1. १. सिरिस्टी
परमेस्वर सभे चिजके सुरुवात अैसे कएलख । परमेस्वर सरा संसारके आ संसारमे भेल सभे चिजसबके छव दिनमे सिरिस्टी कएलख । परमेस्वर जब यि धरतिके बनएलख तब यि धरती अन्हार आ अकार बिनाके सुनसान रहे । आ धरतिमे कवनो भि चिजके सिरिस्टी न भेलरहे । लेकिन परमेस्वरके अत्मा पानिके उपरी चारुओरी घुमैत रहे ।
जब परमेस्वर कहलख,“ इजोत होजो,तब इजोत होगेल ।”
परमेस्वर सिरिस्टीके दोसरका दिन कहलख,धरतीके उपरी अकास सिरिस्टी होजो । तब परमेस्वर धरतिके पानिके अलग कके अकासके सिरिस्टी कएलख ।
तब परमेस्वर तिसरका दिन, पानि आ जमिनके अलग कएलख । सुखल जमिनके धरती कहलख, आ जमा भेल पानिके समुन्दर कहलख । जब परमेस्वर अपन बनाएल सभे चिजके देखलख तब उ बहुत निमन रहे ।
सेकरबाद परमेस्वर कहलख,”यि धरतिमे सभे किसिमके गाछ-बिरिस जाम जोअ,तब जाम गेल । जब परमेस्वर अपन बनाएल सभे चिजके देखलख । तब उ बहुत निमन रहे ।
परमेस्वर सिरिस्टिके चौथादिनमे अपन बचनसे अकासमे सुरुज,चन्दरमा आ तरासबके बनएलख । काहेकी यिसबसे धरतिमे इजोत रहे ,अन्हार आ इजोत कारनसे दिन रात छुटिया सके,मौसम ,दिन महिना बरिस छुट्याए केलेल भि परमेस्वर अन्हार आ इजोतके बनएलख । जब परमेस्वर अपन बनाएल सभे चिजके देखलख तब उसब बहुत निमन रहे ।
परमेस्वर पचमादिनमे भि अपन बचनसे ,पानिमे रहेबला जिबसबके आ अकासमे उरेबला पंछिसबके बनएलख । जब परमेस्वर अपन बनाएल सभे चिजके देखलख । तब उ बहुत बन्हिया रहे,सेकरबाद परमेस्वर सभे जिबसबके आसिस देलख ।
परमेस्वर सिरिस्टिके छठमा दिनमे भि,अपन बचनसे,”हरेक किसिमके जमिनमे रहेबला जिब-जन्तुसब बनजाओ कहके कहलख । तब परमेस्वरके कहल जइसन होगेल । कुछ जनाबरसब घरैया होगेल,कुछ जिब जमिनमे पेटके बलसे बुलेबला होगेल,कुछ जंगली जनाबर होगेल । तब परमेस्वर अपन बनाएलके देखलख,तब उ सभे चिज बहुत बन्हि रहे ।
सेकरबाद परमेस्वर कहलख,हमनिके अदमिके हमनियके सरुपमे आ परतिरुपमे बना, ताकी अदमी हमनियके जइसन होजाए । काहेकी ओकनिके समस्त धरतीमे आ धरतिमे रहल सभे जिबजिबातके उपरी अधिकार करसके ।
ओहिसे परमेस्वर जमिनके माटि लेलख आ अदमिके अकार देके ओकरामे जिबनके सास फुंक देलख । तब अदमि जिबित परानी होगेल । तब परमेस्वर यि अदमिके नाम आदम रखलख । सेकरबाद परमेस्वर एगो बगैचा लगैलख आ बगैचाके देखरेख करकेलेल परमेस्वर आदमके लेजाके राख देलख ।
तब उ बगैचाके बिचमे(बिच भगमे) ,परमेस्वर दुगो बिसेस परकारके जिबनके गासी रोपलख । तब एगो गासीमे निमन ग्यान देबेबला फल फरे आ दोसरका गासिमे खराब ग्यान देबेबला फल फरे । परमेस्वर आदमसे कहलख कि सभे गासी फर बिना डर खैहे । लेकिन निमन आ खराबके ग्यान देबेबला गासीके फर कबहु तु न खैहे । जवन दिन उ गासीके फर खैबे उहे दिन तु मर जैबे ।
तब परमेस्वर कहलख,“अदमिके अकेले रहला उचित न बा ।” काहेकी यिहाँ भेल कवनो भि जनावर आदमके सहयोगी बने न सकैत बा ।
तब परमेस्वर आदमके बहुत गैहर निनसे सुतादेलख । तब परमेस्वर आदमके फठीसब मध्येमेसे एगो फठी लेके उहेमेसे एगो सौरिके बनाके आदमके लगे लेके अएलख ।
जब आदम यि सौरिके देखलख तब उ कहलख,“केतना सुथर सौरी”
परमेस्वर मरद आ जनिके अपने सरुपमे बनैलख । आ परमेस्वर ओकनिके आसिरबाद देइत कहलख कि,“तोहनिके बहुतके बाल-बचा जल मैहे आ यि धरतिमे भर जैहे ।”सेकरबाद परमेस्वर अपनासे बनाएल सभे चिजके जब देखलख तब उ बहुत बन्हिया रहे,तब उसभे चिज देखके परमेस्वर बहुत खुसी भेल । काहेकी छवमा दिन तकमे परमेस्वर यि सभे सिरिस्टिके बनाके सुधा लेलेरहे ।
जब सातमा दिन अएलख,तब परमेस्वर अपन सभे कामसब सुधालेलेरहे । ओहिसे अपन सभे कामसबसे उ बिसराम लेलख । आ उ सातमा दिनके आसिरबाद देलख आ पबितर बनएलख,काहेकी उ दिन उ अपन सभे कामसे बिसराम लेलख । अइसे परमेस्वर सरा संसार आ यिमेके सभे चिजसबके सिरिस्टी कएलख ।
बाइबलको कथा : उत्पत्ती १-२ बा
खुले लाइसेंस (CC BY-SA 4.0) के अंतर्गत उपयोग करने, बदलने और साझा करने के लिए निःशुल्क।