17. १७. दाऊदसे परमेस्वरके करार
साउल इजराएलिसबके पहिलका रजा रहे । साउल इजराएलिसबके चाहलके जइसन अदमी रहे । पहिलका कुछ बरिसतक साउल इजराएल उपरी सासन करेबला एगो निमन रजा रहे । लेकिन बादमे चलके उ एक दुस्ट अदमी होगेल आ परमेस्वरके अनाग्याकारी होयते चलगेल, । ओहिसे परमेस्वर दोसर अदमिके इजराएलके रजा होएके लेल चुनलख । ताकी आबेबला दिनमे साउलके बदलामे एकदिन इजराएलमे राज कर सके ।
परमेस्वर इसराएलिके दाउद नामके एगो जबान अदमिके साउलके बाद राजा होएके लेल चुन्नलख । दाउद बेथलेहेम नामके गाओमे रहेबला एगो चरबाह रहे । दाउद अपन बाबुके भेरासबके देखरेख करेके समयमे बहुत बार उ अपन भेरासबके उपरी आकरमन करेबला सिंह आ भाल जइसन जनाबरसबके मुया देबे । दाउद नरम आ धरमी अदमी रहे,जेकी परमेस्वरमे भर परैत रहे आ परमेस्वरके आग्याके पालन करैत रहे ।
जब दाउद एगो महान सिपाही आ अगुवा इजराएलिसबके लेल बनगेल । तब दाउद जबान रहे,सेकरबाद दाउद गोलेत नामके एकजना दत्य जइसन अदमिसे लराइ कएलख । गोलेत एक तालिम परापत लराकु आ बहुत बौकार करिब तिन मिटरके लम्बा अदमी रहे । फिरभी दाउद ओकराके मार गिरैएलख ,आ इजराएलिसबके बिजय करैलख ।
ओहिसे दाउदके अदमिसब बहत मया करेलगलख उकारनसे साउल डाह करेलगलख । तब बहुत बार साउल दाउदके मुयाएके चाहलख,ओहिसे दाउद डेरागेल । जब साउलके देख,तब दाउद लुकाजाए । एकदिन साउल दाउदके मारेके लेल खोजइत बुलइत रहे । साउल एगो गुफा भितरी ढुकलख जहाँ दाउद साउलके डरसे लुकाएल रहे । माने साउल दाउदके नदेखलख । उहे समयमे दाउद साउलके बहुत करिब रहे । साउलके दाउद मार भि सकैत रहे,लेकिन दाउद औसे नकएलख बरु दाउद साउलके हत्या करेके न चाहलख ।
लेकिन आखिरमे जाके साउल लराइमे मरगेल । तब दाउद इजराएलके रजा होगेल । उ एक निमन रजा रहे,आ अदमिसब दाउदके मया करे । तब परमेस्वर दाउदके आसिस देलख आ ओकरा सफल बनएलख । दाउद बहुत लडाइ लरलख आ परमेस्वर दाउदके इजराएलके दुसमनसबके हराबेमे सहायता कएलख । दाउद यरुसलेम कब्जा कएलख,तब उहे सहरके दाउद राजधानी बनएलख । दाउदके सासनकालमे इजराएल एक सक्तिसाली आ समपन्न रास्टके रुपमे निरमान कएलख ।
दाउद एगो मन्दिरके निरमान करेके लेल चाहलख,जहाँ कि,सरा इजराएलिसब परमेस्वरके अराधना करसके । आ परमेस्वरके अपन बलीसब चरहा सके । करिब ४०० सय बरिसतक अदमिसब पालमे ही परमेस्वरके अराधना कएलख । जइसे कि, ओकनिके पालमे ही बलिसब चरहएलख, भेट कएलख । जवनकी मोसा पालके बेदिके घर निरमान कएले रहे ।
लेकिन परमेस्वर नतान नामके एकजना अगमबक्ताके दाउदके लगे यि खबर पठैलख,“ तु लराइ करेबला अदमी होएलाके कारन, तु हमरा लेल मन्दिरके बनाए नसकबे । लेकिन तोहर बेटा मन्दिर मन्दिर बनाइ । लेकिन,हम तोहराके बहुत आसिस देलेबारी । ओहिसे तोहर सन्तानसबमेसे एकजना सदाके लेल रजाके रुपमे हमर अदमिसब उपरी राज करी ।
जब दाउद यि बातसब सुनल्लख,तब दाउद तुरन्त परमेस्वरके धन्यबाद देलख आ ओकराके परसंसा कएलख । कहेकी परमेस्वर दाउदसे उ महान आदर आ बहुत आसिससबके परतिग्या कएलख । दाउदके यि बात कहिया होइ कहके मालुम न भेल । लेकिन यि करार कहिया पुरा होइ कहके,इजराएलिसब मसिहा आबेसे पहिले करिब १,००० हजार बरिसतक रस्ता देखलख ।
तब दाउद बहुत बरिस तक न्याय आ बिसबासयोग्यके साथ राज कएलख । सेकबाद परमेस्वर दाउदके आसिस देलख । लेकिन दाउद अपन जिबनकालके अन्तिममे जाके परमेस्वरके बिरोधमे भ्यानक पाप कएलख ।
एकदिन,जब दाउदके सभे सैनिकसब लराइ करेके लेल अपन घरसे दुर गेलरहे । तब दाउद अपन दरबारके सतके उपरिसे बहराके ओर देखलख । तब एकजना बेतसेबा नामके एगो सुथर जनानिके लहाइत देखलख ।
जब दाउद लराइमे होखेके चाही लेकिन दाउद उ जनानिके अपना लगे ल्याबेके लेल नोकरके पठएलख । दाउद उ जनानिसङे सुतलख आ यि जनानिके घरे फिरता पठादेलख । तब कुछ समयके बाद बेतसेबा दाउदके लगे एगो समदियासे समाद पठएलख कि,हम त गरबती होगेल बारी ।
तब बेतसेबाके मरदा,उरियाह नामके अदमी रहे । दाउदके सेनासब मध्यमेसे एक उत्तम सैनिक रहे । दाउद उरियाहके लराइमेसे फिरता बोलएलख आ ओकराके अपन जनिके लगे जाएके लेल अनरोध कएलख । लेकिन उरियाह लराइमे बाकी रहल अपन सिपाहिसबके छोरके अपन घरे जाएसे इन्कार कदेलख । ओहिसे दाउद उरियाहके लराइमे फिरता पठादेलख आ परधान सेनापतीसे कहलख जहाँ जोरसे लराइ चरकल होइ उहबे उरियाहके भेजा देबेके लेल आदेस लिखके उरियाहके हाथमे पठएलख ताकी उरियाह मारल जाए ।
जब उरियाह मारल गेल तब दाउद बेतसेबासे बियाह कलेलख । सेकरबाद बेतसेबासे एगो बेटाके जलम भेल । दाउदके अइसन काम देखके परमेस्वर बहुत करोधित भेल । ओहिसे परमेस्वर नतान अगमबक्ताके दाउदके पास भेजलख कि,उ केतना दुस्ट काम कएलख आ केहन बरका पाप कएलखसे बताएके लेल दाउदके पास नतान अगमबक्ताके पठैएलख । जब दाउद अपन पापके लेके बहुत पसतैएलख । तब परमेस्वर दाउदके पाप माफ कदेलख । सेकरबादके बाकी जिबन भर दाउद कस्टके घरिमे भि परमेस्वरके अग्याकारी होके पछारी चल्लख ।
लेकिन दाउदके पापके दन्डके कारन बेतसेबासे जनमल बेटाके मिरतु होगेल । सेकरबाद दाउदके बाकी जिबन भर परिबारमे कल्ह होएते रहगेल । ओहिसे दाउद बहुत कमजोर होगेल । दाउद परमेस्वरमे बिसबासयोग्य न होएलामे भी परमेस्वर अपन कएल परतिग्यामे बहुत बिसबास योग्य रहे । बादमे चलके दाउद आ बेतसेबाके देहसे दोसरका बेटाके जलम भेल । तब ओकनिके ओकर नाम सुलेमान रखलख ।
बाइबलको कथाः १ शमुएल १०; १५-१९; २४; ३१; २ शमुएल ५; ७; ११-१२ बाट
खुले लाइसेंस (CC BY-SA 4.0) के अंतर्गत उपयोग करने, बदलने और साझा करने के लिए निःशुल्क।