26. २६. यिसु अपन सेबकाइ सुरू कएलख

26. २६. यिसु अपन सेबकाइ सुरू कएलख — चित्र 1

सैतानके जाचमे बिजय होगेलाके बाद,यिसु पबितर अतमाके सक्तिमे गालिल परदेसमे लवटगेल,जहाँ यिसु रहैत रहे । तब यिसु परचार करैत एक गाओसे दोसर गाओमे गेल । सभे जना यिसुके बारेमे निमन कहलख ।

26. २६. यिसु अपन सेबकाइ सुरू कएलख — चित्र 2

सेकरबाद नासरथके गाओमे गेल,जहाँ यिसु अपन बचपनके समय बितैले रहे । तब यिसु सबाथ दिनमे अराधना करेबला सभाघरमे गेलख । तब उहबा रहल अदमिसब परहेके लेल यिसुके हाथमे यसैया अगमबक्ताके लिखल किताब देलख । तब यिसु उ किताबके खोलके एकभाग ओकनिके लेल परदेलख ।

26. २६. यिसु अपन सेबकाइ सुरू कएलख — चित्र 3

तब यिसु उ खन्डसे परहलख,“परमेस्वरके अतमा हमरा उपरी बा,काहेकी गरिबसबके सुसमाचार सुनाएके लेल,परमेस्वर हमराके अभिसेक कैलेबा । मन टुटलसबके निमन करेके लेल,कैदिसबके कैदसे छुटकार देबेके लेल,आन्हरसबके दिरिस्टी देबेके लेल,चरुओरसे दबाएलसबके निकालेके लेल,आ परमपरभु परमेस्वरके परसन्नताके बरिसके घोसना करेके लेल परमेस्वर हमराके भेजैले बा ।”

26. २६. यिसु अपन सेबकाइ सुरू कएलख — चित्र 4

किताब परह लेलाके बाद यिसु बैठगेल । तब सभे अदमिसब यिसुके ध्यानसे देखैत रहे । ओकनिसबके मालुम रहे,कि यिसु जवन बचन परहलख उ बचन मसिहाके बारेमे लिखल बा । तब यिसु ओकनिसे कहलख,“पबितर धरम सास्तरके बचन आजु तोहनिके सुनाइमे पुरा भेल ।“ यिसुके अइसन बात सुनके अदमिसब चकित परगेल । “तब ओकनिके कहे लगलख कि,यि यिसुफके बेटा न हैइ ?”

26. २६. यिसु अपन सेबकाइ सुरू कएलख — चित्र 5

तब यिसु ओकनिसबसे कहलख,“हम तहनिसबसे सच कहरहल बारी कि,कवनो भि भबिस्यबक्ताके ओकर अपन देसमे कवनो भैलु नहोइसै ।” एलियाके समयमे इजराएलमे बहुत बिधबासब रहे । लेकिन जब सारहे तिन बरिसतक पानि नपरलख, फिरभी परमेस्वर एलियाके इजराएलमे भेल बिधबासबके सहायता करेके लेल न भेजलख,बरु अन्य देसके बिधबासबके लगे भेजलख ।

26. २६. यिसु अपन सेबकाइ सुरू कएलख — चित्र 6

यिसु कहैत गेल,“ एलिसाके अगमबक्ताके समयमे छलाके रोगसे बहुत अदमिसब इजराएलमे रहे । लेकिन एलिसा ओकनिमेसे केकरो निमन न कैलख । एलिसा केबल इजराएलके नमानके छलाके रोगसे खाली निमन कैलेरहे ।” यिसुके बात सुनेबला खाली यहुदिसब रहे । ओहिसे जब ओकनिके यिसुके बात सनल्लख,तब ओकनिके यिसु उपरी खिसिया चुर होगेल ।

26. २६. यिसु अपन सेबकाइ सुरू कएलख — चित्र 7

तब नासरथके अदमिसब यिसुके अराधनाके स्थानसे घिसियाके बहरा निकाल देलख,आ पहारके भितामे लेजाके यिसुके उहबासे गिराके मुया देबेके लेल चाहलख । लेकिन यिसु अदमिसबके भिरसे निकलगेल आ नासरथके छोरके चलगेल ।

26. २६. यिसु अपन सेबकाइ सुरू कएलख — चित्र 8

सेकरबाद यिसु गालिल परदेसमे अएलख,तब यिसुके पास बहुत अदमिसब अएलख,आ ओकनिके बहुत रोग बिमारसे थलल अदमिसबके भि लेके अएलख । उमेसे केतना जना लेङर रहे,आखसे आन्हर रहे,कानसे बैहर रहे,मुहसे बताह रहे,जब यिसु येकनिके देखलख तब ओकनिके सभेजनाके निमन कएलख ।

26. २६. यिसु अपन सेबकाइ सुरू कएलख — चित्र 9

बहुत भुतअतमासे सताएल अदमिसबके भि यिसु पास लेके अएलख । तब यिसु यि भुतअतमाके अग्या कैलख कि ओकनिमेसे तुउ निकलजोअ,तब उ भुतअतमासब चिचियाके अइसे कहैत नकल गेल कि,“तु त परमेस्वरके बेटा बारे ।

26. २६. यिसु अपन सेबकाइ सुरू कएलख — चित्र 10

सेकरबाद यिसु बारह जना अदमिसबके बिसलख,जेकराके यिसुके चेलासब कहलख । उहे चेलासब यिसुके सङे बुलैत रहे आ यिसुसे सिक्छा सिखैत रहे ।

बाइबलको कथाः मत्ती ४:१२-२५; मर्कूस १:१४-१५, ३५-३९; ३:१३-२१; लूका ४:१४-३०, ३८-४४ बाट

रीडर में पढ़ें

खुले लाइसेंस (CC BY-SA 4.0) के अंतर्गत उपयोग करने, बदलने और साझा करने के लिए निःशुल्क।