12. १२. परस्थान
जब इजराएलीसब मिस्रदेस छोरके जाए लगलख तब बहुत खुसी होएलख । काहेकी आब ओकनिके दास नरहलख ओहिसे ओकनिके परतिग्याके देसमे जाएलगलख ।
तब परमेस्वर दिनमे बादलके खम्हा बनके सङे-सङे चल्लख आ रातमे आगिके जोवाल होके अगारी-अगारी इजोत करैत चल्लख,परमेस्वर हरघरी ओकनिसबके सङे हि रहलख । आ यातराके समयमे ओकनिके रस्ता देखैलख । इजराएलीसबके करेबला काम सिरफ एकेगो रहे,परमेस्वरके पछारी-पछारी चलेके रहे ।
कुछ समयके बाद,फारो आ ओकर अदमिसब अपन बिचार परिबरतन कैलख आ इजराएलिसबके फेरुसे अपन दास बनाएकेलेल चाहलख । तब परमेस्वर फारोके फेरुसे हठी बनादेलख,ताकी अदमिसब समझे कि उहे एकेगो सत्य परमेस्वर बा कहके देखे आ जानेकी “याहबे” फारोके देबतासबसे बहुत सक्तिसाली बा ।
यि करनसे फारो आ ओकर फौज इजराएलिसबके फेरूसे अपन दास बनाएकेलेल पकरके लेजाएके लेल चहेटे लगलख । जब इजराएलिसब मिस्री फौज अबैत देखलख,तब ओकनिके फारोके सेना आ लाल समुन्दरके बिचमे फसगेली कहके ओकनिकेके महसुस कैलख । तब ओकनिके बहुत जोरसे डेरागेल आ अइसे कहैत चिचियाए लगलख कि,“हमनिके बेकारमे मिस्र देसके छोरली ? आब हमनिके मरहिके बा ।
तब मोसा इजराएलिसबसे कहलख,“तोहनिके नडेरा”
तब परमेस्वर बादलके खम्हाके इजराएली आ मिस्रीसबके बिचमे खरा कदेलख ताकि मिस्रसब इजराएलीसबके नदेखे ।
तब परमेस्व मोसासे कहलख तुअपन हाथ समुन्दरके ओरी पसार,जब मोसा समुन्दरके अपन हाथ पसारलख तब पानी दुभाग होगेल । काहेकी परमेस्वर अइसन न,सक्तिसाली हबा बहैलख कि, दहिना ओरिके पानी दहिने ओर रुकगेल आ बेमा ओरिके पानी बेमाओर रुक गेल आ समुन्दरके बिचोबिच रस्ता बनगेल ।
तब इजराएलिसब समुन्दरके सुखल भुइयाके रस्तासे आ पानिके दुनुओरके दिबालके बिचो-बिच समुन्दरसे निकल गेल ।
जब ओकनिके समुन्दरसे निकलगेल,सेकरबाद परमेस्वर उ बादलके रस्तामेसे हटादेलख ताकी मिस्रिसब इजराएलिसबके भगैत देखके ओकनिके इजराएलिसबके चहेटे ।
उकारनसे ओकनिके समुन्दरकेही रस्तासे इजराएलिसबके चहेटके अएलख,लेकिन परमेस्वर मिस्रिसबके रथ,घोरागरिके अरकादेलख तब ओकनिके बहुत जोरसे डेरागेल । तब ओकनिके चिचियाके कहलख,“भाग”
सभे इजराएलीसब सकुसल समुन्दरके अउपार निकल गेलाकेबाद,परमेस्वर मोसासे फेरुसे कहलख अपन हाथ समुन्दरके ओरि घुमके पसार,तब मोसा अपन हाथ समुन्दरके ओरी पसारलख तब समुन्दर जइसनके तैसन होगेल आ सभे मिस्री फौजसब समुन्दरमे डुबके मरगेल ।
जब इजराएलिसब सभे मिस्रिसबके मरैत देखलख,तब ओकनिके परमेस्वरमे भरोसा कैलख आ मोसा एक अगमबक्ता बा कहके बिसबास कैलख ।
आ इजराएलिसब बहुत उतसाहके साथ आनन्दसे नाचे लगलख । काहेकी परमेस्वर ओकनिके मरेसे आ दास होएसे बचा लेलख ।
परमेस्वर इजराएलिसबके मिस्रिसबके बिरोधमे जित करैएलख आ ओकनिके दासत्वसे बचैएलख कहके यादके लेल हरेक बरिस तोहनिके निस्तार पबनि मनैहे कहके कहलख । ओकनिके यि परबमे निस्खोट थुमा मारके येकर मास बिना सोडा मिसाएल रोटिकेसाथ खाके मनैलख ।
बाइबलको कथाः प्रस्थान १२:३३-१५:२१ बाट
खुले लाइसेंस (CC BY-SA 4.0) के अंतर्गत उपयोग करने, बदलने और साझा करने के लिए निःशुल्क।