25. २५. सैतानद्वारा यिसुके परीक्छा
यिसुके बपतिस्मा लेलके बाद तुरन्त पबितर अतमासे उजार स्थानके ओर लेजाएल गेल,यिसु उहा चालिस दिन चालिस राततक उपबास रहलख । सेकरबाद सैतान यिसुके लगे अएलख आ यिसुसे पाप कराएके लेल परिक्छा कएलख ।
सैतान अइसे कहैत यिसुके परिक्छा कैलख,“ यदी तु परमेस्वरके बेटा बारे त,यि पथलके रोटी बनादे,ताकी,तु ओकराके ख सकैतसे ।
तब यिसु सैतानके जबाफ देलख,“परमेस्वरके बचनमे अइसे लिखल बा कि,“ अदमिके बाचेके लेल केबल रोटी हि नचाही,बलकी परमेस्वरके मुहसे नकल्ल हरेक बचन चाही ।
सेकरबाद सैतान यिसुके मन्दिरके सबसे टुपामे लेगेल आ यिसुसे कहलख,“ यदी तु परमेस्वर बेटा बारे त,यिहबासे तु कुदुक जो,काहेकी लिखल बा कि,परमेस्वर तोहर बिसयमे अपन दुतसबके अग्या करी आ ओकनिके तोहर पैर पथलमे न बजारे कहके ओकनिके तोहरा अपन हाथमे बोकली ।
लेकिन यिसु सैतानके बचनसे जबाफ देलख । यिसु कहलख,“ परमेस्वर अपन बचनमे अदमिसबसे अग्या कैले बा कि, तोहनिके अपन परमपरभु परमेस्वरके परिक्छा न करिहे ।”
सेकरबाद सैतान यिसुके संसारके सरा राज्यके बैभब आ यि मेके सरा महिमा देखाके कहलख,“यदी तु हमर गोरमे गिरके डन्डवत करबे त,यि संसारके सभे चिज हम तोहराके देदेहब ।”
तब यिसु सैतानसे कहलख,“ ऐ सैतान तु दुर होजो ! परमेस्वर अपन बचनमे अपन अदमिसबके अग्या देलेबा कि,खाली तु परमपरभु परमेस्वरके डन्डवट करिहे आ खाली ओकरे उपासना करिहे ।
यिसु सैतानके लालच पर न परलख,ओहिसे सैतान यिसुके छिरके चलगेल । तब स्वरगदुतसब आके यिसुके सेबाटहल करेलगलख ।
बाइबलके कथाः मत्ती ४:१-११; मरकुस १:१२-१३; लुका ४:१-१३ से
खुले लाइसेंस (CC BY-SA 4.0) के अंतर्गत उपयोग करने, बदलने और साझा करने के लिए निःशुल्क।