभ केओ मरैत अछि ।

48. ४८. यीशु ये प्रतिज्ञा कएल गेल मसीह अछि। — चित्र 3

किएक तऽ आदम आ हव्वा पाप कयने रहय, एहिलेल किछु आओर खराबी भेल। ओसभ परमेश्वर के शत्रु बनि गेल। फलस्वरुप, तखन सँ हरेक एक जन पाप कयने अछि। हरेक एक जन जन्मे सँ परमेश्वर के शत्रु अछि। परमेश्वर आ लोक सभ के बीच मे शान्ति नहि भेल छल। मुदा परमेश्वर शान्ति स्थापित करय चाहैत छलखिन्ह।

48. ४८. यीशु ये प्रतिज्ञा कएल गेल मसीह अछि। — चित्र 4

परमेश्वर प्रतिज्ञा कयने छलखिन्ह जे हव्वा के संतान शैतान के माथ के थुकचतैक। ओ इहो कहलखिन्ह जे शैतान हुनक एड़ी मे डसतैक। दोसर शब्द मे, शैतान मसीह के मारि देतैक, मुदा परमेश्वर हुनका फेर सँ जीबित कदेतैनि। एकरा बाद, मसीह शैतान के शक्ति के सभ दिनक लेल खतम कदेतैनि। कतेको वरिस बाद, परमेश्वर प्रकट कयलखिन्ह जे ओ मसीह यीशु अछि।

48. ४८. यीशु ये प्रतिज्ञा कएल गेल मसीह अछि। — चित्र 5

परमेश्वर ओहि बाढि़ सँ अपन परिवार के बचा लेलखिन्ह जेकरा ओ लाबयवला छलखिन्ह। नूह के एकटा नाव बनाबएलेल कहलखिन्ह जे एहि तरहेँ हुनका पर विश्वास करयवला सभके बचएलखिन्ह। एहि किसिम सँ, ओ सभके सभ परमेश्वर द्वारा मरय के योग्य छल किएक तऽ ओसभ पाप कएने छल। मुदा परमेश्वर ओकरा सभके बचाबएलेल यीशु के पठौलखिन्ह जे हुनका पर विश्वास करैत अछि।

48. ४८. यीशु ये प्रतिज्ञा कएल गेल मसीह अछि। — चित्र 6

सैकडो वरिस धरि, पुजारी परमेश्वर के लेल बलिदान चढ़ाबैत छलाह। ई देखबैय जे लोकसभ पाप कएने अछि आ ई जे ओसभ परमेश्वर द्वारा दण्डित कएल जाय के योग्य छल। मुदा ओ बलिदान सभ ओकरसभक पाप क्षमा नहि करय सकैत छल। यीशु बढ़का प्रधान पुजारी अछि। ओ ई कएलखिन्ह जे कोनो पुजारी नहि कऽ सकैत छल। ओ एकमात्र बलिदान होबयलेल स्वयं के बलि चढ़ा देलखिन्ह जे केकरो पाप सभ मेटायल जा सकैत छल। ओ कहलखिन्ह जे ओकरा सभ के पापसभक लेल परमेश्वर हुनका दण्डित करय। एहि कारण, यीशु सिद्ध प्रधान पुजारी छलखिन्ह।

48. ४८. यीशु ये प्रतिज्ञा कएल गेल मसीह अछि। — चित्र 7

परमेश्वर अब्राहम के कहलखिन्ह, “हम तोरा द्वारा संसारक सभ जातिसभ के आशीष देब।” यीशु ओहि अब्राहम के वंश सँ छलखिन्ह। परमेश्वर अब्राहमक माध्यम सँ सभ कुलसभके आशीष दैत अछि, किएक तऽ जे यीशु पर विश्वास करैत अछि परमेश्वर हुनका सभके पाप सँ बचाबैत अछि। जँ ई लोकसभ यीशु पर विश्वास करतैक तऽ, परमेश्वर ओकरासभ के अब्राहम के वंश मानैत अछि।

48. ४८. यीशु ये प्रतिज्ञा कएल गेल मसीह अछि। — चित्र 8

परमेश्वर अब्राहम के कहलखिन्ह जे ओ अपन निज पुत्र, हुनकालेल बलिदान करय। मुदा फेर परमेश्वर इसाहाक के बलि के बदला मे बलि करबाक लेल एकटा बलि–भेँडा देलखिन्ह। अपनासभ केओ अपन पापसभक लेल मारि देबय के योग्य छलहुँ। मुदा परमेश्वर अपनासभक स्थान पर मरयलेल यीशु के बलिदान के रुप मे देलखिन्ह। एहि कारण सँ अपनासभ यीशु के परमेश्वर के बलि–भेँडा कहैत छी।

48. ४८. यीशु ये प्रतिज्ञा कएल गेल मसीह अछि। — चित्र 9

जखन परमेश्वर मिश्र पर अन्तिम विपत्ति पठौने छलाह ओ हरेक इस्राएली के कहने छलाह जे एकटा भेँडा बलि करय। ओहि बलि भेँडा मे कोनो दोष नहि होबय चाही। तब अपन द्वार के चौकठि पर आ कातो मे ओकर लेहु लगाबए के छल। जँ परमेश्वर ओहि लेहू देखलखिन्ह तऽ ओ ओहि घर सँ आगु बढि़ गेलखिन्ह आ ओकर पहिलका पुत्र के नहि मारलखिन्ह। जँ ई भेल तऽ परमेश्वर एकरा फसह के पर्व कहलखिन्ह।

48. ४८. यीशु ये प्रतिज्ञा कएल गेल मसीह अछि। — चित्र 10

यीशु फसह के पर्व के बलिभेँडा जेकाँ अछि। ओ कोनो पाप नहि कयलखिन्ह, एहिलेल हुनका मे कोनो दोष नहि छल। ओ फसह के पर्व के समय मे मारल गेलाह। जँ केओ यीशु पर विश्वास करैत अछि, तऽ यीशु के लेहू ओहि व्यक्ति के पापसभक मोल भुक्तान करैत अछि। ई एना अछि जे परमेश्वर ओहि व्यक्ति लग सँ आगु बढि़ गेल अछि, किएक तऽ ओ हुनका दण्ड नहि दैत अछि।

48. ४८. यीशु ये प्रतिज्ञा कएल गेल मसीह अछि। — चित्र 11

इस्राएलीसभक संग एकटा वाचा बन्हने छलखिन्ह, किएक तऽ ओसभ एहन लोक रहए जेकरा परमेश्वर अपन होएबाकलेल चुनने छलाह। मुदा आब परमेश्वर एहन वाचा बन्हने छथि जे सभकलेल अछि। यदि कोनो जाति के कोनो लोक नभका वाचा के स्वीकार करैत अछि, तऽ ओ परमेश्वर के लोक मे सामेल भऽ जाइत अछि। ओ एना अहिलेल करैत अछि किएक तऽ ओ यीशु पर विश्वास करैत अछि।

48. ४८. यीशु ये प्रतिज्ञा कएल गेल मसीह अछि। — चित्र 12

मूसा एकटा एहन भविष्यवक्ता छलाह जे परमेश्वर के वचन के बहुत सामथ्र्य संग प्रचार कएने छलाह। मुदा यीशु सभ भविष्यवक्तासभ मे सँ बढ़का छथिन्ह। ओ परमेश्वर अछि, एहिलेल ओ जे किछु कयलखिन्ह आ कहलखिन्ह ओ परमेश्वर के काज आ वचन छलनि। एहिलेल पवित्र शास्त्र यीशु के परमेश्वर के वचन कहैत अछि।

48. ४८. यीशु ये प्रतिज्ञा कएल गेल मसीह अछि। — चित्र 13

परमेश्वर दाऊद राजा संग प्रतिज्ञा कयने छलखिन्ह जे राजा के रुप मे हुनक एकटा संतान परमेश्वर के लोकसभ पर सदाक लेल शासन करतैक। यीशु परमेश्वर के पुत्र आ मसीह अछि, एहिलेल ओ राजा दाऊद के संतान अछि जे सदा के लेल राज्य कऽ सकैए।

48. ४८. यीशु ये प्रतिज्ञा कएल गेल मसीह अछि। — चित्र 14

दाऊद तऽ इस्राएल के राजा छलाह, मुदा यीशु सारा दुनियाँ के राजा छथिन्ह। ओ फेर सँ औथिन्ह आ सदाकलेल न्याय आ शान्ति के संग अपन राज्य पर शासन करथिन्ह।

उत्पत्ति १–३,६,१४,२२; निर्गमन १२,२०; २ शमूएल ७; इब्रानी ३:१–६,४:१४–५:१०,७:१–८:१३,९:११–१०:१८; प्रकाशितवाक्य २१ सँ बाइबलक एकटा कथा

रीडर में पढ़ें

खुले लाइसेंस (CC BY-SA 4.0) के अंतर्गत उपयोग करने, बदलने और साझा करने के लिए निःशुल्क।