10. १०. दश विपतिसब
मोसा आ हारुन फारोकेलगे गेल । आ फारोसे कहलख,“इजराएलके परमेस्वर अइसे कहरहलबा,“हमर अदमिसबके जाएदे कहलख ।
लेकिन फारो इजराएलीसबके जाएदेबेसे इनकार कदेलख,“ओहिसे परमेस्वर मिसरदेसमे बहुत भ्यानक दसगो बिपती पठैलख । परमेस्वर यि बिपतीसबदोवार फारोके आ ओकर देबिदेबता आ सभे मिसरी देबतासे भि सक्तिसाली बा कहके देखादेलख ।
परमेस्वर निल लदीके पानी खुनमे बदलदेलख,लेकिन फारो अभि भी इजराएलिसबके जाए नदेलख ।
तब परमेस्वर सरा मिसरदेसभर बेंटासे हानि होएबला बिपती पठैलख । तब फारो मोसासे बिन्ती कहलख कि,सभे बेंटासब हटादे । जब सभे बेंटासब मरगेल तब फेरु फारो अपन हिरदय कठोर कलेलख आ इजराएलीसबे जाए नदेलख ।
तब फेरु परमेस्वर घुसके कटाइसे होयबला महामारीके पठैलख । सेकरबाद मासीसे होयबला महामारी पठैलख, तब फारो मोसा आ हारुनके बोलैलख आ ओकनिसे कहलख ,यदि तोहनिके यि महामरीके रोदेबेत हम इजराइलीसबके जाए देबौ । जब मोसा पराथना कैलख,तब परमेस्वर मोसाके पराथना सुनके सभे किसिमके मिसरदेससे बिपतिसब हटादेलख । लेकिन एमकिबार फेरु फारो अपन मन कठोर बनालेलख आ इजराएलीसबके जाए नदेलख ।
सेकरबाद परमेस्वर फेरु मिसरिसबके सभे मालजाल उपरी महामारी पठैलख आ ओकनिसबके सभे मालजालसब मरगेल । एमकिबार भि फारो अपन हिरदय कठोर बनालेलख आ ओकनिके जाए नदेलख ।
तब फेरु परमेस्वर मोसाके फारोके अगारी हबामे राख उराएके कहलख । जब मोसा परमेस्वरके कहल मुताविक कएलख तब मिसरीसबके सौसे देहमे फोका बलाघाओ देखाइ देबेलगलख । लेकिन इजराएलीसबके कुछो न भेलख । एमकिबार फेरु फारो अपन हिरदय कठोर बनालेल आ ओकनिके जाए नदेलख ।
अइसन भेगेलाकेबाद परमेस्वर बनौरीके बिपती ल्यलख,जवनकि,बहुत बरका-बरका बनौरी बरसैएलख जवनसे मिसरदेसके सरा अन्नबालीसब नस्ट होगेल आ घरसे जे बहरा निकल्ल रहे सभे मारलगेल । फारो फेरुसे मोसा आ हारुनके बोलैलख आ ओकनिसे कहलख कि,हम पाप कैली ,तोहनिके आब जा सकैत बारे ।तब मोसा फेरु परमेस्वरसे पराथना कैलख तब मेघसे बनौरी गिरेके बन्द होगेल ।
लेकिन फारो फेरु पाप कैलख आ अपन हिरदय कठोर बनालेलख आ ओकनिके जाए नदेलख ।
ओहिसे परमेस्वर टिरिसे हानि होएबला बिपती मिसरदेसमे पठैलख । यि टिरिसब बनौरिसे बाचल कुचल अन्नसब खालेलख ।
तब परमेस्वर अन्हार होएबला मिसरदेसमे बिपती पठैलख,जवनकि तिन दिनतक रहलख । उ येतना न अन्हार रहेकी मिसरीसब अपन घर छोरके बहरा निकले नसकलख । लेकिन इजराएलीसबके बैठल ठाओमे इजोते रहे ।
यि नवगो बिपतीसब होगेलामेभी फारो अभिभी इजराएलीसबके जाएनदेलख । फारो परमेस्वरके बात न सुनल्लाके कारन आब अन्तिम बिपती पठाएकेलेल योजना कएलख । जवन बिपती बहुत दरदनाक रहे । जब उ बिपती पठैलख तब पसुपंछी लेके अदमिके जेठ बेटा मरगेल तब यि बिपतिसे फारोके मन परिबरतन होगेल आ इजराएलीसबके जाएकेलेल देदेलख ।
बाइबलके कथाः प्रस्थान ५:-१०: तक
खुले लाइसेंस (CC BY-SA 4.0) के अंतर्गत उपयोग करने, बदलने और साझा करने के लिए निःशुल्क।