13. १३. इजराएलीसबसे परमेस्वरके करार
इजराएलीसब लाल समुन्दर पार करलेलाके बाद परमेस्वर ओकनिके उजार भुमिसे होके सिनै परबतके ओरी लेगेल । यि उहे परबत रहे जहाकी मोसाके आगी लागल झखुली देखाइ देलेरहे । तब अदमिसब अपन (सिरखी)पालसब परबतके निचालगैलख ।
परमेस्वर मोसा आ इजराएलिसबसे कहलख,“यदि तोहनिके हमर कहल मानबे आ हमर करारके पालन करबे त,तोहनिके हमर सम्पति,पुजाहारिसबके एगो रज्य आ एक पबितर जाती होएबे ।
तिन दिनके बाद,अदमिसब अपने आपके अत्मिकरुसे तयार होगेलाके बाद,परमेस्वर मेघके गरजन आ बिजुली चम्कैत बहुत बरका अबाजके साथ सिनै परबतके उपरी अएलख । तब मोसा उ परबतके उपरी चहरलख,काहेकी मोसाके हि खाली चहरेके अनुमती मिलल रहे ।
तब परमेस्वर इजराएलिसबकसे करार कैलख ओकनिसे कहलख,हम “याहोवे बारी,तोहनिसबके परमेस्वर जे तोहनिके मिस्रदेसके दासत्वसे बचैली । ओहिसे तोहनिके कवनो भि देवी देबताके पुजा नकरिहे ।
हमर नाममे तोहनिके “कवनो किसिमके मुरती नबनैहे न पुजिहे,काहेकी हम,याहोवे,डाही परमेस्वर बारी । हमर नाम बिना काममे नलिहे । सबाथ दिनके पवितर राखेमे नभुलिहे । काहेकी तोहनिके छव दिनतक सभे काम करिहे,लेकिन सतमा दिन तोहनिके बिसराम करिहे । जब तोहनिके बिसराम करिहे तब हमराके उ दिनमे याद करिहे ।”
“अपन माइ,बाबुके आदर करिहे । हत्या नकरिहे । चोरी नकरिहे । झुठ नबोलिहे । अपन परोसियाके जनि आ घरके अथबा कवनो भि चिजके लोभ नकरिहे ।”
सेकरबाद परमेस्वर मोसाके दसगो आग्या पथलके पाटिमे लिखके देलख । परमेस्वर आरु बहुत ब्यबस्थाके कानुनसब पालन करेकेलेल देलख । यदि तोहनिके यि ब्यबस्थाके पालन करबे त तोहनिके परमेस्वर आसिस दिइ ,यदि तोहनिके यि ब्यबस्था पालन नकरबे त तोहनिके परमेस्वर दन्ड दिइ ।
तब परमेस्वर इजराएलिसबके अपन इक्सानुसारके पालके निरमान करेकेलेल बिसेस किसिमके नमुना देलख । जेकराके भेट करेबला पाल कहैतरहे आ यिमे दुगो कोठा रहे,जेकराके बडका परदासे अलग कैले रहैत रहे । परधान पुजारी हि खाली परदाके पछाडीके कोठामे जाइके परमेस्वरसे मिले,काहेकी परमेस्वर उहाँ रहे ।
केहु भि पमेस्वरके अग्या भंङ करेत, उ एगो पसुके लेके आबे आ पालके अगारी रहल बेदीमे ल्याएके परमेस्वरके अगारी बलिकेरुपमे चरहाए । तब उ पसुके एकजना पुजारी परमेस्वरके अगारी बलि चढाए आ बेदिमे राखके आगीसे जरादेबे । जब उ बलि चरहा लेबे, तब पसुके खुनसे उ अदमिके पाप तोपे देबे आ परमेस्वरके नजरमे उ अदमी सुध होजाए । परमेस्वर मोसाके भाइ हारुन आ ओकर सन्तानके अपन पुजारी होएकेलेल नियुक्त कएलख ।
तब इजराएलीसब कहलख कि, हमनिके सभे जना एकेगो परमेस्वरके पुजा करब आ परमेस्वरके बिसेस अदमिसबके रुपमे रहब कहके राजी होएलख । लेकिन ओकनिके जवन करार परमेस्वरसे कैलेरहे,उ करार कुछ दिनके बाद मे ही बिसर गेल आ ओकनिके बहुत भ्यानक पाप कैलख ।
जब मोसा ४० दिनके लेल परमेस्वरसङे बात-चित करके लेल सिनै परबत उपरी चहर गेल । तब अदमिसब मोसा लवटके आइ कहके असिआएल असिआएल थाक गेल । ओहिसे ओकनिके हारुनकेलगे गेल, तब हारुन सभे जनासे सोना जम्मा करैलख आ मुरती बना देलख ।
तब हारुन बसरुके अकारमे सोनाके मुरती बनएलख । आ अदमिसबसे उ मुरतीके पुजा करबैलख । यिहा तक कि,ओकनिके अपन बालबच्चाके भी यि मुरतिके अगारी बलि चरहैलख ।
जब मोसा सिनै परपतसे उतरके अएलख,तब मोसा उ मुरतिके देखलख,तब मोसा बहुत जोरसे अदमिसबमे खिसिया गेल आ परमेस्वरके देल दस आग्याके पाटी फेकके फोर देलख ।
सेकरबाद मोसा उ मुरतिके फोरके चुरचुर कदेलख आ ओकर धुरामे पानी मिलाके अदमिसबके पिएके लेल देलख । तब परमेस्वर अदमिसबमे महामारी ल्यलख आ ओकनिसब मेसे बहुत अदमिसब मर गेल ।
जब मोसा परमेस्वरसे बातचित करेके लेल फेरुसे सिनै परबत उपरी चहरलख । तब मोसा यि अमदमिसबके पाप माफी करु कहके परमेस्वरसे पराथना कैलख । तब परमेस्वर मोसाके बिन्ती सुनल्लख आ ओकनिके माफ भि कदेलख । मोसा दस अग्याके पाटी फोरदेले रहे ,उ दस आग्याके पाटी मोसा फेरु पथलके लयाँ पाटीमे लिखके पुनह स्थापित कैलख । सेकरबाद परमेस्वर इजराएलीसबके सिनै परबतसे परतिग्या कैल देसके ओरी लेगेल ।
बाइबलके कथाः प्रस्थान १९:-३४: से
खुले लाइसेंस (CC BY-SA 4.0) के अंतर्गत उपयोग करने, बदलने और साझा करने के लिए निःशुल्क।