20. २०. निरबासन से फिरता
इजराएल राज्य आ यहुदा राज्य,दुनु परमेस्वरके बिरोधमे पाप कएलख । परमेस्वर ओकनिसबके सङे सिनै परबतमे जवन करार कएले उ करार ओकनिसब भङ कदेलख । तब परमेस्वर फेरुसे ओकनिके पसताप कके आबे आ हमरे पुजे कहके चेतावनी देबेके लेल उअपन अगमबक्तासबके पठएलख । लेकिन ओकनिके परमेस्वरके अग्या इन्कार कदेलख ।
ओहिसे परमेस्वर दुनु राज्यके ओकनिएके दुसमनसे नस्ट करबाके दन्ड देलख । एक सक्तिसाली आ कुरुर रास्ट असुरि समराज्य इजराएल राज्यके ध्वस्त कदेलख । असुरिसब इजराएल रास्टके बहुत अदमिसबके मुयादेलख । आ ओकनिसबके बहुमुल्य समानसब सभे लुटके लेगेल आ देसके बहुत जग्हसब जरा देलख ।
तब असुरिसब सभे अगुवाके,धनिकसबके आ सिप-कला भेल अदमिसबके जम्मा कके ओकनिके असुर देसमे लेगेल । आ बहुत गरिब अदमिसबके इजराएल राज्यमे हि छोरदेलख ।
सेकरबाद असुरिसब इजराएल राज्यमे बिदेसिसबके ल्याके बसोबास करादेलख । तब बिदेसिसब खतम कदेल सहरसबके फेरुसे बनएलख आ इजराएलिसबसे बियाह कएलख । जेतना अदमिसब उहबा छोरलगेल रहे । ओकनिके बिदेसिसबसे बियाह कएलख । तब ओकनिसे जलमल इजराएलिसबके बालबच्चासब “सामरी” कहएलख ।
यहुदाके अदमिसब परमेस्वर उपरी बिसबास न कएलख न त, ओकर अग्या हि पालन कएलख । ओहिसे परमेस्वर कैसे उ इजराएल राज्यके दन्ड देलखसे ओकनिके देखले रहे । तबपर भि ओकनिके बहुत किसिमके कनानी देबतासबके मुरतिके पुजलख । तब परमेस्वर ओकनिके चेताबनी देबेके लेल अगमबक्तासबके भेजलख । लेकिन ओकनिके परमेस्वरके ओरिसे भेजाएल अगमबक्ताके बात सुनेसे इन्कार कएलख ।
जब असुरिसब इजराएल राज्यके नस्ट कदेलख । तब १०० परिसके बाद परमेस्वर बेबिलोनके रजा,नबुकनेसर यहुदाके राज्यमे आकरमन करबएलख आ बेबिलोनके दास बनबादेलख । काहेकी बेबिलोन एक सक्तिसाली समराज्य रहे । तब यहुदाके रजा नबुकदनेसरके दास होगेल । तब हरेक बरिस बेबिलोनके बहुत पैसा कर तिरेके लेल सहमत होगेल ।
लेकिन कुछ बरिसके बाद,यहुदाके रजा बेबिलोन बिरोधमे बिदरोह कएलख । ओहिसे,बेबिलोनिसब फेरु आके यहुदाके राज्यमे आकरमन कएलख । आ ओकनिके यरुसलेमके सहर कब्जा कके मन्दिरके भरकादेलख । तब ओकनिके सहर आ मन्दिरमे भेल सभे सम्पतिसब लुटके लेगेल ।
यहुदाके रजा बेबिलोनके बिरोधमे बिदरोह कएलाके कारन यहुदाके रजाके रजा नबुकदनेसर दन्ड देलख । ओहिसे सिपाहिसब यहुदाके रजाके बेटाके ओकरे सामने मुयादेलख आ रजाके आन्हर बनाके ओकनिके जेलमे हि मरजाए कहके बेबिलोनमे लेगेल ।
नबुकदनेसरके सैनिकसब ओकनिसे बाली-बिरुबा रोपाबेके लेल गरिबसे-गरिब अदमिसबके बाहेक यहुदाके राज्यके सभे अदमिसबके पकरके बेबिलोनमे लेगेल । उ समयके अबधी भर परमेस्वरके देल परतिग्याके मुलुक छोरेमे बाध्य होगेल । तब ओकनिके परतिग्याके मुलुक छोरके चलगेल । (येकरेके निरबासन कहलख ।)
तब परमेस्वर इजराएलिसबके पापके कारन डन्ड देबेके लेल बहुत दुर निरबासनमे लेगेल । फिरभी परमेस्वर ओकनिके आ उअपन परतिग्याके न बिसरएलख । लेकिन परमेस्वर लगातार रुपसे अगमबक्ता दोवारा अपन अदमिसबके देखरेख कएलख आ बोलैत रहलख । सेकरबाद परमेस्वर ओकनिसे परतिग्या कएलख कि,तोहनिके सतर बरिसके बाद फेरु तोहनिके यि परतिग्याके मुलुकमे लवटके अएबे । ।
तब करिब सतर बरिसके बाद फारसिसबके रजा,कोरेस बेबिलोनके परास्त कएलख । ओहिसे फारसी समराज्य बेबिलोनी समराज्यके बदलामे स्थापित कएलख । तबसे इजराएलिसबके यहुदिसब कहेलगलख । तब ओकनिके मध्यमेसे बहुत जना पुरा जिबन बेबिलोन मेही बितएलख । लेकिन कुछ बुरह अदमसबके खाली यहुदाके मुलुकमे सेबा कएलख ।
फारसी समराज्य एक सक्तिसाली समराज्य रहे । लेकिन ओकनिके अपनसे कब्जा कएल अदमिसब उपरी दयालु रहे । ओहिसे कोरेस फारसिसबके रजा होएलाके कारनसे कुछ समयके बाद, फारसी समराज्य छोरके यहुदामे लवटेके आएके चाहेबला सबके लेल रजा आदेस जारी कएलख । आ ओकनिके अराधना करेके लेल फेरुसे मन्दिर बनाएके लेल रुपैया –पेसा समेत देलख ।
जब अदमिसब यरुसलेममे आपहुचलख,तब ओकनिके मन्दिर आ सहरके वरिपरी देबालके फेरुसे बनएलख । ओकनिसब उपरी अभि भि आरु हि राज्यके सासन करैतरहे फिरभी,एकबार फेरु ओकनिके परतिग्याके मुलुकमे बास करेकेलेल आ उहबेके मन्दिरमे अराधना करेके लेल मिल्लख ।
बाइबलको कथा: २ राजा १७; २४-२५; २ इतिहास ३६; एज्रा १-१०; नेहम्याह १-१३ बाट
खुले लाइसेंस (CC BY-SA 4.0) के अंतर्गत उपयोग करने, बदलने और साझा करने के लिए निःशुल्क।