50. ५०. यिसु फेरु आइ

50. ५०. यिसु फेरु आइ — चित्र 1

करिब २००० हजार बरिससे संसारभरके बहुतसे बहुत अदमिसब यिसु मसिहके बारेमे सुसमाचार सुनैत आरहलबा । मन्डली भि बरह रहल बा । यिसु परतिग्या कैले बा कि,संसारके अन्तमे हम लवटके फेरु यि संसारमे आएब । लेकिन यिसु अभी भी लवटके न आएल बा फिरभी यिसु अपन परतिउया पुरा करी ।

50. ५०. यिसु फेरु आइ — चित्र 2

जब हमनिके यिसुके आगमनके परतिक्सा करैत बारी त,हमनिके पबितरताके जिबन जिइ कहके परमेस्वर चाहैय,जेकनिके ओकरा आदर करैए । हमनिके आरु अदमिके भि ओकर राज्यके बारेमे बताउ कहके उ चाहैए । जब यिसु यि संसारमे रहे त, उ कहलख,“हमर चेलासब परमेस्वरके राज्यके बारेमे सरा संसारके अदमिसबके सुसमाचार सुनादी,सेकर बाद यि संसारके अन्त होजाइ ।”

50. ५०. यिसु फेरु आइ — चित्र 3

आजु भी बहुत अदमिसब यिसुके बारेमे न सुनल्लेबा । ओहिसे यिसु स्वरगमे जाएसे पहिले अपन बिसबासिसबसे कहलख,जवन अदमिसब अभितक कहियोन सुसमाचार न सुनल्ले बा । ओकनिसबके लगे ,“जोअ आ सभे जातके अदमिसबके चेला बनाअ ।”

50. ५०. यिसु फेरु आइ — चित्र 4

यिसु अइसे भी कहलख,“कवनो भि दास अपन मालिकसे बरका न होसकैसै ।जैसे यि संसारके हाकिमसब हमरा घिरना कैलख,ओकनिके हमरा खातिर तोहनिके दुख दी आ मुयादी । यि संसारमे तोहनिके कस्ट भोगेपरी तब परभी,उतसाहित होअ,काहेकी हम यि संसारके सासक सैतानके हरादेलबारी । यदी तोहनिके अन्तिम घरितक बिसबासयोग्य रहबे त,परमेस्वर तोहनिसबके उधार करी ।

50. ५०. यिसु फेरु आइ — चित्र 5

यिसु अपन चेलासबसे संसारके अन्ति घरिमे कैसन होइ कहके बुझाएके लेल एगो कथा कहलख । “एकजना अदमी अपन खेतमे बहत बन्हिया गहुमके बिया बोएलख । जब उ सुतल रहे । तब ओकर दुसमन आके गहुमके बिचमे समाके बिया बोके चलगेल ।”

50. ५०. यिसु फेरु आइ — चित्र 6

“जब उ बिया जमलख,तब उ अदमिके दाससब कहलख,मालिक“अपने त उ खेतमे बहुत बन्हिया गहुमके बिया बोएले रहली । लेकिन कहासे उमे समा जामगेल ?” तब ओकर मालिक जबाफ देलख,“हमर कवनो दुसमन आके समा बोअ देले होइ ।”

50. ५०. यिसु फेरु आइ — चित्र 7

“तब यि दाससब अपन मालिकके जबाफ देलख,‘कथी हमनिके जाके उ समाके उखार दु ?’ तब ओकर मालिक कहलख अभी ओकराके नउखार काहेकी जब ओकरा उखारबे त गहुम सुधा उखार देबे । ओहिसे कटनिके समयतक हसिया सेकरबाद समासबके बिटोरके जराके लेल बोझा बनाअ,लेकिन गहुमसब हमर बेरहिमे ल्याके राख ।”

50. ५०. यिसु फेरु आइ — चित्र 8

लेकिन चेलासब यि कथाके बारेमे नबुझे सकलख,ओहिसे ओकनिके यिसुसे यि कथाके अरथ बुझादेबेके लेल अनुरोध कैलख । तब यिसु बतैएलख कि,“निमन बिया बोए बला अदमी मसिहके परतिनिधित्व करैए ।खेत संसारके जनाए । आ निमन बिया परमेस्वरके राज्यके अदमिसबके परतिनिधित्व करैए ।”

50. ५०. यिसु फेरु आइ — चित्र 9

समासब दुस्ट अदमिसबके परतिनिधित्व करैए । समा बोदेबेबला दुसमन सैतानके परतिनिधित्व करैए,आ कटनिके समय अन्तिमदिनके परतिनिधित्व करैए,आकटनी गरेबलासब परमेस्वरके स्वरगदुतसबके परतिनिधित्व करैए ।”

50. ५०. यिसु फेरु आइ — चित्र 10

“जब यि संसारके अन्त होइ,तब स्वरगदुतसब अधरमी अदमिसबके जम्मा करी आ ओकनिके नरकके दन्कैत आगिमे झोक दी,जहा ओकनिके रोइ आ भ्यानक कस्ट भोगी आ अपन दात पिसी ।तब धरमी जनसब अपन पिता परमेस्वरके राज्यमे सुरजके जइसन चमकी ।”

50. ५०. यिसु फेरु आइ — चित्र 11

यिसु यि भि कहले कि,संसारके अन्त होएसे पहिले हम यि संसारमे लवटके आएब । उ औसनके आइ जइसेके उ स्वरगमे गेल रहे । ओकर एगो भौतिक सरिर होइ,आ उ अकासमेसे बादलके सबारिमे आइ ।जब यिसु यि धरतिमे आइ तब हरेक मरल इसाइसब मरलमेसे जिजाइ । आ अकासमे ओकरासे भेट करी ।

50. ५०. यिसु फेरु आइ — चित्र 12

सेकरबाद उसमयमे जवन बिसबासिसब बाचल रही उसबके उपरी अकासमे उठालियाइ आ मिरतुसे जि उठल बिसबासिसबसे भेटकरी । तब ओकनिके सभेजना यिसुसङे रही । ओकरबाद यिसु अपन अदमिसबके सङे सदाके लेल सान्ति आ एकतामे बैठी ।

50. ५०. यिसु फेरु आइ — चित्र 13

यिसुमे बिसबास करेबला हरेकके बिसबासिसबके लेल जिबनके मकुट देहब कहके परतिग्या कैलेबा । ओहिसे ओकनिके परमेसवरसङे रही आ परमेस्वरसङे राज करी ।

50. ५०. यिसु फेरु आइ — चित्र 14

लेकिन परमेस्वर यिसुमे बिसबास नकरेबलासबके न्याय करी । परमेस्वर ओकनिके नरकमे फेकदी,जहाओकनिके सदाके लेल रोइ आ कस्टके कारन अपन दात पिसी । कहियोन भुताएबला आगिमे सदाके लेल ओकनिके फेकदी जहा नत किरा मरैए न त आगिए भुताइए ।

50. ५०. यिसु फेरु आइ — चित्र 15

जब यिसु लवटके आइ तब सैतानके आ ओकर राज्यके सदाके लेल नस्ट कदी ।यिसु सैतानके नरकमे फेकदी,जहा ओकनिके सदाके लेल जरी आ सैतानसङे ओकनिके भी होइ जेकनिके परमेस्वरके अग्या न मानके सैतानके अपन इस्वर बनाएके लेल रोजलख ।

50. ५०. यिसु फेरु आइ — चित्र 16

काहेकी आदम आ हबा परमेस्वरके अग्यापालन नकैलख आ यि संसारमे पापके परबेस करैलाके कारनसे परमेस्वर यि संसारके सराप देलख । आ यि संसारके नास करेके लेल निरनय कैलख । लेकिन एक दिन परमेस्वर एगो लया स्वरग लया पिरथिबीके सिरिस्टी करी जवन की,सिध होइ ।

50. ५०. यिसु फेरु आइ — चित्र 17

तब यिसु आ ओकर अदमिसब लया अकास लया पिरथिबिमे रही, आ यिसु सदाके लेल असितत्वमे रहल सभे चिज उपरी राज्य करी,आ सभेके लोर पोंस दी । सेकरबाद उहबा कवनो कस्ट,दुख रोआइ,दुस्टता,बेदना,आ मिरतु नहोइ । यिसु सान्ति आ न्यायके साथ अपन राज्यके सासन करी,आ यिसु अपन अदमिसबके सङे सदाके लेल रही ।

बाइबलको कथा: मत्ती २४:१४, २८:१८, यूहन्‍ना १५:२०, १६:३३, प्रकाश २:१०, मत्ती १३:२४-३०, ३६-४२, १ थेसलोनिकी ४:१३-५:११, याकूब १:१२, मत्ती २२:१३, प्रकाश २०:१०, २१:१-२२:२१ बाट

रीडर में पढ़ें

खुले लाइसेंस (CC BY-SA 4.0) के अंतर्गत उपयोग करने, बदलने और साझा करने के लिए निःशुल्क।