18. १८. बिभाजित राज
जब दाउदके मिरतु होगेल तब ओकर बेटा सुलेमान इजराएल उपरी सासन करे लगलख । परमेस्वर सुलेमानसे पुसलख कि तोहरा कवन चिजके बहुत जरुरत बा । तब सुलेमान परमेस्वरसे कहलख हमरा ग्यान आ बुधी सबसे जरुरी बा । तब परमेस्वर सुलेमानके संसारके सबसे बुधिमान अदमी बनादेलख । जब सुलेमान बहुत बातसब सिखलख आ एक बुधिमान न्यायकरता बनगेल । तब परमेस्वर सुलेमानके बहुत धन-सम्पतीसे उदबुद भि बनएलख ।
सुलेमान यरुसलेममे मन्दिर बनएलख,जवन कि ओकर बाबु दाउदके योजना बनाएल गेलरहे । यि मन्दिर बनाएके लेल दाउद सर-समानसब जम्मा कएले रहे । जब यि मन्दिर तयारी होगेल । तब अदमिसब परमेस्वरके पुजा करेके लेल आ भेट करेके लेल पालके सट्टामे मन्दिरमे बलि चरहैएलख । तब परमेस्वर यि मन्दिरमे अैलख । आ परमेस्वर अपन अदमिसबके सङे रहलख ।
लेकिन सुलेमान अन्य देसके स्तिरिसबसे परेम कएलख । आ उ करिब १,००० हजारगो स्तिरिसे बियाह कएलख । आ परमेस्वरके अनाग्याकारी होएलख । यि स्तिरिसब मध्यमेसे बहुत जना अन्य देससे ल्याल गेल रहे । ओहिसे ओकनिके अपन-अपन देबता भि साथमे लेके अएलख आ ओकनिके पुजलख । जब सुलेमान बुरह होगेल तब सुलेमान भि ओकनिके देबतासबके पुजा कएलख ।
तब परमेस्वर सुलेमानसे खिसियागेल,काहेकी सुलेमानके अबिसबासके कारन दन्ड स्वरुप,परमेस्वर सुलेमानके मिरतु होगेलाके बाद इजराएल रास्ट दुउ टुकरा होजाइ कहके परतिग्या कएलख ।
सुलेमानके मिरतु होगेलाके बाद,ओकर बेटा रहोबाम इजराएलके रजा होएलख । रहोबाम एक मुरुख अदमी रहे । इजराएल रास्टके सरा अदमिसब रहोबामके राज्य अबिसेक करेके लेल एकसाथ जम्मा भेल । ओकनिके रहोबाम सुलेमान रजासे भि करा मेहनत करबा रहल बा आ बहुत महङा कर तिरबा रहल बा कहके जन्तासबके ओरिसे बिरोध अैएलख ।
रहोबाम मुरखता पुरबक ओकनिके जबाफ देलख,“ हमर बाबु तोहनिसे बहुत करा मेहनत करबएलख कहके तोहनिके सोचैत होखबे,लेकिन हम तोहनिसबके हमअपन बाबुसे भि बहुत करा मेहनत करबाएब आ ओकरासे भि बरहके सजाए देहब ।”
तब इजराएल रास्टके कुलसब मध्यमेसे दस कुल रहोबामके बिरोधमे बिदरोह कएलख । लेकिन खाली दुगो कुल रहोबामके समरथन कएलख । ओहिसे दुगो कुलसब हि यहुदाके रास्ट होगेल ।
जब रहोबामके बिरोधमे बिदरोह कएलख । तब इजराएलके आरु दस कुल यरोबाम नामके एकजना अदमिके अपन रजा होएके लेल नियुक्त कएलख । ओकनिके अपन राज्य देसके उतर भागमे खरा कएलख आ ओकराके इजराएल राज्य कहलख ।
यरोबाम परमेस्वरके बिरोधमे बिदरोह कएलख आ अदमिसबके पाप करबएलख । यहुदाके राज्यमे बनल मन्दिरमे जाके परमेस्वरके अराधनाके करबाबेके बदलामे रहोबाम अदमिसबके लेल अराधना करेके लेल दुगो मुरती बनादेलख ।
तब यहुदाके राजमे आ इजराएलके राजमे दुनुके दुसमनी होगेल । ओहिसे येकनिके बारम-बार एकदोसराके बिरोधमे लराइ करते रहे ।
इजराएल राज्यमे,सभे लया रजासब दुस्ट रहे । यि रजासब मध्यमेसे बहुतजना आरु इजराएलिसब द्वारा मारल गेल । काहेकी कि,ओकनिके बदलामे रजा होएके चाहैत रहे ।
जब इजराएल राज्यके रजासब आ अदमिसब मुरतिके पुजा करेलगलख । तब ओकनिके मुरति पुजाके समयमे बहुत बेबिचार होखे आ कभि-कभी त ओकनिके अपन बालकसबके भि बलि चरहा देइतरहे ।
यहुदाके रजासब दाउदके सन्तानसब रहे । यि रजासब मध्यमेसे कुछ असल अदमिसब रहे । जेकी न्यायपुरबक राज्य कएलख आ परमेस्वरके पुजलख । लेकिन यहुदाके बहुत जइसन रजासब दुस्ट आ भरस्ट रहे । आ ओकनिके भि मुरतिपुजा कएलख । लेकिन कुछ रजासब त झुठा देबतासबके लेल अपन बालबच्चाके समेत बलि चरहएलख । यहुदाके बहुतजइसन अदमिसब भि परमेस्वरके बरोधमे बिदरोह कएलख आ आरु देबतासबके पुजलख ।
बाइबलको कथा: १ राजा १-६; ११-१२ बाट
खुले लाइसेंस (CC BY-SA 4.0) के अंतर्गत उपयोग करने, बदलने और साझा करने के लिए निःशुल्क।